Search

मिसू नेपाल द्वारा साहित्यिक गोष्ठी आ श्रद्धाञ्जली सभा

153 भ्यूज

नरेश चन्द्र बर्बरिया, लहान, सिरहा। मई ३१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! 

msu nepal shraddhanjali sabha1मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नेपाल द्वारा पशुपति आदर्श उच्च मा. बिद्यालय, लहान केर प्राङ्गण मे मैथिली भाषा-साहित्यक अग्रणी ब्यक्तित्व प्रा. रामनारायण यादव केँ विशेष स्मृति करैत श्रद्धाञ्जली सभा केर आयोजन कैल गेल छल।

मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नेपाल द्वारा आयोजना भेल कार्यक्रम मे शहीद रामनारायण केर तस्वीर मे पुष्प अर्पण करैत १ मिनट मौन घारण कैल गेल छल।

श्रद्धाञ्जली सभा उपरान्त उपस्थित युवा सर्जक लोकनिक सहभागिता मे साहित्यिक गोष्ठी आर संस्कृतिक कार्यक्रमक शुभारंभ सर्वप्रथम महाकवि विद्यापतिक प्रसिद्ध रचना ‘जय जय भैरवि असुर भयाउनि’ केर गान सँ भेल। गायक तेजु मैथिल, जाबेद अलि, ज्योति बिस्वकर्मा, सृजना गजमेर अपन-अपन स्वर केर जादू सँ सब गोटा केँ झुमौलनि।

दिनेश रसिया, गायत्री सिंह, नारायण मधुशाला, हृदय नारायण यादव, गजेन्द्र गजुर अपन स्वरचित गजल प्रस्तुत केलनि। तहिना रितेश मैथिल, तेजु मैथिल द्वारा हास्यब्यङ्ग्य सब सेहो प्रस्तुत करैत दर्शक-श्रोता सब केँ खूब हँसायल गेल। विद्यानन्द बेदर्दीक संयोजनमा कार्यक्रम भेल छल।

Related Articles