अमलेश झा, जमशेदपुर। सितम्बर ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् सरायकेला-खरसावाँ के द्वारा आयोजित संस्कृत दिवस समारोह दिनांक 29.08.2015 केँ गम्हरिया स्थित ज्ञानज्योति विद्यालय मे मनाओल गेल छल जाहि मे मुख्य अतिथि श्री विद्युत् वरण महतो माननीय सांसद जमशेदपुर सेहो संग छलाह।
ओहि दिन सरायकेला जिलाक नव कार्यकारिणीक सेहो घोषणा कैल गेल। नव कार्यकारिणी मे अध्यक्ष संजय शर्मा, महासचिव अश्विनी ठाकुर तथा कोषाध्यक्ष केर रूप मे नवल नारायण चौधरी सहित अन्य कार्यकारिणी सदस्य लोकनि केँ चुनल गेल।
एहि अवसर पर झारखण्ड केर राज्य सरकारक संग-संग भारतीय केन्द्र सरकार सँ झारखण्ड मे संस्कृत विश्वविद्यालय स्थापना करबाक माँग कैल गेल।
मैथिली जिन्दाबाद पर कनेक देरी सँ समाचार उपलब्ध करेबाक लेल क्षमाप्रार्थनाक संग!!