Search

प्रवीण नारायण चौधरी

ई सब कि भऽ रहलैक अछिः मिथिलाक कि सब बचत, कि सब मरत

मिथिलांचल: मिथिला में मैथिलीक दुर्दशा जेना कारी अक्षर भैस बराबर – राम बाबु सिंह, मधेपुर (कलुआही) – हालः दिल्ली सँ धन्य छथि मैथिल धन्य छथि मिथिलांचल में रहनिहार वा रहनिहारि आ हिनकर सभक आत्म दर्शन आत्म चिंतन आत्म मन्थन ? स्वपोषित आ स्वघोषित कार्यक्रम के संग अपन टाँग उपर राखय आ चमकाबक लेल अविरल काज ई सब कि भऽ रहलैक अछिः मिथिलाक कि सब बचत, कि सब मरत

चुनावः घृणास्पद जाति-पाति मे सामाजिक विखंडन आ पैसाक खेल

चुनाव में जाति पाति आ पैसाक खेल !! – आशुतोष चौधरी, नदियामी (हालः कोलंबो, श्रीलंका) वर्तमान समय में अपना देश में कोनो टा चुनाव चाहे ओ ग्राम पंचायत केर हो या विधान सभा, लोक सभा या बहुतो एहेन चुनाव जे लोकतान्त्रिक प्रक्रिया के अनुरूप होयत अइछ जाहि में नकदी, शराब और अन्य तरहक उपहार द चुनावः घृणास्पद जाति-पाति मे सामाजिक विखंडन आ पैसाक खेल

ई आगि मिझाय नहिः दहेज मुक्त मिथिलाक लहरी जोर पर

मिथिला समाज मे ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केर लहर – राम बाबु सिंह, मधेपुर (कलुआही) – हाल दिल्ली सँ विवाह संस्कार आ दहेज़ दुनु मिथिलांचल के घरे घर घुसल छैक। मोन मस्तिष्क विवाह के संग दहेज़ स्वतः आबि जाइछ। अतेक शिक्षित भेलाक बादो एखनहुँ समाज में विवाह में माल जाल जेकाँ दाम लगैत छैक जेना कुनु ई आगि मिझाय नहिः दहेज मुक्त मिथिलाक लहरी जोर पर

गीताः योग केहेन आ कोना करब

गीताक तेसर बेरुक स्वाध्याय   (निरंतरता मे… अध्याय ६ – यथार्थ योग ज्ञान – संन्यासी एवं योगीक चरित्र-चित्रण करैत भगवान् श्रीकृष्ण – एहि सँ पूर्वहि श्लोक १ सँ १० मे मनुष्य केँ अपन मित्र आ शत्रु स्वयं होयबाक बात कहलनि, जे अपना आप पर विजय प्राप्त करैछ, आर समबुद्धिवाला होएछ, ओ नित्य परमात्माप्राप्ति करैछ… आगू) गीताः योग केहेन आ कोना करब

भारतीय राजनीति मे कन्हैया कोना बनैत अछि हिरो

राजनीति – यानि राज्य केर संचालन करबाक वास्ते जे नीति बनैछ वैह भेल मोट मे राजनीति। भारत गणराज्य स्वतंत्र भेलाक बाद लगभग ७ दसक पूरा करय जा रहल अछि। जनताक चुनल सरकार आ संविधान द्वारा शासित संघीय गणतंत्र थीक भारत। सत्ताक प्राप्ति लेल बहुदलीय व्यवस्था अछि। चुनाव आयोग समान स्वायत्तशासी संस्था द्वारा चुनाव निष्पादन कैल भारतीय राजनीति मे कन्हैया कोना बनैत अछि हिरो

कोलकाता मे अकासतर बैसकीः गंगाक कोरा मे मैथिल स्रष्टा

कोलकाता, मई ३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! २०१६ केर चारिम ‘अकास तर बैसकी’ स्रष्टा चन्दनकुमार झा केर संयोजन मे सफलतापूर्वक संपन्न भेल। निज मजदूर दिवस केर दिन पवित्र देवनदी गंगाक कोरा मे नाव पर बैसि दर्जनों मैथिल स्रष्टा लोकनि अपन-अपन रचना पाठ केलनि। साहित्यिक चर्चा भेल। आगामी समय मे आरो वरीयताक संग साहित्यसेवा केँ निरंतरता देल कोलकाता मे अकासतर बैसकीः गंगाक कोरा मे मैथिल स्रष्टा

साहित्यांगन केर चारिम कीर्तिकुम्भ झंझारपुर मे संपन्न

झंझारपुर, मधुबनी। मई २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!  साहित्याङ्गनक चारिम कीर्तिकुम्भ, जे कथाकार ललित पर केन्द्रित छल ओ 30 अप्रैल केँ झंझारपुर मे सम्पन्न भेल। एहि आङ्न मे पहिल-पहिल तीन रचनाकार अयलाह जाहि मे कथाकार अशोक झा जे समारोहक अध्यक्षता केलन्हि, डा. तारानन्द बियोगी जे मुख्य अतिथि छलाह आ संगहि पत्रकार सच्चिदानन्द सच्चू केर उपस्थिति छल। आयोजन साहित्यांगन केर चारिम कीर्तिकुम्भ झंझारपुर मे संपन्न

जनकपुर-भिट्ठामोड़ सड़क निर्माण लेल आन्दोलन तेज

भिट्ठामोड़, मई २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! विगत किछु दिन सँ भिट्ठामोड़-जनकपुर सड़क केर निर्माण कार्य शीघ्र पूरा करेबाक लेल स्थानीय वासिन्दा सब द्वारा ठाम-ठाम पर धरना-प्रदर्शनक संग आन्दोलनक अन्य स्वरूप द्वारा माँग कैल जाय लागल अछि जे ‘जनकपुर-भिट्ठामोड़ सड़क निर्माण कार्य शुरु कर या फाँसी – किस्ताबन्दी मे मृत्यु नञ चाही’। एहि अभियान केँ सड़क जनकपुर-भिट्ठामोड़ सड़क निर्माण लेल आन्दोलन तेज

दहेज मुक्त मिथिला – अभियानक असर चहुँदिस देखाएत अछि

पाँच वर्ष बीतल, छठम् चलि रहल अछि। पहिले वर्ष मे जाहि अन्दाज सँ सौराठक ऐतिहासिक सभागाछी सँ ई अभियान आरम्भ भेल तेकर सकारात्मक असर चारूकात पड़ल। न्युजपेपर केर हेडलाइन सँ सामाजिक संजालक गह-गह मे एकटा मात्र चर्चा स्थान लेलक ओ थीक ‘दहेज मुक्त मिथिला’। जखनहि चर्चा आम होमय लगैत छैक आ कि आलोचक आ विश्लेषक लोकनिक दहेज मुक्त मिथिला – अभियानक असर चहुँदिस देखाएत अछि

मिथिला शहीद केँ श्रद्धाञ्जलिः परिवारक वर्तमान आ भविष्य

जनकपुर, मई २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक अनुपम डेग केर संस्थापक एवं मैथिली-मिथिला केर युवा अभियानी निराजन झा विगत किछु समय सँ जनकपुर केर रामानन्द चौक पर शहादति देनिहार शहीद सबहक परिवार केर वर्तमान आ भविष्य प्रति गंभीर अध्ययन करैत विभिन्न मिडियाक ध्यानाकर्षण करा रहल छथि। संगहि मिथिलाक अनुपम डेग द्वारा मिथिला राज्य केर स्थापना मिथिला शहीद केँ श्रद्धाञ्जलिः परिवारक वर्तमान आ भविष्य