मिथिलाक धरतीपर प्रधानमंत्रीक स्वागत पूर्ण मिथिलांग मे

किसलय कृष्ण, सहरसा। अगस्त १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

pm welcome
फोटो: किसलय कृष्ण, मैथिली जिन्दाबाद

मिथिलाक पावन प्रांगण मे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक स्वागत आयोजकवर्ग द्वारा पूर्ण मिथिला पद्धति सँ कैल गेल। एयरपोर्ट पर मखानक माला सँ पीएम केर स्वागत करबाक लेल छातापुर सँ विधायक नीरज कुमार सिंह उर्फ बबलू द्वारा भेल। ओतहि लाखों लोकक अपार जनसमूहक सोझाँ सजल-धजल मंच पर मिथिला संस्कृति उच्च प्रतीक चिह्न पाग पहिराबैत प्रधानमंत्री केँ स्वागत केलनि सहरसा विधायक आलोक रंजन झा, उजियारपुर सांसद नित्यानन्द राय आ सहरसा जिला भाजपा अध्यक्ष मदन प्रसाद।

पुन: नव-निर्वाचित विधान परिषद् सदस्य नुतन सिंह द्वारा मंच पर प्रधानमंत्री मोदी केँ फेर सँ एकटा विशाल मखानक माला पहिराकय भाव-विभोर कय देल गेलनि। एहि अवसर पर संपूर्ण मिथिला मे अत्यन्त उच्च आस्था सँ पूजल जायवाली देवी ‘माँ उग्रतारा भगबती’क स्वरूप केर एकटा प्रतिमूर्ति आ मिथिला चित्रकला सँ सजल दोपटा सेहो प्रधानमंत्री के भेंट कैल गेल। एतबा नहि, प्रधानमंत्री मोदी केर खास स्वागत मे पियल जायवला पानिक बोतल पर पर्यन्त प्रधानमंत्री मोदीक सुन्दर ओजस्वी तस्वीर उकेरिकय प्रस्तुत कैल जेबाक महत्वपूर्ण कार्य आयोजकवर्ग द्वारा कैल गेल।

एतेक मधुर भाव आ हृदयक गहिंराई सँ स्वागत-सम्मान होइत देखि प्रधानमंत्री मोदी विभोर होइत अपन संबोधनक शुरुआते मे कहला जे “हम मिथिला भूमि मे आबि, हम गद्गद् छी। अहाँ सब केर बेर-बेर प्रणाम!” एतेक सुनिते उपस्थित जनसमुदाय मे बड पैघ उर्जाक संचरण भेल आ विशाल जनसमूह द्वारा थोपड़ी आ जयकाराक गड़गड़ाहट मे प्रधानमंत्री अपन आगाँक बात पूरा केला। विदित हो जे एहि सँ पूर्वो अपना केँ प्रधानमंत्रीक उम्मीदवारक रूप मे जहिया प्रस्तुत करैत नरेन्द्र मोदीजी आयल छलाह तहियो एहि क्षेत्रक जनता द्वारा किछु यैह तरहक विशिष्ट मिथिलांग सहित हुनकर भव्य स्वागत कैल गेल छलन्हि।

वर्तमान समय बिहार मे निश्चित तौर पर परिवर्तनक एकटा वयार चलि रहल छैक। कारण विद्यमान् सरकार केर किछु गतिविधि सँ प्रदेशक जनता मे असंतोष तऽ छहिये, पैछला समय भाजपा सँ गठबंधन तोड़ि लालू संग नव गठबंधन जोड़बाक बात केँ अधिकांश जनता नकारि सेहो देने छैक। आब अन्तिम सत्य तऽ चुनावक बादे पता चलत, धरि वातावरण मे मोदीक प्रभाव किछु पूर्वहि समान आइयो ओहिना बनल छैक। खास कय तखन जखन केन्द्र मे सेहो मोदीक मजबूत सरकार केर शासन विद्यमान् छैक।