रामबाबू सिंह, दिल्ली। सितम्बर १०, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
हम कॉन्स्टिट्यूशन क्लब सँ बाजि रहल छी!
पछिलुका बरखक भाँति अहूबेर राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र दिल्लीक संस्था “मैथिली साहित्य महासभा” केर एकल व्याख्यानमालाक आयोजन नई दिल्लीक कॉन्स्टिट्यूशन क्लबमे सम्पन्न भेल। मैथिली लोक साहित्यमे दलित-विमर्श पर केंद्रित ई कार्यक्रम आंशिक सफल होइत कइएकटा प्रश्नचिह्न छोड़ि गेल। स्वागत भाषण क्रममे संस्थाक अध्यक्ष द्वारा फेर एकबेर झा-झा एक्सप्रेसक भेंट चढ़ाओल गेल। दिल्लीमे देखल गेल अछि जे कहिओ बिहार सरकारक मंत्री नन्द किशोर यादवके नन्द किशोरा झा कहल गेल अछि। त’ कहिओ बुराड़ीकें मन्च सँ पप्पू यादव कें पप्पू झा। आ तेँ विवादक केंद्र बनल रहैत अछि झा-झा एक्सप्रेसकें नाम तहिना आजुक कार्यक्रममे साहित्य अकादमीक कार्यक्रम पदाधिकारी देवेन्द्र कुमार देवेश केँ देवेश झा कहल गेल त’ हॉलमे सभक मुँह पर मुस्कि आ कनफुसकी शुरू भ’ गेल। आखिर किएक बेरबेर एना होयत छै? अही कारण सँ मैथिलीक कोनो कार्यक्रमकें झा सँ जोड़ल जाएत छै।
आजुक कार्यक्रम अध्यक्षता कएलाह मैथिलीक अनन्य सेवक कथाकार गीतकार आ प्रसिद्ध साहित्यकार श्री मंत्रेश्वर झा। ओ भारतीय प्रशासनिक सेवाक अवकाश प्राप्त अधिकारी सेहो रहलाह अछि। मुदा बैक ड्राप बैनर पर आदरणीय मंत्रेश्वर झा अवकाश प्राप्त प्रशासनिक अधिकारी मात्र आ साहित्यकार कतहु अंकित नहि कएल गेल छल? जखन की व्याख्यानकर्ता डॉ महेंद्र नारायण राम कें वरिष्ठ साहित्यकार लिखल छल आ से ओ सम्मानकेँ अधिकारी छथिओ मुदा एतय वरीयता क्रममे वरिष्ठतम साहित्यकार आदरणीय मंत्रेश्वर झा जी छथि।
साहित्यिक कार्यक्रममे अतिथि लोकनिक विषय मे मंचीय उद्घोषक लेल व्यक्तिगत जानकारी होयब परम आवश्यक अछि अन्यथा हँसी केर पात्र बनैत अछि जेना देखल गेल।
दलित विमर्श पर आदरणीय डॉ महेंद्र नारायण राम जीकेँ वक्तव्य संतुलित रहलनि। बहुत रास नव जानकारी सँग दलित दर्शन सँ सभागारमे उपस्थित लोककेँ प्रभावित कएलाह। आओर कार्यक्रम जकाँ अहू कार्यक्रममे दिल्ली महानगरक कोनेकोन सँ बुद्धिजीवी आ मैथिल वन्धु एकत्रित भेल छलाह आओर सम्पूर्ण कार्यक्रमकें आस्वादन कएलाह।
अहि कार्यक्रमक अवसर पर एकटा स्मारिकाक प्रकाशन सेहो कएल गेल जाहिमे सब नव पुरान सदस्य आ पदाधिकारी लोकनिक नाम देखल गेल मुदा संस्थाक कोषाध्यक्ष संतोष राठौड़ जीक नाम निपत्ता छल, जानि नहि ई कोनो गलती सँ भेल छल आ की कोनो आओर कारण से संस्थाक सदस्यकें बुझल हेतनि।
मैथिलीक कवियित्री स्वाति शाकाम्बरी सहरसा सँ, हिनक पोथी पूर्वागमनक लेल युवा मैसाम पुरस्कार सँ सेहो सम्मानित कएल गेलनि। अहिसँ पहिनहुँ दूटा युवा कवि केर संस्था द्वारा सम्मानित कएक गेल अछि।
श्री कन्त शरण आ डॉ विभा कुमारी केर सामान्य संचालनमे मंचस्थ छलाह संस्थाक अध्यक्ष अमरनाथ झा, मैथिली भोजपुरी अकादमीकें प्रतिनिधि चंदन झा, मुख्य वक्ता डॉ महेंद्र नारायण राम , कार्यक्रमक अध्यक्ष श्री मंत्रेश्वर झा जनिका बेरबेर मन्च सँ डॉ कहि सम्बोधित कएल गेल, महेंद्र मलंगिया जीकें नाम सेहो डॉ कहि संबोधित कएल गेल आ मृदुला सिन्हा केर नाम सेहो डॉ लगा संबोधित कएल गेल। जानकारी जुटाकS बात रखबाक चाहि नहि कि सभकेँ संस्थाकें तरफ सँ डॉ कहि संबोधित कS उपहासक पात्र बनबाक चाहि। जखन की ई सब पीएचडी धारक नहि छथि आ से बात मंच सँ मंत्रेश्वर जी सेहो स्वीकार केलथि।
साहित्यिक कार्यक्रमकें मर्यादा केर धेयानमे राखि उपरोक्त त्रुटि पर विशेष ध्यानाकर्षण केर बेगरता अछि। कार्यक्रम समापन संस्थाक उपाध्यक्ष श्री चंद कामतकेँ धन्यवाद ज्ञापन सँ भेल।