Search

८ जनवरी फेरो हिलत मुम्बईः विद्यापति स्मृति समारोह पनवेल मे

प्रकाश कमती, जनवरी ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

नवीमुम्बई मैथिल समाज : बाबा विद्यापति स्मृति पर्व समारोह ८ जनवरी केँ!

navi-mumbai-vsps1नवीमुम्बई मैथिल समाज द्वारा हरेक सालक भाँति अहूबेर ८ जनवरी, रविदिन बाबा विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनाओल जायत।

ज्ञात हो जे नवी मुम्बई मैथिल समाज एकटा समाजिक संगठन अछि आर ई संस्था अपन स्थापना दिवसक उपलक्ष्य में विद्यापति स्मृति पर्व मनाबैत छथि। विद्यापति मिथिला केर भाषा आ संस्कृति सहित राजनीतिक अधिकार प्रति समाज केँ साकांक्ष बनेबाक लेल स्मृति मे आनल जेबाक ई परंपरा एहि संस्था द्वारा स्थापनाकालहि सँ कैल जाएत रहल अछि।

एहि बेरक आयोजन बीतल सब आयोजनसँ हंटिकय होयत से जानकारी संस्थाक अध्यक्ष रवि कुमार मंडल ‘मिथिला’ करौलनि अछि। ओ कहलैन जे कार्यक्रम संध्या ४ बजेसँ रात्रि १० बजे धरि हेबाक अछि। प्रसिद्ध शंखवादक विपिन मिश्रा द्वारा शंखनाद एहि बेर विशेष आकर्षण अछि। प्रसिद्ध मैथिली गायक रामबाबू झा, चर्चित मैथिली अभिनेता सह गायक माधव राय, रितू रंजन, सुरेश आनंद, लव किशन उपस्थित श्रोतागण केर मैथिली लोकगीत आ सांस्कृतिक गीत-नादसँ मनोरंज करता। उद्घोषक राधे भाई सेहो पुनः एकबेर अपन हास्य कलाकारी सँ दर्शक लोकनिक मनोरंजन लेल मुम्बई आबि रहला अछि अध्यक्ष मंडल जानकारी करौलनि।

मुम्बई आर आसपास रहनिहार समस्त मैथिल समाजसँ मैथिली जिन्दाबाद केर मार्फत आग्रह करैत समाजक अध्यक्ष मंडल कहलनि अछि जे उक्त कार्यक्रम में सपरिवार उपस्थित भs दूर परदेशहु मे अपन भाषा, संसकृति आर एकजुटताक संदेश दैत कार्यक्रम केँ अपार सफल बनाबी। कार्यक्रम स्थल सिडको मैदान, खांदा कालोनी, सेक्टर ८, न्यू पनवेल मे अछि।

Related Articles