पेरिस। मैथिली जिन्दाबाद!!
फ्रांस मे 16म सदी मे कैल कतेको रास भविष्यवाणी कएनिहार नास्त्रेदमस केर एक आरो भविष्यवाणीक सच होयबाक समय आबि गेल अछि। नास्त्रेदमस 16म शताब्दी मे प्रथम विश्वयुद्ध, द्वितीय विश्वयुद्ध, नेपोलियन केर साम्राज्य समेत तमाम भविष्यवाणी केने छलाह, जे सच साबित भेल अछि।
ओ 21म शताब्दी मे तेसर विश्वयुद्ध केर भविष्यवाणी केने छथि, जेकर उद्गम ओ मेसोपेटामिया (आधुनिक इराक-सीरिया) केँ कहने छलाह। नास्त्रेदमस केर भविष्यवाणीक मुताबिक मेसोपेटामिया केर पवित्र भूमि सँ ईश्वर केर तेसर विरोधी केर उत्थानक बात कहल गेल छल, जे एखन धरि आईएसआईएस केर रूप मे सच होइत नजर आबि रहल अछि।

Kashmiri demonstrators hold up a flag of the Islamic State of Iraq and the Levant (ISIL) during a demonstration against Israeli military operations in Gaza, in downtown Srinagar on July 18, 2014. The death toll in Gaza hit 265 as Israel pressed a ground offensive on the 11th day of an assault aimed at stamping out rocket fire, medics said. AFP PHOTO/Tauseef MUSTAFA (Photo credit should read TAUSEEF MUSTAFA/AFP/Getty Images)
ई नास्त्रेदमस केर भविष्यवाणी छल, जे कहने छलाह कि नेपोलियन और हिटलर जेहेन ईश्वरविरोधी दुनियाक बड़ पैघ भाग मे खून बहाओत। भेलो तहिना। नेपोलियन समूचा यूरोप मे मारकाट मचेलक और फ्रांस केर साम्राज्य केँ विस्तार देलक। तहिना हिटलर सेहो दुनिया संग व्यवहार केलक। आब आईएसआईएस केर रूप मे तीसरे सबसँ पैघ ईश्वर विरोधी केर उद्भव भऽ चुकल अछि। नास्त्रेदमस केर भविष्यवाणीक अगर इतिहासकार और विशेषज्ञ केर नजरि सँ देखी, तँ नास्त्रेदमस तृतीय विश्वयुद्ध केर संभावित समय 2042 बतौलनि अछि, जखन कि ओहि सँ 27 साल पहिले ईश्वर केर एहि शक्तिशाली विरोधी (आईएसआईएस) बढ़िकय सोझाँ आबि गेल अछि।
नास्त्रेदमस केर भविष्यवाणी केँ लऽ कय चलयवाली एक वेबसाइट पर दावा कैल गेल अछि जे तृतीय विश्वयुद्ध सँ पहिले पूरा दुनिया बड़का मारिकाटि देखत, जे 27 साल धरि चलत। ताहि हिसाब सँ साल 2015 टा ओ समय थीक। और दुर्योग देखू जे आईएसआईएस अही साल दुनिया पर कब्जा केर अपन साजिश पेश केलक अछि, जाहि मे यूरोप, एशिया और अफ्रीका केर पैघ हिस्सा पर कब्जा करबाक रणनीति केँ बतायल गेल अछि।
नास्त्रेदमस केर भविष्यवाणी केर बारे मे वेबसाइट द्वारा कहल गेल अछि जे नास्त्रेदमस ओहि शैतानी शक्ति केर प्रतीक कारी रंग केर कहने छलाह, और आईएसआईएस केर झंडाक रंग सेहो कारिये अछि। ओतहि ओकर लड़ाका सेहो कारी पोशाक पहिरने नजरि अबैत अछि। फिलहाल आईएसआईएस दुनियाक सबसँ ताकतवर और अमीर आतंकी संगठन थीक।
(स्रोत: आइबीएन समाचार)

1 Comment
atiitak ghatna aa bartmanak swarup sa bhabishyak andaj samanyatah sab lagbait chhai. jahi sa ekar sambhavna ta achhiye. dosar baat je lok boot aa bartmanak nakaratmak pahalu ke dekhait saakanshh bha gel ta bhabishyabani fuiso bha sakaichh, muda apna k nirmal buijh dhar me bahait chhoir deb ta je hebak se hebe karat. onahiyo samast duniya me kakro sa kakro prem ta chhaihe nai, sabta lupt aichh. swarthak khaatir kiyo kakro sa samanjasya rakhait aichh. dekhal jai ta biswa yudh chaliye rahal aichh, han dhamgajjair hebak sambhavna se inkar nai kail ja sakaichh