Search

विभा रानी कें भेटतनि सम्मान – रंगकर्म, साहित्य विधा के बाद फ़िल्म में प्रशंसनीय अभिनय लेल होयत सम्मान

1176 भ्यूज

सिनेमा आ रंगमंच मे अभिनय लेल मिथिलाक विभा रानी के भेटतैन भोपालक संस्था स्पंदन स “स्पंदन ललित कला सम्मान, 2025”

“नौरंगी नटनी”, “समाधि भाई रामसिंह”, “साध रोए के ” आदिक मंचन स मैथिली मे महिला एकल नाटक के आगा बढ़बै मे अपन योगदान देबय वाली मैथिलीक रंगकर्मी, लेखक, अनुवादक, नाट्य लेखक मधुबनीक विभा रानी के भोपाल स्थित संस्था स्पंदन द्वारा “स्पंदन ललित कला सम्मान, 2025” देबाक घोषणा भेलैए । ई सम्मान सिनेमा आ रंगमंच पर हुनक अभिनय मे योगदान लेल देल जा रहल छै । ई प्रतिष्ठित संस्था हिन्दीक मूर्द्धन्य लेखक उर्मिला शिरीष द्वारा संचालित छै ।

अही 27 जून, 2025 मे देश भरिक थिएटर में रिलीज देवगन फिल्म्सक काजोल स्टारर फिल्म “मां” मे पुरोहिताक धारदार आ दमदार भूमिका स विभा रानी के अंतरराष्ट्रीय स्तर पर पहचान भेटि रहल छैन । चूंकि आब ई फिल्म नेटफ्लिक्स पर सेहो उपलब्ध छै, तैं देशक अतिरिक्त, विदेश मे रहि रहल भारतीय आ आन आन देशक लोक सब अहि फिल्म के देख पाबि रहल छथि, कियैक त फिल्म अंग्रेजी सबटाइटल्स संगे उपलब्ध छै ।

विभा रानीक कहब छनि जे “फिल्म मे काज करब नान्हिपन स मोन मे बसल स्वप्न के साकार भेनाई सन छै, विशेषक मां फिल्म मे काजोल सन सुपर स्टार संगे काज केनाई एक गोट अहि क्षेत्रक उपलब्धि छै ।”

विभा रानीक फिल्म अभिनयक यात्राक आरम्भ 2018 स नवदीप सिंह निर्देशित फिल्म “लाल कप्तान” स भेल । अहि में ओ “लाल परी”क भूमिका मे छलीह । तकर बाद ई यात्रा फिल्म शमशेरा, अनवांटेड, ए ब्रोकन स्टोरी, सजनी शिंदे का वायरल वीडियो, मॉनसून फुटबॉल, भोर, वेब सीरीज महारानी1, ताज2, ताज़ा खबर1 व 2, सीरियल अवंतिका, एकलव्य, टिकुली आदि होबैत “मां” धरि पहुंचलै ।

अहि स पहिने विभा रानी फिल्म्स डिविजन लेल फिल्म लिखने छलीह, भारतेंदु हरिश्चंद्र आ जयशंकर प्रसाद । पछिला साल ई सीमा कपूरक मेगा सीरियल “अवंतिका”क चालीस स अधिक एपिसोडक संवाद लेखनक काज केलीहए । नितिन चंद्राक राष्ट्रीय सम्मान स सम्मानित फिल्म “मिथिला मखान” लेल दू गोट गीत लिखलीह कामाख्या नारायण सिंहक अनेकानेक सम्मान स सम्मानित फिल्म “भोर” मे वोकल देलीह । नितिने चंद्रा द्वारा सत्यजीत रेक फिल्म “पाथेर पांचाली”क मैथिली डबिंग मे पीसीक चरित्रक डबिंग केने छलीह । फिल्म मे अभिनय संगे विभा रानी नेटफ्लिक्स, अमेजन प्राइम आदिक फिल्म, वेब सीरीज आदिक हेतु डबिंग सेहो क रहल छथि ।

फिल्म मे अभिनय स पहिने हिनक रंगमंचक क्षेत्र मे उल्लेखनीय योगदान छै । मैथिली मे कथा, आ उपन्यास संगे हिनक लिखल नाटक छै, “भाग रौ”, “बालचन्दा”, “मदति करू माई” । मैथिली से हिंदी मे उल्लेखनीय किताबक अनुवाद करैत आबि रहल छथि, जाहि मे लिली रे क पुस्तक सभ उल्लेखनीय छै । एकल नाटकक मंचन हिनक खास विशेषता छै । ई मोटिवेशनल स्पीकर, POSH Enabler त छथिए, “डहकन” आ “ख़िस्सा कहे खिसनी”क मंचीय प्रस्तुति देश विदेश मे दैत आबि रहल छथि । हिनक मनतब छै जे ई सभ काजके संग संग सिनेमा मे सेहो अपन पहिचान बनाओल जा सकैत छै, कियाईक त प्रत्येक विधा, लेखन स ल क अभिनय धरि, एक दूसरक पूरक छै ।
फिल्म आ रंगमंच मे अभिनय के योगदान लेल मिलि रहल ई #स्पंदन_ललित_कला_सम्मान_2025” सम्मान हुनक अहि विश्वास के आओर बल द रहल छै जे है रचनात्मकताक कोनो उम्र नहि होइत छै आ रचनारत व्यक्ति कहियो बूढ़ वा रिटायर नहिं होइत छै ।

आब वाला समय में विभाक किछु आओर काज सभ आओत कुछ सिनेमा, सीरीज, सीरियल आदिक रूप मे ।

मैथिली फिल्म मे अभिनयक क्षेत्र मे विभा रानीक खाता एखन धरि नहिं खुजलैए । अहि लेल हुनका मैथिली फिल्म निर्माता निर्देशकक बजाहट के प्रतीक्षा छै । हिनक कहब छै जे जेना मिथिला आ मैथिली लेल हम अपना बूते लेखन, गायन, प्रस्तुति आदि सभ क रहल छी, तहिना अपन योगदान मैथिली सिनेमा मे देब लेल ओतबे उत्सुक छी ।

Related Articles