Search

नाटक हिन्दी मे, कलाकार मिथिला सँः मुम्बई मैथिल समाज

रवि कुमार मण्डल ‘मिथिला’, मुम्बई। अप्रैल १०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mumbai natak2काल्हि मुम्बई केर प्रबोधन ठाकरे सभागृह मे एकटा अद्भुत नाटक देखाओल गेल। क्रमशः विलोपोन्मुख नाटक विधाक मनोरंजनात्मक कार्यक्रम एहि तरहें फिल्मी दुनियाक राजधानी मुम्बई मे आयोजित होयब आ ताहि मे बहुल्य कलाकार मिथिलाक्षेत्रहि सँ होयब – मुम्बई मैथिल्स समाज लेल एकटा जोशगर आ अद्भुत अनुभूतिक क्षण प्रदान केलक।
एहि मैथिल कलाकार केर समूह मे एकटा मराठी तथा एकटा बंगाली कलाकार सेहो सहभागी छलाह। संजय सहाय द्वारा लिखित आ विमल झा द्वारा निर्देशित नाटक ‘जाँच पड़ताल’ – एक सामाजिक-राजनीतिक हास्य नाटक केर प्रदर्शन सोपान नामक संस्था द्वारा कैल गेल छल।
नाटक भ्रष्टाचार विरुद्ध एक अभियान केर रूप मे प्रदर्शित भेल बुझायल। प्रस्तुतिक शैली मे पूर्ण बिहारी तौर-तरीका निहित छल। आइ-काल्हिक युग मे भ्रष्ट नेता द्वारा भ्रष्टाचारी तऽ कैल जाएत अछि, आर जखन सीबीआइ केर अनुसंधानक बात होएत अछि तऽ ओ भ्रष्ट नेता अपन बचाव लेल कोनो बियौंत करबा सँ वंचित नहि रहैत छथि। वर्तमान नाटक मे एहने एकटा भ्रष्ट नेता अपन परिवार तक केँ ओहि सीबीआइ अधिकारी लेल सौंपिकय बचबाक चेष्टा करैत छथि, मुदा बाद मे पता चलैत छन्हि जे ओ सीबीआइ अफिसर सेहो नकली छल, ओ एकटा ठग छल। एहि सब प्रकरण केँ जबरदस्त अभिनय आ संवादक माध्यम सँ अत्यन्त रोचक आ हास्यमय ढंग सँ प्रस्तुत कैल गेल छल।
नाटक मे निर्देशक विमल झा स्वयं अभिनय सेहो कएने छथि। हिनकर अभिनयक संग प्रकाश चन्द्र झा व समस्त टोलीक प्रदर्शनक सराहना दर्शक लोकनि करैत नहि थाकि रहल छलाह। नाटकक लेखक सहायजी सेहो एतय उपस्थित छलाह। तहिना दर्शक लोकनि मे खासतौर पर आमंत्रित नगर सेविका पुतुल रविन्द्र झा अपन समाजसेवी पति रविन्द्र झा आ मैथिली-मिथिला अभियानी मे रवि मंडल, कुणाल ठाकुर, महेश मिश्रा, हिरेन्द्र कुमार झा, ललित झा आ मनोरमा मिश्र आदि प्रमुख छलाह।

Related Articles