जनकपुर मे मधेशद्रोही विनाशक महायज्ञ संपन्न

जनकपुर। सितम्बर ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

madheshdrohi naashak yagyaचीर-परिचित मैथिल अभियानी, साहित्यकर्मी, संचारकर्मी एवं समाजसेवी शिक्षाविद् श्यामसुन्दर शशि जनकपुर अपन फेसबुक अपडेट द्वारा जानकारी करौलनि अछि जे जनकपुर मे मैथिल ब्राह्मण समाज नेपाल (परिवार) द्वारा हवन कुंड मे विधिवत् मंत्रोच्चारणक संग ‘मधेश विरोधी सबहक खोप सहित कबुतराय स्वाहा’ केर जाप करैत महायज्ञक आयोजन कैल गेल छल। विदित हो जे जनकपुर मे शान्तिपूर्ण आन्दोलनक पैछला समय प्रहरी प्रशासन पर आन्दोलनकारी केँ भड़केबाक आरोप सेहो लगायल गेल छल।

आन्दोलनकारी द्वारा मधेश संग भेल पूर्व मे समझौता केँ लागू करबाक माँग सहित नागरिकता कानून मे विभेदक अन्त आ सरकारी निकायक हरेक तह मे समानुपातिक-समावेशिक सहभागिताक अधिकार लेल आइ करीब बीसम दिन लगातार मधेश बन्द राखैत आन्दोलन जारी राखल गेल अछि। सरकार द्वारा वार्ताक आह्वान केलो पर पूर्व-शर्तक रूप मे उपरोक्त बात कहैत हाले टीकापुर मे भेल घटनाक्रमक बाद सेना खटेबाक आदेश केँ फिर्ता लेब कहल गेल अछि। हाल धरि चारि प्रमुख दल द्वारा एहि आन्दोलन केँ संबोधन करबाक लेल कोनो ठोस घोषणा नहि करब आ संविधान सभा द्वारा संशोधन प्रस्ताव मार्फत समाधान तकबाक जिद्दिपूर्ण रवैया सँ नेपालदेशक वर्तमान अत्यन्त दयनीय भेल अछि। विद्यालय, बाट, व्यवसाय, बाजार, बस – सब किछु बन्द अछि जाहि सँ आम जनजीवन ठप्प पड़ि गेल अछि।