मैथिली एसोसिएशन नेपाल विराटनगर द्वारा आगामी ३० नवम्बर २०२४ एकटा महत्वपूर्ण आयोजन राखल गेल अछि । प्रयास ई अछि जे मैथिलीभाषी संग सहयात्रा मे रहल अन्य भाषाभाषी केँ अवार्ड प्रदान करैत मैथिली संग जोड़ल जाय । संलग्न पोस्टर मे विस्तृत जानकारी देल गेल अछि । अहाँ स्वयं अपनहुँ लेल अवार्ड प्राप्त करबाक लेल नोमिनेशन कय सकैत छी । एहि लेल आवेदन फौर्म केर प्रारूप संलग्न कयल गेल अछि ।
यदि अहाँ कोनो अवार्डी लेल स्पोन्सर बनिकय हुनका सम्मान करय चाहि रहल छी ताहि लेल सेहो अवसर अछि । सम्मान योग्य व्यक्तित्व केर नाम व कृति (यशश्वी कार्यक व्योरा) देल गेल फौर्म अनुसार लिखिकय पठाउ । अवार्ड फंक्शन भव्य समारोह बीच विराटनगरक स्वागतम होटल मे कयल जायत । किछु नामी आ युवा कलाकार सभक संग अन्य गीत-नृत्य समूह सब सेहो अपन-अपन प्रस्तुति लयकय आबि रहल छथि । अपने लोकनि सेहो आबि सकैत छी । एन्ट्री फीस २,००० टका निर्धारित अछि ।
मैथिलीभाषी संग अन्य भाषाभाषीक सहोदरी बढ़य – सहकार्य बढ़य आ परस्पर सहयोग सँ म्युचुअल बेनिफिट्स सेहो बढ़य – से लक्ष्य अछि ।