Search

महिला सशक्तीकरण आ दहेज प्रताड़ना सँ निजात विषय पर अहमदाबाद मे मैथिलानी संग वार्ता आइ

अहमदाबाद, ९ सितम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला मिरर आ शाश्वत मिथिलाक संयुक्त तत्वावधान मे अहमदाबादक ऐतिहासिक साबरमती रीवर फ्रंट पर आइ रवि दिन ९ सितम्बर केँ साँझ ६ बजे सँ मैथिलानी संग संवाद कार्यक्रम आयोजित अछि। आजुक वार्ताक विषय अछि महिला सशक्तीकरण एवं दहेज प्रताड़ना सँ निजात जाहि मे अहमदाबाद केर प्रवासी मैथिल समाज आमंत्रित कयल गेल छथि।

विदित हो जे शाश्वत मिथिला द्वारा निरन्तर भाषा, संस्कृति, समाज, आर्थिक विकास, शिक्षा आ स्वास्थ्य सहित अन्य-अन्य सम्बन्धित विषय पर मैथिल समाज केँ एकजुटताक सन्देश दैत प्रवास सँ मूल मातृभूमि धरि जिम्मेदारीपूर्वक कार्य निष्पादन हेतु प्रेरणा देबाक काज कयल जाइत रहल अछि। ताहि क्रम मे आजुक ई कार्यक्रम विशेष रूप सँ मिथिलाक लोक बीच घटि रहल विभिन्न घटना आ दहेज हत्या आदि केँ घटैत देखि राखल गेल अछि। वर्तमान समय मे प्रवासक विभिन्न स्थान पर मैथिल जनसमुदाय बिखड़ल अवस्था मे रहबाक कारण वैवाहिक सम्बन्ध निर्धारण सँ लैत विवाहेतर सम्बन्ध निर्वहन पर्यन्त पैघ समस्या जेकाँ उभरल अछि आर एहि विषय पर आजुक विमर्श सँ समाज मे एकटा प्रेरणास्पद सन्देशक संचरण होयत, तहिना कोनो तरहक विवाद आ असामंजस्यता केँ सामाजिक तौर पर कोना समाधान कयल जा सकैछ ताहि सब संयंत्रक विकास पर जोर रहत, आयोजक लोकनिक मंशाय सँ ज्ञात भेल।

मिथिला मिरर मैथिली भाषाक संचार मे उल्लेखनीय भूमिका निर्वाह करैत विषय सँ जुड़ल वार्ता हेतु अहमदाबाद धरि पहुँचल अछि, एहि बात केर सेहो चौतर्फा स्वागत कयल जा रहल अछि। सामाजिक संस्था आ संचार माध्यम मे मैथिली भाषा पाछू नहि रहय ताहि लेल सेहो ई आयोजन एकटा सकारात्मक सन्देश दैत अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सफलताक शुभकामना आ कार्यक्रमक सन्देश जोर-शोर सँ प्रत्येक मैथिल नागरिक धरि पहुँचय ताहि लेल प्रतिबद्धता व्यक्त कयल गेल अछि।

Related Articles