Search

प्रवीण नारायण चौधरी

मिथिला मे जातीय वर्गीकरणक ठोस आधार: सामाजिक सौहार्द्रक नामहि टा बाँचल अछि

विशेष संपादकीय चुनावक बेर आ जाति-पाति पर चर्चा – ई तऽ आम बात बनि गेल अछि वर्तमान मे। एक सँ बढिकय एक पोलिटिकल पण्डित सब सेहो बिना जातीय समीकरण आ जातीय आधारित जनसंख्या केर आंकड़ा गनने-बुझने कोनो आकलन-व्यकलन करय सँ परहेज करैत छथि। किछु अक्खड़ जातिवादी राजनीति केनिहार तऽ खुलेआम जनसंख्या आधारित जनगणना केर माँग मिथिला मे जातीय वर्गीकरणक ठोस आधार: सामाजिक सौहार्द्रक नामहि टा बाँचल अछि

मैथिली सहित सब नेपालदेशीय मातृभाषा राष्ट्रभाषा भेल: संविधान सभा प्रक्रियाक अन्तिम चरण

काठमांडु, सितम्बर १४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपाल मे तेजी सँ बदैल रहल राजनैतिक परिवेश मे एक तरफ आन्दोलनी पक्ष द्वारा संविधानक प्रक्रिया रोकि पूर्व मे कैल गेल विभिन्न समझौता केँ लागू करबाक मांग कैल जा रहल अछि, तऽ दोसर तरफ राष्ट्रीय मुख्य राजनीतिक शक्ति द्वारा वगैर कोनो सुनवाई केने संविधान सभा मे प्रक्रिया मार्फत मात्र मैथिली सहित सब नेपालदेशीय मातृभाषा राष्ट्रभाषा भेल: संविधान सभा प्रक्रियाक अन्तिम चरण

समर्थन कम घमर्थन बेसी: मैथिल जनताक स्वभाव सँ मिथिलाक्षेत्रक विपन्नता

जनप्रतिनिधि आइयो मिथिलाक्षेत्र मे ओतबे संख्या मे छैक, चाहे पंचायत हो या प्रखंड या जिला या प्रमंडल। सरकारी कामकाजी हाकिम-हुकुम सँ लैत प्रशासनक हरेक तह मे लोक ओहिना छैक जेना बाकी बिहार मे। न्यायपालिका सेहो समान स्तर सँ न्याय देबाक मन्दिर खोलिकय काज कय रहलैक अछि। लोकतंत्रक चारिम खंभा मानल जायवला संचार क्षेत्र सेहो एतय समर्थन कम घमर्थन बेसी: मैथिल जनताक स्वभाव सँ मिथिलाक्षेत्रक विपन्नता

बनगाँव केर विशिष्ट कृष्णाष्टमी समारोह

राहुल झा, बनगाँव, सहरसा। सितम्बर ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक एक सुप्रसिद्ध गाम – विद्वान् तथा कुशल जनशक्तिक मूल भूमि – बनगाँव, सहरसा जिला मे कृष्ण जन्मोत्स्व लगभग १७०० ई. सँ मनायल जा रहल अछि। कहियो गामक एकमात्र ब्राह्मण परिवार (मूल सरिसवे) द्वारा कैल जा रहल छल जेकरा बाद मे बाबाजी (लक्ष्मीनाथ गोसाईं) केर सुझाव-निर्देशानुसार समूचा बनगाँव केर विशिष्ट कृष्णाष्टमी समारोह

मैथिली उपन्यास ‘घुरि आउ मान्या’ केर विमोचन पटना मे

अमित आनन्द तथा राकेश झा ‘जीएस गुरु’, पटना। सितम्बर ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! श्याम दरिहरे रचित मैथिली उपन्यास ‘घुरि आउ मान्या’ केर विमोचन आइ ए. एन. सिन्हा इन्स्टीच्युट, पटनाक निदेशक डॉ डी. एम. दिवाकर केर कर-कमल सँ कैल गेल। विमोचन समारोह केर आयोजन सेहो ए. एन. सिन्हा इन्स्टीच्युट केर सभागार मे भेल। एहि पोथी पर चर्चा-परिचर्चाक क्रम मे मैथिली उपन्यास ‘घुरि आउ मान्या’ केर विमोचन पटना मे

विराटनगर मे ऐतिहासिक पारंपरिक रथयात्रा प्रारंभ

विराटनगर, सितम्बर ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! जन्माष्टमीक प्रात दिन तिनपैनी (विराटनगर) स्थित अति प्राचीन राधाकृष्ण मन्दिर सँ शुरु करैत विराटनगर बजार आ धरान रोड होइत कुल १० किमी जतेक परिक्रमा यात्रा केर रथयात्रा ससमय ३ बजे सँ प्रारंभ भऽ गेल अछि। एहि बेर आयोजक समिति द्वारा अत्यन्त वृहत् आयोजन कैल गेल अछि। जुलूस-झाँकी मे विभिन्न विराटनगर मे ऐतिहासिक पारंपरिक रथयात्रा प्रारंभ

बच्चा मे भगवानक दर्शन

कृष्णाष्टमी विशेष बाल्यकाल मे भगवद्भक्ति आ बाल-मनोविज्ञान बच्चा मे भगवान् केर वास कहल जाइछ – ताहि बातक प्रत्यक्ष प्रमाण ई बच्चा प्रस्तुत कय रहल अछि। भगवान् केर नाम सँ स्वत: प्रेम आ जयकारा बच्चा सबहक प्रकृति मे रहैत छैक। जहिना बच्चा मे अपन माता-पिता आ नजदीक रहनिहार, सदिखन भेंट होनिहार लोक सब सँ स्नेह उत्पन्न बच्चा मे भगवानक दर्शन

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् द्वारा संस्कृत दिवस समारोहक आयोजन सरायकेला मे

अमलेश झा, जमशेदपुर। सितम्बर ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् सरायकेला-खरसावाँ के द्वारा आयोजित संस्कृत दिवस समारोह दिनांक 29.08.2015 केँ गम्हरिया स्थित ज्ञानज्योति विद्यालय मे मनाओल गेल छल जाहि मे मुख्य अतिथि श्री विद्युत् वरण महतो माननीय सांसद जमशेदपुर सेहो संग छलाह। ओहि दिन सरायकेला जिलाक नव कार्यकारिणीक सेहो घोषणा कैल गेल। नव कार्यकारिणी अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् द्वारा संस्कृत दिवस समारोहक आयोजन सरायकेला मे

जनकपुर मे मधेशद्रोही विनाशक महायज्ञ संपन्न

जनकपुर। सितम्बर ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! चीर-परिचित मैथिल अभियानी, साहित्यकर्मी, संचारकर्मी एवं समाजसेवी शिक्षाविद् श्यामसुन्दर शशि जनकपुर अपन फेसबुक अपडेट द्वारा जानकारी करौलनि अछि जे जनकपुर मे मैथिल ब्राह्मण समाज नेपाल (परिवार) द्वारा हवन कुंड मे विधिवत् मंत्रोच्चारणक संग ‘मधेश विरोधी सबहक खोप सहित कबुतराय स्वाहा’ केर जाप करैत महायज्ञक आयोजन कैल गेल छल। विदित जनकपुर मे मधेशद्रोही विनाशक महायज्ञ संपन्न

कृष्ण जन्माष्टमी विशेष: बालरूप कृष्ण केर साक्षात् दर्शन

विराटनगर, सितम्बर ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! आइ संपूर्ण हिन्दू धर्मावलम्बी लोकनि भगवान् श्रीकृष्ण केर जन्माष्टमी मना रहल अछि। भाद्र महीनाक कृष्ण पक्षक अष्टमी, यानि भगवान् श्रीकृष्ण केर जन्मदिन, ठीक मध्यरात्रि १२ बजे एक बेर संपूर्ण मन्दिर मे पर्दा हँटत, आ आरती, घड़ीघंट, शंख, ढोल, नगारा आदिक संग धूप-अगर आदिक सुगंधित वातावरण मे भक्तजन जयकारा लगबैत कृष्ण जन्माष्टमी विशेष: बालरूप कृष्ण केर साक्षात् दर्शन