भिट्ठामोड़, मई २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
विगत किछु दिन सँ भिट्ठामोड़-जनकपुर सड़क केर निर्माण कार्य शीघ्र पूरा करेबाक लेल स्थानीय वासिन्दा सब द्वारा ठाम-ठाम पर धरना-प्रदर्शनक संग आन्दोलनक अन्य स्वरूप द्वारा माँग कैल जाय लागल अछि जे ‘जनकपुर-भिट्ठामोड़ सड़क निर्माण कार्य शुरु कर या फाँसी – किस्ताबन्दी मे मृत्यु नञ चाही’।
एहि अभियान केँ सड़क सँ सामाजिक संजाल केर विभिन्न पेज धरि संयोजन कएनिहार मनोज झा ‘मुक्ति’ जानकारी दैत कहलैन अछि जे काल्हि १९ गते यानि १ मई दिनक ९ बजे सँ साढे दस बजे धरि पिपरा/पर्सा पुल पर धरना देल गेल। आइ भोरे ९ बजे सँ साढे दस बजे फेरो पिरकौली चौक पर धरना प्रदर्शन कैल गेल अछि। काल्हि मंगल दिन २१ गते फेर चांदनी चौक सहोरवा मे धरना प्रदर्शन कैल जायत।
एहि धरना प्रदर्शनक माध्यम सँ स्थानीय वासिन्दा नेपाल सरकार केर अवहेलना करयवला विकास कार्यक विरुद्ध चेतनाक प्रसार करबाक संग-संग सड़क दुर्घटना मे पड़ि रहल – घायल भऽ रहल विभिन्न यात्री सबहक परेशानी पर चर्चा करैत छथि। संगहि गर्मीक मास मे धूरा आ बरसात मे थाल-खींचक संग बरसाती बाढि सबहक कारण आबयवला समस्या सँ कोना निपटल जाय ताहि पर सेहो चर्चा सब कय रहल छथि। आन्दोलन आब अन्तिम फैसला अयबाक समय धरि जारी रहबाक जानकारी भेटल अछि।