Search

झंझारपुर मे पाँचम कीर्ति कुम्भ भेल सम्पन्न

झंझारपुर, मई ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

साभारः मलयनाथ मंडन

kirti kumbh 5बरखा सँ झमारल साहित्याङ्गनक पाँचम कीर्ति कुम्भ सोल्लास सम्पन भेल।
अध्यक्षता केलन्हि साहित्य अकादमी सम्मान प्राप्त डॉ0 खुशी लाल झा,मुख्य अतिथि छलाह पंजीकार बिभूति नाथ झा,जखनि कि मुख्य बक्ता छलाह प्रो0 केदार नाथ झा।

मैथिली साहित्यक सशक्त हस्ताक्षर मार्कण्डेय प्रवासी पर केन्द्रित एहि आयोजन मे बहुभाषाबिद परमानन्द शास्त्री,गजलकार कलानन्द भट्ट,बिद्वान साहित्यकार बाबू तुलापति सिंह आ डॉ0 परमेश्वर मिश्र केर ब्यक्तित्व आ कृतित्व पर बिशेष चर्चा भेल।बिद्वान लोकैन हिनका सबहक प्रति श्रद्धांजलि अर्पित कलैन।

दोसर सत्र जे काव्य संसारक छल,ताहि मे युवा कवि अक्षय नाथ मिश्र,बिद्याचन्द्र झा,सुधीर चौधरीक संग दिनानाथ युवराज,डॉ0रामसेबक झा,गौरीशंकर झा,हरिदेव झा,आनन्द मोहन झा,आनन्द झा,कल्प कवि,मलय नाथ मण्डन,प्रो0केदार झा,पंजीकार बिभूति नाथ झा अपन अपन काव्य,गजल,गीतक माध्यम सँ रसधार बहौलैन।

संचालन आनन्द झा आ संतोष झा केलैन।

Related Articles