Search

प्रवीण नारायण चौधरी

अहमदाबाद केर साबरमती रिवर फ्रंट पर मैथिलानी संग संवाद – शाश्वत मिथिलाक शाश्वत सोच

अहमदाबाद, सितम्बर ११, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! शाश्वत मिथिला आ मिथिला मिरर द्वारा आयोजित “मैथिलानी संग संवाद” कार्यक्रम दिनांक ९ सितम्बर, २०१८ केँ रवि दिन सार्थक विमर्शक संग संपन्न भेल। कार्यक्रम मे दर्जनों मैथिलानी भाग लेलीह आ बहुत मुखर भऽ कय महिला सशक्तीकरण तथा दहेज उन्मूलन केर विषय पर अपन-अपन विचार राखय जाय गेलीह। रंजनाजी, कल्पनाजी, अहमदाबाद केर साबरमती रिवर फ्रंट पर मैथिलानी संग संवाद – शाश्वत मिथिलाक शाश्वत सोच

कथा गोष्ठी आ मैथिली भाषा-साहित्यक नव दिनमान पर विशिष्टजनक प्रतिक्रिया

परसू ८ सितम्बर, २०१८ केँ दरभंगाक एमएमटीएम कालेज सभागार मे २ बजे अपराह्न सँ रातिक १२ बजे धरि दर्जनों मैथिली कथाकार लोकनि अपन-अपन कथा वाचन कयलन्हि। एहि पर विभिन्न समीक्षक लोकनि द्वारा समीक्षात्मक टिप्पणी सेहो कयल गेल। एहि गोष्ठीक अध्यक्षता कथाकार अशोक द्वारा कयल गेल, जखन कि संचालन स्वयं संयोजक डा. अशोक मेहता द्वारा भेल। कथा गोष्ठी आ मैथिली भाषा-साहित्यक नव दिनमान पर विशिष्टजनक प्रतिक्रिया

मैसाम दिल्लीक चारिम व्याख्यानमाला मे झा-झा आ डाक्टर-डाक्टर केर खेल

रामबाबू सिंह, दिल्ली। सितम्बर १०, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! हम कॉन्स्टिट्यूशन क्लब सँ बाजि रहल छी! पछिलुका बरखक भाँति अहूबेर राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र दिल्लीक संस्था “मैथिली साहित्य महासभा” केर एकल व्याख्यानमालाक आयोजन नई दिल्लीक कॉन्स्टिट्यूशन क्लबमे सम्पन्न भेल। मैथिली लोक साहित्यमे दलित-विमर्श पर केंद्रित ई कार्यक्रम आंशिक सफल होइत कइएकटा प्रश्नचिह्न छोड़ि गेल। स्वागत भाषण क्रममे मैसाम दिल्लीक चारिम व्याख्यानमाला मे झा-झा आ डाक्टर-डाक्टर केर खेल

मैथिली साहित्य महासभा दिल्लीक चारिम व्याख्यानमाला, युवा सम्मान स्वाति शाकम्भरी केँ

श्रीचन्द कामत, दिल्ली। सितम्बर १०, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! दिनांक: ९ सितम्बर,२०१८ मैथिली साहित्य महासभा केर चारिम एकल व्याख्यान आ “ मैसाम युवा सम्मान 2018 दिल्ली के कॉन्स्टिट्यूशन क्लब में संपन्न भेल । ‌एहि बेरक “मैसाम युवा सम्मान” युवा कवियित्री स्वाति शाकम्भरी केँ हुनक पोथी ‘पूर्वागमन’ हेतु देल गेलनि । विदित हो जे मैसाम युवा सम्मान स्वरूप मैथिली साहित्य महासभा दिल्लीक चारिम व्याख्यानमाला, युवा सम्मान स्वाति शाकम्भरी केँ

विकसित राष्ट्र मे मिथिलाक ग्रन्थ पर शोध आ अनुवादः जापानक एक दृष्टान्त

रोचक जानकारी CiNii – साइनी – Scholarly and Academic Information Navigator एक डेटाबेस सेवा थिक जाहि मे कोनो आलेख, पुस्तक, प्रकाशित लेख आदि केँ सर्च कयल जा सकैत अछि। ई सभक वास्ते निःशुल्क जनतब उपलब्ध करबैत अछि। शैक्षणिक सामग्री जेकर प्रकाशन शैक्षणिक संस्थानक पत्रिकादि मे कयल गेल अछि ताहि पर सेहो जनतब सब एतय सँ लेल विकसित राष्ट्र मे मिथिलाक ग्रन्थ पर शोध आ अनुवादः जापानक एक दृष्टान्त

ब्राह्मण – शब्द और अर्थक संग वर्तमान जातीय व्यवस्था

कुशी अमावस्या पर विशेष स्वाध्याय विचार – प्रवीण नारायण चौधरी शब्द और अर्थक संग वर्तमान अवस्था मे ‘ब्राह्मण’ स्वाध्याय मे आइ ‘ब्राह्मण’ शब्द केर वृहत् विन्यास आ अर्थ आदि बुझबाक प्रयत्न कय रहल छी। जातिकर्म अनुसार आजुक युग मे कतेको तरहक जाति विद्यमान् अछि। हिन्दू धर्म मे वर्ण व्यवस्था कालान्तर मे आरो उपवर्गीकृत होइत ४ ब्राह्मण – शब्द और अर्थक संग वर्तमान जातीय व्यवस्था

मैथिली-मिथिला मे सक्रिय ‘नटवरलाल’ सँ सावधान रहबाक जरूरत

मैथिली-मिथिला मे सक्रिय अछि कतेको नटवरलाल, सावधान रहू!   विभिन्न अभियानक नाम पर ऐठैत अछि पैसा, करैत अछि ईमोशनल ब्लैकमेलिंग   (आइये अमेरिका प्रवास पर रहि रहल एक मित्रक संग भेल वार्ता पर आधारित किछु महत्वपूर्ण जानकारी)   मैथिली-मिथिला लेल के असली आ के नकली – ई बड पैघ सवाल बनिकय सोझाँ आबय लागल अछि। मैथिली-मिथिला मे सक्रिय ‘नटवरलाल’ सँ सावधान रहबाक जरूरत

महिला सशक्तीकरण आ दहेज प्रताड़ना सँ निजात विषय पर अहमदाबाद मे मैथिलानी संग वार्ता आइ

अहमदाबाद, ९ सितम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिला मिरर आ शाश्वत मिथिलाक संयुक्त तत्वावधान मे अहमदाबादक ऐतिहासिक साबरमती रीवर फ्रंट पर आइ रवि दिन ९ सितम्बर केँ साँझ ६ बजे सँ मैथिलानी संग संवाद कार्यक्रम आयोजित अछि। आजुक वार्ताक विषय अछि महिला सशक्तीकरण एवं दहेज प्रताड़ना सँ निजात जाहि मे अहमदाबाद केर प्रवासी मैथिल समाज आमंत्रित महिला सशक्तीकरण आ दहेज प्रताड़ना सँ निजात विषय पर अहमदाबाद मे मैथिलानी संग वार्ता आइ

दरभंगा मे सम्पन्न भेल कजरी महोत्सव, कजरी गीत-संगीत सँ वातावरण बनल सुरम्य

दरभंगा, ८ सितम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! सद्भावना यात्रा समिति दरभंगाक तत्वावधान मे काल्हि ७ सितम्बर स्थानीय एमएमटीएम कालेज केर सभागार मे भव्य कजरी महोत्सव केर आयोजन कयल गेल । एहि आयोजनक संयोजक आकाशवाणी दरभंगाक संवाददाता एवं मैथिली भाषाक चर्चित ‘मणि’ मणिकान्त झा द्वारा भेल । मिथिलाक गायन परम्परा मे ‘कजरी गीत’ केर अपन अलग स्थान दरभंगा मे सम्पन्न भेल कजरी महोत्सव, कजरी गीत-संगीत सँ वातावरण बनल सुरम्य

चीनक बन्दरगाह नेपाल लेल कतेक उपयोगी आ कतेक आवश्यक

नेपाल केँ भेटल चीनी बन्दरगाह प्रयोग करबाक अनुमति   नेपाल लेल चीन सँ वैकल्पिक समुद्री मार्ग भेटबाक समाचार पढलहुँ। भारत पर पूर्ण निर्भरताक विकल्प ताकब नेपालक सार्वभौमिक अधिकार मे पड़ैत अछि। भारत-नेपाल बीच मे जाहि तरहक जनस्तरीय सम्बन्ध अछि ताहि मे राजनयिक सम्बन्ध वा दुइ देशक राजनीतिक सम्बन्ध कहियो बाधा बनत ई सोचनाय हमरा हिसाबे चीनक बन्दरगाह नेपाल लेल कतेक उपयोगी आ कतेक आवश्यक