राहुल झा, बनगाँव, सहरसा। सितम्बर ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलाक एक सुप्रसिद्ध गाम – विद्वान् तथा कुशल जनशक्तिक मूल भूमि – बनगाँव, सहरसा जिला मे कृष्ण जन्मोत्स्व लगभग १७०० ई. सँ मनायल जा रहल अछि। कहियो गामक एकमात्र ब्राह्मण परिवार (मूल सरिसवे) द्वारा कैल जा रहल छल जेकरा बाद मे बाबाजी (लक्ष्मीनाथ गोसाईं) केर सुझाव-निर्देशानुसार समूचा गाम मिलिजुलि कय मनाबय लागल। तहिया सँ कृष्णाष्टमी एहि गामक समस्त जनमानसक मुख्य पूजाक रूप मे स्थापित होएबाक किंवदन्ति जगजाहिर अछि।
बनगाँव केर आसपड़ोसक गाम सँ सेहो विशाल संख्या मे ग्रामीण सब एहि ठामक कृष्णाष्टमी देखय लेल अबैत छथि। ई मेला ३ दिन धरि चलैत अछि। एहि अवसर पर सांस्कृतिक नृत्य आदिक आयोजन सेहो कैल जाइछ। तहिना एहि अवसर पर बाबाजीक मनपसन्द खेल कबड्डीक आयोजन कैल जाइछ जाहि मे गामक लोक सामूहिक रूप सँ भाग लैत छथि।
भगवान् श्रीकृष्ण केर नव मूर्ति बनाय विध-विधानपूर्वक पूजा-अर्चना कैल जाइछ। बिसर्जन उपरान्त एहि ठाम कीर्तन आरंभ होइत अछि जे अनंत पूजा धरि चलैत अछि।
शनि दिन ५ सितम्बर केँ बनगाँव बाबाजी कुटी मे आयोजित तीन दिवसीय कृष्ण जन्माष्टमी मेलाक उद्घाटन संत खयाली खां केर बंगला पर मुख्य अतिथि जिला एवं सत्र न्यायाधीश रूद्र प्रकाश मिश्र द्वारा दीप्ति प्रज्ज्वलन करैत कैल गेल। ओ कहला जे बनगाँव साधु-संत केर नगरी थीक जतय संत लक्ष्मीनाथ गोसाईं समान महासंत निवास केलनि। ओ युवा पीढी मे नशाक बढैत प्रचलन पर दु:ख प्रकट करैत अपील केलनि जे नशा मुक्त समाज बनाउ आ गामक ऐतिहासिक महिमा केँ बरकरार राखू। बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाईं द्वारा बनगाँव मे कृष्ण जन्माष्टमी मेलाक शुरूआत कैल गेल छल। ओ लोक सब सँ मेला मे आपसी भाइचारा आ सौहार्द्रता बनेने रहबाक लेल सेहो आग्रह केलनि आ युवा वर्ग सँ सही मार्ग पर अग्रसर होयबाक संकल्प दियौलनि।
समारोह केँ अपर सत्र न्यायाधीश अरूण कुमार झा, नन्द किशोर गुप्ता, सब जज ब्रजेश पाणडेय सेहो संबोधित केलनि। समारोहक अध्यक्षता गामक बुजुर्ग शिक्षाविद् तथा नेतरहाट आवासीय विद्यालयक पूर्व प्रधानाध्यापक अभिमन्यु खाँ केलनि आर कार्यक्रमक संचालन विरेन्द्र कुमार झा अनिष द्वारा कैल गेल। अतिथि लोकनि केर स्वागत पाग तथा चादर भेट करैत कैल गेल।
जन्माष्टमीक शुभ अवसरपर बनगाँव नगरी भक्तिमय वातावरण मे आकंठ डूबल अछि। पंडित रघुवंश झा कहलनि जे भगवान् श्री कृष्ण केर अवतार भाद्रपद केर कृष्ण पक्षक अष्टमी तिथिक मध्यरात्रिकाल मे अत्याचारी कंस केर विनाश करबाक लेल भेल छलन्हि। भगवान् स्वयं एहि पृथ्वी पर आजुक दिवस अवतरित भेलाह ताहि कारण आइ कृष्ण जन्माष्टमीक रूप मे मनाओल जाइत अछि। भगवान् कान्हाक मोहक छवि आर रासलीला देखबाक लेल दूर-दूर सँ लोक सब बनगाँव पहुंचल छल। समारोह मे ग्रामीण केर अलावा विधायक डॉ. आलोक रंजन, पूर्व विधायक संजीव झा, सुमन समाज, गणेश झा, प्रो. अरूण खाँ, मुखिया धनंजय झा, शक्ति नाथ मिश्र, गणेश खाँ, अरविन्द मोहन खाँ, साजन खाँ, अधिवक्ता शशि शेखर मिश्र, भोला खाँ, टुन्ना मिश्र, मिहीर झा, मोहन कुमर पाठक, विलास चौधरी, आदिक उपस्थिति रहल छल।