विराटनगर, मई ३१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
नेपाल ललितकला प्रज्ञा प्रतिष्ठान तथा सिर्जनविन्दु एवं कायस्थ समाज केर संयुक्त तत्वावधान मे आयोजित पाँच दिवसीय मिथिला चित्रकला प्रशिक्षण केर आइ चारिम दिन सफलतापूर्वक संचालन कैल जा रहल अछि।
एहि बेरुक प्रशिक्षण कार्यशाला मे लगभग ३० गोटा अभ्यर्थी प्रशिक्षण लय रहला अछि। मिथिला चित्रकलाक माहिर कलाकार आ ललितकला प्रज्ञा प्रतिष्ठानक प्रमुख प्राज्ञ एस सी सुमन स्वयं उपस्थित रहैत आरो किछेक प्रशिक्षक केर संग एहि कार्यशालाक आयोजन कय रहला अछि।
सिर्जनविन्दु केर संयोजक तथा नेपाली भाषाक प्रसिद्ध कवि सुमन पोखरेल केर संयोजन मे संचालित ई कार्यशाला दर्जनों लोक केँ मिथिला चित्रकला सँ जोड़ैत रोजगारोन्मुख शीप प्रदान करत ई विश्वास राखल गेल अछि। तहिना कायस्थ समाज केर तरफ सँ संयोजन कएनिहार अमलेश कर्ण द्वारा चित्रगुप्त कल्याण समाज परिषद् केर भवन मे राखल गेल ई आयोजन महिला सशक्तीकरण मे काफी महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करत से विश्वास राखल गेल अछि। आगामी समय मे एहि तरहक कल्याणकारी आयोजन सब मे कायस्थ समाज सक्रिय भूमिका निर्वाह करबाक विश्वास सेहो दियाओल गेल अछि।
भाग लेनिहार प्रशिक्षु लोकनि कार्यशाला सँ काफी लाभ भेटबाक आ मिथिला चित्रकलाक महत्व सब बुझबाक अवसर भेटि रहल अछि कहलैन। चित्रकारी आजुक समय मे रोजगारक नीक विकल्प अछि आर मिथिला चित्रकला सेहो सीखब संसार भरि मे निर्मित बाजार धरि अपन कला केँ पहुँचायब समान होयत, एहेन भावना राखलनि प्रशिक्षु लोकनि।