भीषण ऐगलग्गी सँ करोड़ोंक क्षतिः मस्जिद केँ सेहो नुक्सान

साभार तारडीह न्युज – अप्रैल ११, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

thengaha katahaaraaविगत दुइ-तीन दिन सँ मिथिलाक विभिन्न ठाम सँ भीषण ऐगलग्गीक सूचना प्राप्त भऽ रहल अछि। दरभंगाक बेनीपुर प्रखंडक पौरी गाम मे भेल ऐगलग्गीक सूचना समाचार मार्फत पहिनहि प्रकाशित कैल जा चुकल अछि। ओही दिन नेपालक मिथिलाक सुनसरी जिला मे इनरुवाक आसपास चिरौली गाम मे सेहो भीषण ऐगलग्गी सँ करोड़ोंक संपत्ति आ सैकड़ों घर डहि जेबाक समाचार भेटल छल। आर आइ रात्रिकाल मे दरभंगा जिलाक तारडीह प्रखंडक ठेंगहा पंचायतक कठहारा गाम मे सेहो अतिभीषण ऐगलग्गीक खबैर प्राप्त भेल अछि। एहि तिनू खबैर मे एकटा खराप संयोग ई देखल गेल जे हरेक ठाम मुसलमानक वस्ती सँ आगि आरम्भ भेल आ फेर सौंसे गाम केँ अपन धाह मे लपेट लेलक। कतहु बीड़ी पीबिकय नारक टाल सँ आगि लागल तऽ कतहु चाहक दोकानक चिन्गारी सँ…. मुदा ई दुखद दुर्घटना मे जान-मालक क्षति नहि भेल यैह टा एकटा सुखक बात कहि सकैत छी।

काल्हि १० अप्रैल ठेंगहा पंचायतक कठहारा गाम मे आगि लगला सँ लगभग चारि सौ घर जरिकय खाख भऽ गेल। तेज पछबा हवाक लपेटा मे आगि लगभग दुइ बजे दुपहरियाक समय मे लागल। धीरे-धीरे आगि गामक आधा आबादी केँ अपन चपेट मे लऽ लेलक आर धू-धू कय केँ घर सब जरिकय खख्स्याह होमय लागल।

बेनीपुर सँ पहुंचल एकटा अग्निशामक वाहन ऊंट केर मुंह मे जीरक फोरन वाली कहाबत सिद्ध भेल। स्थानीय लोकक मदद सँ पानि ख़त्म भेला पर हौंडा दमकल सँ मरल जाएत छल आ फेर आगि मिझेबाक प्रयास कैल जाएत रहल। मुदा ताबत काल धरि गामक आधा आबादी केँ आगि अपन ग्रास बना चुकल छल।

आग लगबाक कारण करोड़ोंक सम्पति जरि कय नाश भऽ गेल। ओहि ठाम स्थित मस्जिद मे सेहो आगि लागि गेल। ओतुका सब सामान जरिकय छाउर बनि गेल, आर मस्जिदक छत सेहो फाटि गेल।

प्रखंड प्रशासन और सकत पुर थाना दल-बल केर संग घटना स्थल पर पहुँचिकय आगि पर नियंत्रण पेबाक दिशा मे दिमाग लगबैत देखल गेल। बीडीओ महताब अंसारी स्वयं सेहो आगि मिझेबा मे लागल रहला। 

आगि लगबाक कारण स्थानीय जनताक कहब मुताबिक मो० मूसा केर घरक पास सँ चाय बनेबाक लेल पजारल चुल्हिक आगि केँ कहल जा रहल अछि। समाचार लिखय जेबाक समय धरि आगि पर नियंत्रण पेबाक लेल दोसर अग्निशामक वाहन सेहो पहुंचि गेल छल। तैयो आगि पर नियंत्रण नहि भऽ सकल समाचार भेटल। कोनो प्रकारक जानमाल केर नोकसानक खबैर एखन धरि केम्हरो सँ नहि सुनाइ देलक अछि।