मिथिला शहीद केँ श्रद्धाञ्जलिः परिवारक वर्तमान आ भविष्य

जनकपुर केर मिथिला शहीदक बचल परिवारक आर्थिक अवस्था दयनीय

जनकपुर, मई २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिलाक अनुपम डेग केर संस्थापक एवं मैथिली-मिथिला केर युवा अभियानी निराजन झा विगत किछु समय सँ जनकपुर केर रामानन्द चौक पर शहादति देनिहार शहीद सबहक परिवार केर वर्तमान आ भविष्य प्रति गंभीर अध्ययन करैत विभिन्न मिडियाक ध्यानाकर्षण करा रहल छथि।

संगहि मिथिलाक अनुपम डेग द्वारा मिथिला राज्य केर स्थापना लेल वर्ष २०१२ मे जनकपुर केर रामानन्द चौक पर राखल गेल धरना मे निज जानकी नवमी तिथि आ अप्रैल ३० केँ बम बिस्फोट करबैत ५ गोटे केँ तत्काल शहीद बना देल गेल छल, जखन कि मिथिला राज्य संघर्ष समितिक संयोजक प्रा. परमेश्वर कापड़ि सहित दर्जनों लोक जिन्दा शहीदक दर्जा प्राप्त कएने छलाह। बिस्फोट एतेक भयंकर छल जेकर चर्चा करैत लोक काँपि उठैत अछि। बाद मे एकर छानबीन कैल गेल आ पता चलल जे किछु आपराधिक समूह आपसी राजनैति रंजिशक चलते आ मिथिला आन्दोलन केँ मधेश आन्दोलनक विरुद्ध मानि एहि तरहक कूकृत्य कएलक। एहि आरोप मे आपराधिक पृष्ठभूमिक एक कुख्यात नेता आ नेपाल सद्भावना पार्टी – राजेन्द्र महतो समूहक प्रतिनिधि सभा सदस्य जे संविधान सभा (पहिल) मे विजयी सेहो भेल छल, से संजय टकला नामक व्यक्ति आ मुकेश चौधरी सहित किछु आर लोक जेल मे अछि।

निराजन झा एहि पाँचो शहीद परिवारक वर्तमान पर अपन अध्ययन करैत रिपोर्ट पठौलनि अछि।

mithila shahid jnk5शहीद झगरू शहीद दास केर पत्नी टिक्ली-सिनुर बेचैत छथि, जानकी मन्दिरक परिसर मे ओ अपन जीविका चलेबाक लेल पूजा-सामग्रीक संग-संग विभिन्न कस्मेटिक, खेलौना, फूल-माला आदिक समान फूटपाथ पर लटखेना-पसार राखि अपन छोट-छिन बेपार चलबैत छथि। फोटो मे देखा रहल ई परिवार – बगल मे, दुनु बेटा जेकर पढाइ छुटि गेल अछि आ १७/१८ बरखक उमेर मे बिदेशक चाकरी काटि रहल य। एकटा बात तऽ स्पष्ट अछि, कोनो परिवार पर भले कतबो बिपत्ति टूटि पड़य, मुदा जीवन चलेबाक आ स्वाभिमान केर निर्वाह करबाक जे जीजिविषटा कोनो मिथिलाक नर-नारी मे रहैत अछि, ताहि सँ सीख आरो केँ भेटैत अछि।

mithila shahid jnk6दोसर शहीद बिमल शरण केर जेठ बेटा राम कुमार शरण केँ सेहो पिताक असामयिक शहादति प्राप्त केला सँ परिवार सम्हारबाक जिम्मेवारी अपन कन्हा पर देखि पढाइ छोड़ि घरक लाचारी सs लड़बाक वास्ते मजदूरी-मेहनति करैत अपन माय-बहिन-भाय केँ वास्ते काज करब आरंभ कय देलक। आब माय केँ बेटीक बियाहक चिन्ता धऽ लेने छैक…. कतहु सँ कोनो तरहक मददि केर स्वर नहि सुनाय पड़ैत छैक।

mithila shahid jnk3प्रसिद्ध रंगकर्मी आ मिथिला आन्दोलन मे शहादति देनिहारि शहीद रंजू झा केर माय सेहो आब नहि रहली, बेटा आब नम्हर भऽ गेल अछि, ओ एकटा साधारण किरायाक मकान अपन परिवारक विभिन्न स्रोत केर मददि सँ राखिकय जनकपुर मे अध्यन पढाइ केँ निरंतरता देने अछि। मात्र पारिवारिक सहारा टा नहि बल्कि अपनो मेहनति सँ अर्जित किछु आमदनी सँ ओ एहि यात्रा केँ जारी रखने अछि। फोटो मे रंजू झा केर पिता आ भाइ संग निराजन झा ठाढ छथि।

mithila shahid jnk1शहीद सुरेश उपाध्य केर घर पहुँचिते एकटा अपाहिज बच्चा केँ कुर्सी पर बैसल देखल गेल । कक्षा ३ धरि ओ एकदम स्वस्थ-तन्दुरुस्त बच्चा समान स्कूल जाएत छल, जे परिस्थितिक मारल कोनो बीमारीक शिकार भऽ आइ एकटा अपाहिज बच्चा बनि गेल अछि। ३ कोठरी टीनक छारल घर केर किराया सँ जिविका उपार्जन कय रहल अछि शहीद सुरेश उपाध्य केर पत्नी। शहीद सुरेश उपाध्य केर अपाहिज बच्चाक इलाज केकर जिम्मेदारी अछि से के सोचत?

mithila shahid jnk4शहीद दीपेन्द्र दास केर पिता एहि आस मे आइयो धरि बैसल छैथ जे कियो हुनकर दुनु पोता केर पढाइ करेबाक खर्च उपलब्ध करबैत सहयोग करत। पढेनाय एकरा सब लेल सब सँ बेसी जरुरी अछि, शहीद दीपेन्द्र दासक जेठ्का बेटा २ क्लास सs ३ मे आ छोटका १ सs २ मे पैढ सकय, एहि लेल ओ सब सँ अपील करैत छथि। बाकी परिवारक गुजारा लेल ओ वृद्ध रहितो मेहनति-मजूरी कय भरपाई कय रहला अछि।

shradhanjali jnk2अन्त मे, अप्रैल ३० – शहादति दिवस पर मिथिलाक अनुपम डेग द्वारा पुनः जनकपुर केर रामानन्द चौक पर एकटा श्रद्धाञ्जलि सभाक आयोजन कैल गेल। एहि सभा मे लहान, राजविराज, जनकपुर, काठमांडू आदि सँ युवा अभियानी लोकनिक संग-संग स्थानीय जनमानस उत्साहपूर्वक भाग लेलनि आ शहीद सबहक परिवारक वर्तमान तथा भविष्य पर चिन्तन करैत मिथिला राज्य केर पुनर्स्थापनाक आवश्यकता पर जोर देलनि।

mithila shahid delhiतहिना दिल्ली मे सेहो अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक विजय कुमार झा ओना तऽ इंडिया गेट पर एकटा श्रद्धाञ्जलि सभाक आयोजन कएने छलाह, मुदा ओतय सँ दिल्ली पूलिस हुनका जबरदस्ती हँटाकय जन्तर-मन्तर पर एहेन आयोजन करबाक लेल अनुमति देलक। एहि सभा मे मिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष अमर नाथ झा सहित अन्य लोक शहीद प्रति श्रद्धा-सुमन अर्पित करैत मिथिला राज्य केर आवश्यकता भारत तथा नेपाल दुनू देश मे रहबाक भावना रखलैन।