नेपाल मे फेर भड़कल आन्दोलन: १ जन भेल शहीद

नेपाल मे फेर भड़कल मधेश आन्दोलन - १ शहीद दर्जनों घायल

निराजन झा, भारदह, सप्तरी। अगस्त १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

shahid raut bhardahनेपाल सरकार द्वारा जारी कैल गेल ६ प्रदेश केर सीमांकन प्रति असहमति आ आक्रोश देखबैत विभिन्न मधेशवादी राजनीतिक दल आ मोर्चा द्वारा पिछला दुइ दिन सँ मधेश (तराई) पूरा बन्द कैल गेल अछि। एक तरफ थारू सबहक पहिचान केँ नकारैत अखण्ड सुदूर पश्चिम मे विरोध तऽ दोसर दिस पूर्वी मधेश मे परसा सँ सप्तरी धरि मात्र ८ जिल्लाक प्रदेश नंबर २ केर सीमा प्रति असंतोषक परिणामस्वरूप एक बेर फेर सँ मधेश तथा थरुहट प्रदेश लेल आन्दोलन विस्फोटक रूप लय रहल अछि। पश्चिम मे थरुहट प्रदेश केर स्थापना आ पूर्व मे परसा सँ झापा धरिक मधेश केर स्थापनाक माँग जोर पकड़ि लेने अछि। दोसर तरफ सरकार अपनहि जिद्द पर अड़ल केवल शान्ति लेल ‘पुनर्विचार करैत सीमांकन फेर सँ करबाक’ बात कहि रहल अछि।

सप्तरी केर भारदह मे स्थिति अनियंत्रित

विभिन्न समाचार स्रोतक अनुसार प्रहरी द्वारा आन्दोलनकारी केँ सड़क सँ हँटेबाक आ बन्दी केर प्रतिकार करबाक कारणे चलायल गेल गोली आ आँसू-गैस सँ आन्दोलनकारी केर शहादति आ घायल होयबाक खबड़ि आयल अछि। गोली लगला सँ भारदह गाविस–१ निवासी संघीय समाजवादी फोरम नेपालक कार्यकर्ता राजीव कुमार राउत केर मृत्यु भेलैक अछि। तहिना प्रहरीक गोली सँ भारदह–१ निवासी १७ वर्षीय सत्यनारायण राउत, ३५ वर्षीय सुरेन्द्रकुमार मण्डल, १६ वर्षीय अपक साह, भारदह–२ केर ४३ वर्षीय देवनारायण विश्वास, आर १९ वर्षीय गोपालराज मण्डल शिकस्त घायल होयबाक खबैड़ अछि।

आन्दोलकारी उपर प्रहरीक अन्धाधुन्ध लाठीचार्ज सँ संघीय फोरम नेपालक केन्द्रिय सदस्य शैलेन्द्रप्रसाद साह, जिल्ला अध्यक्ष तथा मोर्चाक संयोजक दिनेश यादव सहित दर्जनौं नेता तथा कार्यकर्ता घायल भेल अछि। प्रहरी भीड केँ नियन्त्रण मे लेबाक लेल दर्जनौं राउन्ड गोली फायर केलक आ संगहि अश्रु ग्यास सेहो प्रहार केलक अछि।

ओम्हर सप्तरी प्रहरी उपरीक्षक शिशिर कुमार कर्माचार्य केर अनुसार अवरुद्ध राजमार्ग खुलेबाक लेल गेल गेल प्रहरी ऊपर आन्दोलनकारी सब रोड़ा-पाथर तथा पेट्रोल बम्ब प्रहार केलाक बाद जबाबी कार्रबाई मे प्रहरी द्वारा लाठीचार्ज आर हवाइ फायर कैल गेल बतौलनि। मुदा गोली सँ एखन धरि केकरो मृत्यु नहि होयबाक बात सेहो बतौलनि।