श्रीचन्द कामत, दिल्ली। सितम्बर १०, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
दिनांक: ९ सितम्बर,२०१८ मैथिली साहित्य महासभा केर चारिम एकल व्याख्यान आ “ मैसाम युवा सम्मान 2018 दिल्ली के कॉन्स्टिट्यूशन क्लब में संपन्न भेल । एहि बेरक “मैसाम युवा सम्मान” युवा कवियित्री स्वाति शाकम्भरी केँ हुनक पोथी ‘पूर्वागमन’ हेतु देल गेलनि । विदित हो जे मैसाम युवा सम्मान स्वरूप 25,000 टका नगद संग प्रशस्तिपत्र देल जाइत अछि ।
कार्यक्रमक मुख्य व्याख्यानकर्ता आ प्रसिद्ध मैथिली साहित्यकार डॉ. महेंद्र नारायण राम एक टा ज्वलंत विषय “मैथिली लोक साहित्य मे दलित विमर्श” पर व्याख्यान देलनि । हुनक व्याख्यान नि:संदेह उपयुक्त आ समिचीन छल । समाज केर एहि वर्गक इतिहास सँ ल क वर्तमान धरि सब पहलू केँ छुबैत हुनकर व्याख्यान ज्ञानवर्धक होयबाक संग-संग दलित केर जीवन ओ परिस्थिति पर सोचय लेल बाध्य कय देलक दर्शक-श्रोता केँ, संगहि ओजपूर्ण व्याख्या समाज केँ आईना देखाबय मे सेहो सफल रहल ।
कार्यक्रमक अध्यक्षता भारतीय प्रशासनिक सेवा सँ अवकाशप्राप्त अधिकारी आ मैथिली साहित्यकार मंत्रेश्वर झा केलनि आ अपन विभिन्न अनुभव केँ सभक सामने रखलनि । ओहिठाम कार्यक्रम में सहयोगी संस्था मैथिली भोजपुरी अकादमी, दिल्ली सरकार केर प्रतिनधि चंदन झा अपन संबोधन मे व्याख्यानक विषय केँ सान्दर्भिक बतौलनि । आर, मैथिली मिथिलाक सहयोगक लेल अकादमी दिश सँ प्रतिबद्धता जनौलनि । मैसाम अध्यक्ष अमरनाथ झा मैसामक उद्देश्य आ विभिन्न क्रियाकलापक जानकारी करौलनि । संगहि पैछला सालक व्याख्यानक संकलन केँ पोथी रूप में विमोचन सेहो कयल गेल । पोथी संपादन संस्थाक उपाध्यक्ष विनीत उत्पल द्वारा कयल गेल अछि ।
आजुक आयोजन मे मंच संचालनक जिम्मा संयुक्त रूप सँ डॉ विभा कुमारी आ श्रीकंत शरण द्वारा कयल गेल । अंत में हम (श्रीचंद कामत) मैसामक़ उपाध्यक्ष केर नाते दर्शक सँ खचाखच भरल सभागार मे मैथिली भाषा अनुरागी लोकनि केँ आ मंचासीन अथिति विद्वतजन संगहि सहयोगी संस्था दीपक फाउंडेशन आ साहित्य आकादमी दिल्ली केँ सेहो धन्यवाद ज्ञापन देनउं । कार्यक्रम अत्यंत सफल आ सारगर्भित रहल । जय मिथिला, जय मैसाम ।
फोटो क्रेडिट : राहुल झा (दृश्यम मिडिया)