मुम्बई, मई ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
दहेज मुक्त मिथिला केर संरक्षक पंडित धर्मानन्द झा केर अध्यक्षता मे एकटा बैसार मे करीब १०० मैथिल जनमानस जे मुम्बई मे रहैत विभिन्न पेशाकर्म सँ रोजी-रोटी कमाएत छथि ओ सब निर्णय लेला जे बेर पर पैसाक अभाव मे आकस्मिक औषधि खर्च आ इलाज नहि करेला सँ जे मैथिल लोकक अकार मृत्यु होएत अछि, तेकरा रोकबाक लेल आब हरेक मास सब कमौआ सपुत सब १०० टाका प्रति मास जमा करत, एना निर्मित कोष सँ कोनो भी सदस्य परिवार पर आयल केहनो संकट केर सामना करबाक सामर्थ्य रहत आर एहि तरहें मैथिल परिवारक जान-मालक सुरक्षा होयत।
पंडित धर्मानन्द झा जानकारी करबैत कहलैन अछि जे पैछला सप्ताह दु टा दुखद घटना वरली मे घटल जे गरीब मजदूर मिथिलाक निवासी तत्काल उपचार केर अभाव मे जान गँवा देलक… एहि ठामक गरीब मैथिल एहि घटनाक बाद हमर अध्यक्षता मे निर्णय लेल जे आपदा-बिपदा कोष जमा हेबाक चाही जाहि सँ कोनो असहाय केर तत्काल उपचार भऽ सकय। जाहि मे १०० सँ बेसी लोक अपन विचार आ सहमति देलनि। ओ सब प्रति मास १०० रुपैया जमा जमा करब सेहो एक आवाज आ समर्थन दय चुकल अछि। ई संख्या बढैत जा रहल अछि। आशा अछि जे ५०० लोक दू मास सामने आबि जेताह। ई कोष ऐगला मास सँ आरम्भ भऽ जायत। एकर दायित्व जरी-मरी माता संकीर्तन सेवा संस्थान पर होयत। यदि सफल योजना भेल तऽ हम अपना केँ धन्य बुझब जे ईश्वर हमरा एहि पुनीत कार्य लेल सेवा देबाक वास्ते चुनलैन।