दरभंगा बनय उप-राजधानी, खुजय उच्च न्यायालयक खंडपीठ

दरभंगा, मई ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

darbhanga high courtकाल्हि दरिभंगा मे मैथिली लोक संस्कृति मंच केर तत्वावधान मे एक महत्वपूर्ण बैसार राखल गेल, जाहि मे सब दल केर प्रतिनिधि लोकनि सहभागिता देलनि। विधायक भोला यादव जी द्वारा उठायल गेल मुद्दा जे दरभंगा मे उच्च न्यायालयक एक अलग खंडपीठ स्थापित हुअय, एहि लेल समर्थन जुटेबाक उपक्रम मे ई बैसार महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि। एहि सँ सम्बन्धित एकटा विस्तृत विचार काँग्रेसी नेता राम नारायण झा द्वारा अपन फेसबुक मार्फत निम्न रूप मे कहल गेल अछि।

साभारः राम नारायण झा, दरभंगा

darbhanga high courtस्व. डॉ. नागेन्द्र झा जी का सपना, दरभंगा हो राजधानी अपना – श्रीमान भोला यादव जी बिधायक बहादुरपुर दरभंगा के मार्गदर्शन में दरभंगा में उच्च न्यायलय के खण्ड पीठ और राजधानी के वास्ते आई सन्ध्या 4 बजे हमर सभक आदरणीय नेता प्रखर मैथिल, बिधान सभा के कई बेर रहल सदस्य और दरभंगा बार के अनगिनत बेर निर्वाचित महासचिव स्व. रामाश्रय राय जी के पब्लिक स्कूल बलभद्रपुर में मिथिला लोक संस्कृति मंच के तत्वावधान में सर्वदलीय राजनितिक दल और मिथिला मैथिली के जुझाड़ू एक दर्जन सं अधिक संगठन के प्रतिननिधि, समाज के प्रखर बुद्धिजीवी, पत्रकार, कर्मचारी संगठन के प्रतिनिधि, के बैठक भारतीय कम्युनिष्ट पार्टी के वरीय नेता कामरेड राम कुमार झा के अध्यक्षता और प्रो. उदय शंकर मिश्रा जी के संचालन में कएल गेल।

जिला कांग्रेस अध्यक्ष श्री सीताराम चौधरी जी, हम पार्टी के अध्यक्ष केदार नाथ झा अनाथ, भारतीय जनता पार्टी के नगर अध्यक्ष आदित्य नारायण झा मन्ना, राष्ट्रिय जनतादल के पूरनलाल राम, जनता दल यु के रणवीर राय, कर्मचारी यूनियन के आर. के. दत्ता, बैंक इम्प्लाई यूनियन के भोगेन्द्र झा, वरिष्ट पत्रकार विद्यापति टाइम्स के सम्पादक और मिथिला आंदोलन के अग्रणी नेता बिनोद भाईजी, मिथिला के प्रखर बुद्धिजीवी और पत्रकार प्रो. अमलेंदु शेखर पाठक, मिथिला के साहित्यकार लेखक चन्द्रेश जी, प्रो. चन्द्रशेखर झा, किसान नेता अरुण कुमार झा, पूर्व जिला पार्षद हेमंत कुमार झा, मिथिला के सामाजिक सरोकार सं दू पुश्त क लड़ाकू पूर्व नगर निगम महापौड़ दरभंगा के अजय कुमार जालान जी, दरभंगा बार के पूर्व अध्यक्ष और वरिष्ट क्रिमनल अधिवक्ता हाशमी साहब उर्फ़ छोटे बाबू, समाज सेवी और बुनकर समाज के उदीयमान नेता राजा अंसारी, प्रो. सुधीर झा, प्रो. सुरेश यादव , पूसा कृषि विश्वविद्यालय के अवकाश प्राप्त अधिकारी मनोज राय आदि के साथ सफल बैठक भेल।

बैठक में दरभंगा सहित सभ वकील, चैम्बर ऑफ़ कॉमर्स , सब कर्मचारी संघ, छात्र प्रतिनिधि और आम लोग सं सामूहिक बैठक करये और पिछला सभ आंदोलन के मांगपत्र जे कूनो संगठन द्वारा भेल छल ओहि के जमा कये ,एक टा सामूहिक मांगपत्र तैयार कये कमिशनरी दरभंगा पर तिथि तय कय विशाल धरना और 21 अगस्त के सेमिनार और ओकरा बाद बिधान सभा अध्यक्ष और मुख्यमंत्री के ज्ञापन देबाक निर्णय भेल। वित् मंत्री अब्दुल बारी सिद्दकी, भूमि सुधार और राजश्व मंत्री डॉ मदन मोहन झा, खादय आपूर्ति मंत्री मदन सहनी, नगर विकास मंत्री महेश्वर हज़ारी, पंचायती राज्य मंत्री कपिल कामत , सहित सब बिधायक और पार्षद महोदय के ज्ञापन देबय के कार्यक्रम बनल।

एही कार्य के करवा वास्ते एवम् सब के जोड़वा लेल एक कमिटी गठन के उत्तरदायित्व हमरा  (राम नारायण झा) और प्रो. उदय शंकर जी पर छोड़ल गेल जे सभक राय सं दू दिन में पूरा कएल जायत। बैठक के अंत में मिथिला और मैथिल के लेल समर्पित योद्धा डॉ. बैद्यनाथ चौधरी के पुत्री के निधन पर 2 मिनट के मौन राखी श्रधांजलि देल गेल। आंदोलन के रूप रेखा तैयार भेल आब श्रम और सहयोग क अपेक्षा सभ कर्तव्यनिष्ठ मैथिल सं। जय माँ जानकी।