Search

प्रवीण नारायण चौधरी

मिथिला मे नमो-नमो: प्रधानमंत्री मोदी, पाग आ मिथिला अभियानी लोकनिक भावना-शब्द

किसलय कृष्ण, सहरसा। अगस्त १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! आइ सहरसा मे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक आगमन सँ माहौल पूर्णरूपेण मिथिलामय बनि गेल छल। एक दिस प्रधानमंत्रीक स्वागत सत्कार लेल मिथिला प्रसिद्ध अतिथि-सत्कार तऽ दोसर दिस प्रधानमंत्री द्वारा हुनका देखलय लेल उमड़ल अपार जनसमुदाय केँ अभिवादनशीलता प्रदर्शन मे प्रयुक्त मैथिलीक किछु पाँति – सौंसे माहौल केँ मिथिला-मैथिलीक मिथिला मे नमो-नमो: प्रधानमंत्री मोदी, पाग आ मिथिला अभियानी लोकनिक भावना-शब्द

मिथिलाक धरतीपर प्रधानमंत्रीक स्वागत पूर्ण मिथिलांग मे

किसलय कृष्ण, सहरसा। अगस्त १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक पावन प्रांगण मे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक स्वागत आयोजकवर्ग द्वारा पूर्ण मिथिला पद्धति सँ कैल गेल। एयरपोर्ट पर मखानक माला सँ पीएम केर स्वागत करबाक लेल छातापुर सँ विधायक नीरज कुमार सिंह उर्फ बबलू द्वारा भेल। ओतहि लाखों लोकक अपार जनसमूहक सोझाँ सजल-धजल मंच पर मिथिला संस्कृति मिथिलाक धरतीपर प्रधानमंत्रीक स्वागत पूर्ण मिथिलांग मे

विकासक नव इतिहास रचत भाजपा: सहरसा मे कहलैन प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी

अमित आनन्द, सहरसा। अगस्त १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! सहरसा केर जनसभा केँ संबोधित करैत प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी अपन दल भारतीय जनता पार्टीक चर्चा बैढ-चैढकय केलनि। ओ कहला जे भाजपा बिहार मे विकास केर नव इतिहास रचत। नवयुवक केँ रोजगार, कृषक केँ सुरक्षा आर कल्याणकारी योजनाक व्यापक इंतजाम, सुलभ आ सुगम यातायात, शिक्षा, स्वास्थ्य सेवा आदि विकासक नव इतिहास रचत भाजपा: सहरसा मे कहलैन प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी

भारतक ‘प्रथम महिला’ राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जीक धर्मपत्नीक स्वर्गवास

नई दिल्ली, अगस्त १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी केर पत्नी शुभ्रा मुखर्जीक देहावसान आइ भोरे १० बाजिकय ५१ मिनट पर भऽ गेलनि। ओ ७४ साल केर छलीह आ दिल केर मरीज छलीह। पिछले हफ्ता प्रणब ओडिशाक यात्रा पर गेल छलाह, तखनहु पत्नी शुभ्रा केर तबीयत बिगड़ि गेला सँ हुनका अपन दौरा बीच मे रद्द कय लौटय पड़ल भारतक ‘प्रथम महिला’ राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जीक धर्मपत्नीक स्वर्गवास

नास्त्रेदामस केर तेसर विश्वयुद्ध पर भविष्यवाणी सच होमय जा रहल अछि

पेरिस। मैथिली जिन्दाबाद!! फ्रांस मे 16म सदी मे कैल कतेको रास भविष्यवाणी कएनिहार नास्त्रेदमस केर एक आरो भविष्यवाणीक सच होयबाक समय आबि गेल अछि। नास्त्रेदमस 16म शताब्दी मे प्रथम विश्वयुद्ध, द्वितीय विश्वयुद्ध, नेपोलियन केर साम्राज्य समेत तमाम भविष्यवाणी केने छलाह, जे सच साबित भेल अछि। ओ 21म शताब्दी मे तेसर विश्वयुद्ध केर भविष्यवाणी केने छथि, जेकर उद्गम नास्त्रेदामस केर तेसर विश्वयुद्ध पर भविष्यवाणी सच होमय जा रहल अछि

मिथिला केँ बाँटनिहार सावधान!!

के बांटि रहल मिथिलाके…….? – कौशल कुमार, मिथिलावादी अभियानी (अक्सर बिहारक नेता मिथिलाक्षेत्रक अखंडता पर करैत अछि वार, तेकर जरुरी अछि सीधा प्रतिकार, मिथिलाकेँ कियैक कियो बाँटत बीच मझधार!)   जतय देखू ततय लोक एकाकी बनय के फिराकमे अछि देखू स्वयम् पूत मायके बँटै के जुगाड़ मे अछि सीमांचल, अंग, बज्जी आब कॊसी क्षेत्र कहू मिथिला केँ बाँटनिहार सावधान!!

नेपाल मे फेर भड़कल आन्दोलन: १ जन भेल शहीद

निराजन झा, भारदह, सप्तरी। अगस्त १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपाल सरकार द्वारा जारी कैल गेल ६ प्रदेश केर सीमांकन प्रति असहमति आ आक्रोश देखबैत विभिन्न मधेशवादी राजनीतिक दल आ मोर्चा द्वारा पिछला दुइ दिन सँ मधेश (तराई) पूरा बन्द कैल गेल अछि। एक तरफ थारू सबहक पहिचान केँ नकारैत अखण्ड सुदूर पश्चिम मे विरोध तऽ दोसर नेपाल मे फेर भड़कल आन्दोलन: १ जन भेल शहीद

अपन पहिचान: आध्यात्मिक स्वरूप

स्वाध्याय: श्रीमद्भागद्गीता असल ज्ञान – अपन पहिचान – आध्यात्मिक स्वरूप केर जानकारी लेल निम्न श्लोक पर चिन्तन आ तदनुसार स्वाध्याय करू। स्वामी स्वरूपानन्द संपादित श्रीमद्भागवद्गीताक आधार पर अंग्रेजी व्याख्या आ संग मे श्रीरामानुजभाष्य मे वर्णित व्याख्या सँ अनुदित एहि स्वाध्यायांश सँ समस्त पाठक मे समुचित लाभ पहुँचय। महाभूतान्यहङ्कारो बुद्धिरव्यक्‍तमेव च॥ इन्द्रियाणि दशैकं च पञ्च चेन्द्रियगोचराः॥१३-५॥ अपन पहिचान: आध्यात्मिक स्वरूप

भोगेन्द्र शर्मा ‘निर्मल’: सहरसाक मैथिली क्रान्तिदूत

संस्मरण – प्रवीण नारायण चौधरी विद्यापतिधाम – सहरसा केर संस्थापक: भोगेन्द्र शर्मा निर्मल संग पहिल भेंट प्रो. मायानन्द मिश्र स्मृति समारोह – सहरसा मे दर्शन देला मिथिलाक असली जनकरूप ‘भोगेन्द्र शर्मा’ जी! कार्यक्रम केर उद्घोषक श्री किसलय कृष्ण जी सँ हिनक पूर्ण परिचय भेटल, तेकर बाद विशेष परिचय आदरणीय विमल कान्त बाबु केर मुखारवृन्द सँ भोगेन्द्र शर्मा ‘निर्मल’: सहरसाक मैथिली क्रान्तिदूत

कोसीक पेट मे गाँथल लोकक प्रधानमंत्री सँ गोहारि: मिथिलाक विशिष्ट हिन्दी मे मोबाइल पर मोदीसँ

किसलय कृष्ण, समाचार संपादक, मैथिली जिन्दाबाद! सहरसा, अगस्त १७, २०१५. काल्हि प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सहरसाक यात्रा पर चुनावी सभा केँ संबोधन करय लेल आबि रहला अछि। एहेन समय मे निश्चिते ओ अपन दल तथा गठबंधन केर फायदा लेल सियासी अनेको घोषणा करता। एहि क्षेत्रक जनता केर मोन मे कतेको पीड़ा घर केने अछि। कोसीक पाइन कोसीक पेट मे गाँथल लोकक प्रधानमंत्री सँ गोहारि: मिथिलाक विशिष्ट हिन्दी मे मोबाइल पर मोदीसँ