Search

प्रवीण नारायण चौधरी

भगवान् केकरा देखा सकैत छथि, भगवान् केकरा देखैत छथिन

गीताक तेसर बेरुक स्वाध्याय   (निरंतरता मे…. अध्याय ६ – योग आ योगी कि थीक, योग केर अन्तिम परिणाम कि अछि आर वास्तविक दृष्टि एवं विचार केँ कोना उपयोग कैल जाय…. तेकर उपरान्त… श्लोक २४ सँ आगू….)   सङ्कल्पप्रभवान्कामांस्त्यक्त्वा सर्वानशेषत:। मनसैवेन्द्रियग्रामं विनियम्य समन्तत:॥ २४॥   संकल्प सँ उत्पन्न होमयवाला सम्पूर्ण कामना केँ सर्वथा त्याग कयकेँ भगवान् केकरा देखा सकैत छथि, भगवान् केकरा देखैत छथिन

मिसू नेपाल द्वारा साहित्यिक गोष्ठी आ श्रद्धाञ्जली सभा

नरेश चन्द्र बर्बरिया, लहान, सिरहा। मई ३१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!  मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नेपाल द्वारा पशुपति आदर्श उच्च मा. बिद्यालय, लहान केर प्राङ्गण मे मैथिली भाषा-साहित्यक अग्रणी ब्यक्तित्व प्रा. रामनारायण यादव केँ विशेष स्मृति करैत श्रद्धाञ्जली सभा केर आयोजन कैल गेल छल। मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नेपाल द्वारा आयोजना भेल कार्यक्रम मे शहीद रामनारायण केर तस्वीर मे मिसू नेपाल द्वारा साहित्यिक गोष्ठी आ श्रद्धाञ्जली सभा

हैदराबाद मे देसिल बयना द्वारा मिथिला विभूति पर्व

‘देसिल बयनाक’ मिथिला विभूति पर्व संपन्न – विकास झा, हैदराबाद। मई ३१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! भारतक सुदूर दक्षिण मे मैथिली साहित्यिक प्रतिनिधि संस्था ‘देसिल बयना’ द्वारा एहि वर्ष व्यंग्य सम्राट स्व. हरिमोहन झा पर केन्द्रित ‘मिथिला विभूति पर्व’ दिनांक २९/५/२०१६ केँ केंद्रीय विश्वविद्यालय ( हैदराबाद ) केर स्कूल ऑफ़ ह्यूमैनिटीज़ केर सभागार मे मनाओल गेल हैदराबाद मे देसिल बयना द्वारा मिथिला विभूति पर्व

विराटनगर मे मिथिला चित्रकला प्रशिक्षण केर आइ चारिम दिन

विराटनगर, मई ३१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपाल ललितकला प्रज्ञा प्रतिष्ठान तथा सिर्जनविन्दु एवं कायस्थ समाज केर संयुक्त तत्वावधान मे आयोजित पाँच दिवसीय मिथिला चित्रकला प्रशिक्षण केर आइ चारिम दिन सफलतापूर्वक संचालन कैल जा रहल अछि। एहि बेरुक प्रशिक्षण कार्यशाला मे लगभग ३० गोटा अभ्यर्थी प्रशिक्षण लय रहला अछि। मिथिला चित्रकलाक माहिर कलाकार आ ललितकला प्रज्ञा विराटनगर मे मिथिला चित्रकला प्रशिक्षण केर आइ चारिम दिन

राजविराज मे संपन्न भेल दुइ-दिवसीय दीना-भद्री समारोह

राजविराज, मई ३१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपाल संगीत नाट्कला प्रतिष्ठान तथा मैथिली साहित्य परिषद् केर संयुक्त तत्वावधान मे सप्तरी जिलाक मुख्यालय राजविराज मे मिथिला लोकदेवता रूप मे बहुचर्चित ‘दीना-भद्री’ पर आधारित दुइ-दिवसीय समारोह मई २८ आ २९ केँ संपन्न भेल अछि। विदित हो जे रमेश रंजन समान प्राज्ञ सदिखन मिथिलाक प्रचलित लोकगायन सँ लोकदेवता आदिक गाथा राजविराज मे संपन्न भेल दुइ-दिवसीय दीना-भद्री समारोह

मुम्बई मैथिल समाज द्वारा आपदा कोष केर निर्माण होयत

मुम्बई, मई ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! दहेज मुक्त मिथिला केर संरक्षक पंडित धर्मानन्द झा केर अध्यक्षता मे एकटा बैसार मे करीब १०० मैथिल जनमानस जे मुम्बई मे रहैत विभिन्न पेशाकर्म सँ रोजी-रोटी कमाएत छथि ओ सब निर्णय लेला जे बेर पर पैसाक अभाव मे आकस्मिक औषधि खर्च आ इलाज नहि करेला सँ जे मैथिल लोकक मुम्बई मैथिल समाज द्वारा आपदा कोष केर निर्माण होयत

मैथिली-मिथिला लेल सापिंग मार्टः लोकप्रिय ब्राण्ड सैप्पीमार्ट

मैथिली ब्राण्ड केर लोकप्रियताः मिथिलाक अनलाइन बाजार वर्तमान युग मे मैथिल जनमानस कतय सँ कतय धरि पहुँचि गेल अछि एकर जिक्र करैत रहब हर बेर तऽ आवश्यक नहि मुदा इन्टरनेटक युग मे विश्वक हरेक कोण मे पसरल मैथिल एक्केठाम समेटल देखेला सँ मिथिलाक सीमा मात्र हिमालय-गंगा-कोसी-गंडक केर मध्यहि टा नहि बल्कि समूचा पृथ्वी – ग्लोबल मैथिली-मिथिला लेल सापिंग मार्टः लोकप्रिय ब्राण्ड सैप्पीमार्ट

झंझारपुर मे पाँचम कीर्ति कुम्भ भेल सम्पन्न

झंझारपुर, मई ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! साभारः मलयनाथ मंडन बरखा सँ झमारल साहित्याङ्गनक पाँचम कीर्ति कुम्भ सोल्लास सम्पन भेल। अध्यक्षता केलन्हि साहित्य अकादमी सम्मान प्राप्त डॉ0 खुशी लाल झा,मुख्य अतिथि छलाह पंजीकार बिभूति नाथ झा,जखनि कि मुख्य बक्ता छलाह प्रो0 केदार नाथ झा। मैथिली साहित्यक सशक्त हस्ताक्षर मार्कण्डेय प्रवासी पर केन्द्रित एहि आयोजन मे बहुभाषाबिद झंझारपुर मे पाँचम कीर्ति कुम्भ भेल सम्पन्न

नेपालक पूर्व उपराष्ट्रपति परमानन्द झा केर अपमान

काठमांडु, ३० मई, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! बितल शनि दिन २८ मई नेपालक गणतंत्र दिवस पर आयोजित सभा मे प्रधानमंत्री के. पी. ओली केर उपस्थिति मे पूर्व उपराष्ट्रपति परमानन्द झा केर बैसबाक लेल कोनो निर्धारित जगह नहि रहबाक कारणे अपमानित महसूस करैत सभा सँ वापस बाहर जेबाक दुर्भाग्यपूर्ण घटना घटल अछि। एहि सन्दर्भ मे संचारकर्मी बिरेन्द्र नेपालक पूर्व उपराष्ट्रपति परमानन्द झा केर अपमान

दरभंगा बनय उप-राजधानी, खुजय उच्च न्यायालयक खंडपीठ

दरभंगा, मई ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! काल्हि दरिभंगा मे मैथिली लोक संस्कृति मंच केर तत्वावधान मे एक महत्वपूर्ण बैसार राखल गेल, जाहि मे सब दल केर प्रतिनिधि लोकनि सहभागिता देलनि। विधायक भोला यादव जी द्वारा उठायल गेल मुद्दा जे दरभंगा मे उच्च न्यायालयक एक अलग खंडपीठ स्थापित हुअय, एहि लेल समर्थन जुटेबाक उपक्रम मे ई दरभंगा बनय उप-राजधानी, खुजय उच्च न्यायालयक खंडपीठ