Search

प्रवीण नारायण चौधरी

सजग कविता संस्कृति केर तेसर अधिवेशन सफलतापूर्वक संपन्न

अरुणाभ सौरभ केर रिपोर्ट – जनबरी ५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद पर प्रकाशनार्थ!! सजग कविता संस्कृति केर तेसर अधिवेशन दिनांक 29-30 दिसंबर केँ अत्यंत सफलतापूर्वक संपन्न भेल ! उद्घाटन दीप जरा केँ प्रो भीमनाथ झा केलनि । ओकरा बाद अजित आजाद स्वागत भाषण केलनि आ फेर अरुणाभ सौरभ एही सजग कविता संस्कृति आंदोलन पर विस्तार सं सजग कविता संस्कृति केर तेसर अधिवेशन सफलतापूर्वक संपन्न

मिथिलाक विद्वान् केँ मूर्ख विद्वान् सँ सीख लेब आवश्यक

सच त ई छैक जे आइयो मिथिलाक पांडित्यपूर्ण आचार-विचार आ व्यक्तित्व सब देश-विदेश सब ठाम आर्थिक रूप सँ अपन मजबूत स्थिति बनौने छथि। ओना सामान्य दृष्टि सँ देखला पर अर्थक संग-संग वैचारिक सबलता सेहो भरपूर भेटैत अछि। परञ्च मिथिला आइ दुइ देश मे रहितो स्वयं कतहु नहि आ विकृत पहिचान सँ एतुका लोक केँ विभूषित मिथिलाक विद्वान् केँ मूर्ख विद्वान् सँ सीख लेब आवश्यक

इतिहासः लोरिक केर जीवन पर आधारित मैथिली लघु फिल्मक मुहूर्त

हरदी, सुपौल। जनवरी ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! किसलय कृष्ण केर पटकथा – संवाद – गीत – निर्देशन तथा निर्माता मुन्ना चमन केर नव मैथिली फिल्म ‘इतिहास’ केर मुहूर्त समारोह काल्हि मिथिला सुपरिचित – सुप्रतिष्ठित ऐतिहासिक स्थल ‘हरदी दुर्गास्थान’ मे संपन्न भेल। मुहूर्त समारोह मे सुपौल जिलाक जिलाधीश बैद्यनाथ यादव, पिपरा विधानसभा सदस्य (विधायक) यदुवंश यादव, इतिहासः लोरिक केर जीवन पर आधारित मैथिली लघु फिल्मक मुहूर्त

८ जनवरी फेरो हिलत मुम्बईः विद्यापति स्मृति समारोह पनवेल मे

प्रकाश कमती, जनवरी ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! नवीमुम्बई मैथिल समाज : बाबा विद्यापति स्मृति पर्व समारोह ८ जनवरी केँ! नवीमुम्बई मैथिल समाज द्वारा हरेक सालक भाँति अहूबेर ८ जनवरी, रविदिन बाबा विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनाओल जायत। ज्ञात हो जे नवी मुम्बई मैथिल समाज एकटा समाजिक संगठन अछि आर ई संस्था अपन स्थापना दिवसक उपलक्ष्य में विद्यापति ८ जनवरी फेरो हिलत मुम्बईः विद्यापति स्मृति समारोह पनवेल मे

मैथिलीक सर्वोच्च ‘प्रबोध साहित्य सम्मान’ गंगेश गुंजन केँ

प्रत्येक वर्ष मैथिली भाषा-साहित्य-अभियान मे आजीवन उत्कृष्ट योगदान कएनिहार एक सर्जक केँ भाषा-शास्त्री एवं कलकत्ता विश्वविद्यालयक भूतपूर्व हिन्दी विभागाध्यक्ष डा. प्रबोध नारायण सिंहक सम्मान मे स्वस्ति फाउन्डेशन द्वारा सर्वाधिक पुरस्कार रकम रु. १ लाख संग प्रशस्ति पत्र एवं प्रतीक चिह्न सहित प्रदान कएल जाएछ। एहि वर्षक ई सम्मान मैथिली भाषाक प्रसिद्ध स्रष्टा श्री गंगेश गुंजन मैथिलीक सर्वोच्च ‘प्रबोध साहित्य सम्मान’ गंगेश गुंजन केँ

नञ हम रुकब – नञ हमर कलम रुकत

कविता – घनश्याम झा, राघोपुर, मनीगाछी, दरभंगा ककरो अछि ताकत जे रोकि देत हमर कलम केर गति, कतबो कियोक छटपटायत नञ रूकत हमर कलम एको रत्ती। नञ हम रूकब , नञ रोकब कलम कें, लिखबे करब हम अप्पन अभिव्यक्ति , क’ देबय उघार सबटा ठेकेदार के। ओ ठेकेदार जे करैत एला चुगलखोरी, ओ ठेकेदार जे नञ हम रुकब – नञ हमर कलम रुकत

नव वर्षक स्वागत छात्र प्रतियोगिता आ पुरस्कार वितरण सँ

मधुबनी, जनबरी ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! नववर्षक आरंभक संग बाथ गाम मे भेल प्रतियोगिता परीक्षा केर आयोजन * युवा शक्ति द्वारा प्रतियोगिता परीक्षा आयोजन संग नववर्ष केर स्वागत   * प्रतियोगिता परीक्षा सँ बढ़ैत छैक प्रतिस्पर्द्धाक भावना – डॉ. रामसेवक   * बाथ मध्य विद्यालय केर प्रांगण में भेल आयोजन   * आसपास केर गामक कुल नव वर्षक स्वागत छात्र प्रतियोगिता आ पुरस्कार वितरण सँ

यदुवंशीय लोकदेवता लोरिक केर जीवनपर बनत लघु-फिल्म “इतिहास”

जनबरी ३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!   मिथिलाक इतिहास – १६म शताब्दी केँ पर्दापर उतारबाक अति-महत्वपूर्ण कार्य आइ सँ शुभारंभ होमय जा रहल अछि। मैथिली मे लघु-फिल्म ४५ मिनट केर अबधिक कुल १२ लाख टका बजट मे बनत जेकर नाम होयत “इतिहास”। ई मिथिलाक बहुसंख्यक यदुवंशीय समुदाय केर लोकदेवता लोरिक केर जीवन पर आधारित अछि। निर्माता यदुवंशीय लोकदेवता लोरिक केर जीवनपर बनत लघु-फिल्म “इतिहास”

संस्कृत भाषा व शिक्षा पद्धतिक रक्षा लेल आगू एलाह पं. उमेश

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। जनबरी ३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! संस्कृत भाषा केँ समृद्ध करबाक लेल पं. उमेश समर्पित कएलाह अप्पन जीवन, खोललनि संस्कृत पाठशाला – २०१४ मे भेल स्थापना – दर्जनों छात्र करैछ पढाय – आवासीय सुविधा आ निःशुल्क शिक्षादानक व्यवस्था – चैनपुर सब दिन स रहल अछि संस्कृत भाषा के गढ़ “गामक धियापुता गली-कुची मे बौआइत-ढ़हनाइत छल, जेकरा संस्कृत भाषा व शिक्षा पद्धतिक रक्षा लेल आगू एलाह पं. उमेश

जानकीदूत मिथिला अभियानी सुभाषचन्द्र झा

विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः मैथिली कवि-संचारकर्मी सुभाषचन्द्र झा मूल ग्राम मधुबनी जिलाक शिवनगर – मैथिली भाषा एवम् मिथिला संस्कृतिक संरक्षण, संवर्धन एवं प्रवर्धन लेल विश्वविख्यात पुरोधा पंडित ताराकान्त झा केर गाम सँ अबैत छथि संचारकर्मी – कवि – कथाकार – मिथिला राज्य अभियानी – पूर्ण समर्पित कार्यकर्ता – जानकीदूत ‘सुभाषचन्द्र झा’। वर्तमान समय सहरसा कार्यक्षेत्र आ जानकीदूत मिथिला अभियानी सुभाषचन्द्र झा