राम बाबु सिंह, मधेपुर। अप्रैल ९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
“चैती दुर्गापूजा मधेपुर”

ओतय विद्वान पण्डित लोकैन द्वारा मंत्रोच्चारण सँ माँ दुर्गा जी केर भव्य प्रतिमा केँ प्राण प्रतिष्ठा संगहि पञ्च कलश केर स्थापना कयल गेल। वैदिक मंत्रोच्चारण केर संग माँ भगवतीक पूजा आराधना विधिवत रूपेण प्रारम्भ भ गेल। शारदीय नवरात्र केर चैत्र शुक्ल प्रतिपदा में पहिल दिन माता केर प्रथम स्वरूप शैलपुत्रीक पूजा अर्चना कयल गेल।
ग्रामीण लोकनिक संग चारु कातक भक्तगण माँ शक्तिक भक्ति में लीन भेल बुझना जायत अछि। पूजाक पंडाल में श्रद्धालुगण केर भीड़ उमरि पड़ल अछि। एखन गाम-इलाका मे सगरो दिशा मे श्रद्धा भक्तिक समागम देखल जा रहल अछि।
माँ भगवती अपन असीम अनुकम्पा दुर्गापूजा समिति मधेपुर संगहि सब लोकैन पर बनेने रहथि हमर अशेष आकांक्षा अछि। जय माता जी। जय मैथिल जय मिथिला जय जय मैथिली।