इतिहासः लोरिक केर जीवन पर आधारित मैथिली लघु फिल्मक मुहूर्त

हरदी, सुपौल। जनवरी ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

lorik1किसलय कृष्ण केर पटकथा – संवाद – गीत – निर्देशन तथा निर्माता मुन्ना चमन केर नव मैथिली फिल्म ‘इतिहास’ केर मुहूर्त समारोह काल्हि मिथिला सुपरिचित – सुप्रतिष्ठित ऐतिहासिक स्थल ‘हरदी दुर्गास्थान’ मे संपन्न भेल।

मुहूर्त समारोह मे सुपौल जिलाक जिलाधीश बैद्यनाथ यादव, पिपरा विधानसभा सदस्य (विधायक) यदुवंश यादव, मैथिली कथाकार-उपन्यासकार वरिष्ठ लेखक सुभाषचन्द्र यादव, मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी, मधेपुरा सँ समाजसेवी दिनेश मिश्र तथा स्थानीय बुजुर्ग अभिभावक लोकनिक उपस्थिति मे लोरिकदेव केर पूजित भवानी दुर्गाक मन्दिर प्रांगण मे लघु फिल्म इतिहास केर कलाकार लोकनि, तकनीकी टोली, निर्माता, निर्देशक आ हजारोंक संख्या मे उपस्थित आम जनसमुदाय समक्ष समारोहपूर्वक मुहूर्तक आयोजन कैल गेल अछि।

lorik3फिल्म ‘इतिहास’ मे संगीत देनिहार प्रसिद्ध गायक पवन नारायण, गायिका मोनी तथा मैथिली गीतक दुनियाक बेताज बादशाह सुरेश पंकजक उपस्थिति एहि मुहूर्त समारोह मे चारि चान लगौलक। सह-निर्देशक संदीप झा, तकनीकी संयोजक नरेश मंडल, मीडिया सल्लाहकार सुभाषचन्द्र झा सेहो एहि समारोह मे उपस्थिति देबाक संग-संग समस्त आयोजन केँ अपन विशिष्ट योगदान सँ पूरा कएलनि।

समारोहक मुख्य अतिथि सुपौल जिलाक जिलाधीश एहि फिल्म निर्माण सँ ऐतिहासिक महापुरुषक यथार्थता केँ विश्व भरि मे प्रसार भेटबाक उम्मीद जतौलनि। ओ कहलैन जे लोरिकदेव केर गाथा मे मात्र प्रेम कथाक बात टा नहि अछि, साहित्यकार आ इतिहासकार केर योगदान सँ हुनकर योगदान मानव समाज मे अन्याय विरुद्ध लड़बाक – असहायक सहाय बनबाक गाथा सेहो प्रचलित होयत। एहि फिल्म केर निर्माण मे एकजूट भेल निर्माता-निर्देशक-कलाकार सब केँ शुभकामना दैत जिला स्तर पर हर तरहक सहयोग लेल ओ आश्वासन देलनि।

lori2विशिष्ट अतिथि पिपरा विधानसभा क्षेत्र सँ विधायक यदुवंश यादव अपन गरिमामयी संबोधन मार्फत फिल्म निर्माण कएनिहार सब उद्यमी, कलाकार, परिकल्पक केँ हृदय सँ सराहना करैत आभार प्रकट केलैन आ कहलैन जे जाहि लेल ओ विधानसभा मे संघर्ष करैत आबि रहला अछि जे लोरिक सहित मिथिला-कोसीक अन्य महापुरुष लोकनि केँ राज्य मे विभूतिक रूप मे मान्यता दैत हुनका सब सँ जुड़ल ऐतिहासिक स्थल केँ पर्यटन क्षेत्रक रूप मे घोषित कय राज्य द्वारा विशेष विकासक परियोजना सब आनल जाय, ताहि कार्य मे आब ई फिल्म बड पैघ भूमिका निर्वाह करत। विधायक यादव किसलय कृष्ण संग १२ वर्षक बाद पुनः भेंट होयबाक सच स्वीकार करैत खूब प्रसन्नता व्यक्त केलैन। विगत मे डेढ वर्ष धरि संग रहबाक आर ताहि समय सेहो सृजनशीलता मे आगू रहबाक स्मृति केँ साझा करैत ओ विश्वास व्यक्त कएलनि जे जहिना लोरिकदेव केर जीवन पर आधारित ई लघु सिनेमा बनाकय एहि गाम-समाजक नाम केँ विश्व भरि मे प्रसारित करता तहिना ई सब आगाँ आरो विभिन्न ऐतिहासिक महत्वक स्थलपर कार्य करैत मिथिलाक नाम केँ अमर करता। एहि काज मे विधायकक तरफ सँ जे-जेना सहयोग करबाक स्थिति रहत से कैल जेबाक आश्वासन दैत जिलाधिकारी बैद्यनाथ यादव केँ विशेष तौरपर अनुरोध करैत बेसी स बेसी सहयोग दैत एहि परियोजना सब केँ आगू बढेबाक आ नव इतिहास कायम करबाक भारग्रहण लेल निवेदन कएलनि।

lorik4विशिष्ट अतिथिक रूप मे सहभागी मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी ‘इतिहास’ फिल्म केर समस्त कार्यदल केँ धन्यवाद देबाक संग-संग आभार प्रकट कएलनि जे मिथिलाक लोकदेवताक जीवनपर आधारित कथा-गाथा केँ फिल्मांकन करैत जन-गण-मन बीच प्रसारित करबाक काज करबाक नियारलनि। ओ आम जनमानस केँ वर्तमान बिहार राज्यक उपेक्षापूर्ण नीति जाहि मे निजत्व – निज भाषा, भेष, इतिहास, मूल्य, पहिचान प्रति कोनो उदार नीति नहि रखबाक कारण मात्र १०० वर्षक बिहार मे मिथिला आर एतुका मूल्यवान् इतिहास आब हेराएत-पुरनाएत जेबाक सत्य तरफ ध्यानाकर्षण कएलनि। संगहि ओ आह्वान कएलनि जे जहिना हमरा सभक पुरखा लोरिक, सलहेश, दीनाभद्री आ विद्यापति, अयाची, मंडन बनिकय मिथिलाक मूल तत्त्वक रक्षा करैत रहला अछि ताहि प्रति हमहुँ सब अपन जिम्मेवारी बुझी। अपन भाषा, शिक्षा आ संस्कार प्रति जाति एवम् धर्म सँ ऊपर उठिकय एकजूट बनैत फिल्म उद्यमीक सभक पीड़ा केँ मनन कय मैथिलीक फिल्म देखी, गीतक सीडी कीनी, पोथी कीनी आ पढी। नहि तऽ अपनहि बच्चा केँ लिल्लोह कय दोसराक सुख लेल अपस्यांत भेला सँ दुर्घटना घटय सँ कियो नहि रोकि सकैत अछि। बिहार द्वारा अपनहि भाषा मैथिली केँ राजभाषाक दर्जा नहि देब, सरकारी विज्ञापन मे एहि लेल कोनो बजट खर्च नहि करब, शिक्षक केर नियुक्ति तक नहि करब, इत्यादि उपेक्षा सँ ऊबार पेबाक लेल स्वयं सामर्थ्यवान् बनिकय निर्माता मुन्ना चमन जेकाँ हिम्मतवर काज करय पड़त जाहि मे सब कियो संग देबाक संकल्प ली, ओ अपील कएलनि।

lorik6मुहूर्त समारोह मे बजैत विद्वान् कथाकार-उपन्यासकार सुभाषचन्द्र यादव लोरिकदेव केर जीवन पर प्रकाश दैत हुनकर गाथा मिथिला सँ इतर उत्तर प्रदेश, हिमाचल, आदि राज्य मे लोकमानस मे गान कैल जेबाक दृष्टान्त देलनि। ओ कहलैन जे लोरिकायन मे गायल बात यथार्थ कथा रहल ताहि हेतु ई चिरकाल धरि जीबित अछि। हरदी गाम लोरिक केर जीवनक महत्वपूर्ण हिस्सा रहल अछि। स्वयं समारोह स्थल यानि दुर्गा मन्दिर लोरिक केर आराध्या देवीक मन्दिर थीक। फिल्म निर्माण सँ एहि सब बात केँ स्थापित करबाक एकटा मजबूत विधा भेटत जे जन-जन मे लोरिकक वीरता आ जीवन-संघर्षक विभिन्न पाट केँ बुझय-गुनय लेल प्रस्तुत करत।

एहि समारोहक संचालन स्वयं किसलय कृष्णा करैत फिल्मक रूपरेखा, भविष्यक योजना आ एहि मे विभिन्न भूमिका मे रहल कलाकार सभक परिचय करबैत फिल्मांकन केर शुभारंभ लोरिक (अभिनेताः अनिल मिश्रा) एवं चनैनी (अभिनेत्रीः जानबी झा) सहित उपस्थित अतिथि लोकनि संग फोटो सेशन करौलनि। फिल्मक भाव-भंगिमा केर लाइव प्रस्तुति उपस्थित हजारों दर्शकक सोझाँ मे रखैत गायक पवन नारायण एवं सुरेश पंकज द्वारा किछु पंक्ति गीत आदिक प्रस्तुति सेहो भेल छल।

lorik8निर्माता मुन्ना चमन मिथिलाक आदिपुरुष सभ केँ ईष्ट मानि अपन जीवन हुनका सभक सिखायल बाटपर समर्पण करबाक उद्गार रखैत आगामी समय मे लोरिकक जीवनी पर बनि रहल इतिहास जेकाँ कारू खिरहैर बाबापर सेहो फिल्म बनेबाक वादा कएलनि। एहि फिल्मक निर्माणक इच्छा कतेको वर्ष सँ मन मे पालैत रहबाक बात गछैत ओ किसलय कृष्ण संग सुपौलक ब्राह्मण महासभाक कार्यक्रम मे भेंट केँ मील केर पाथर मानि आगामी मार्च महीना धरि एहि परियोजना केँ पूरा कय लेबाक वचनबद्धता प्रकट कएलनि। फिल्म केर बजट १२ लाख टका अछि, सब इन्तजाम आदिपुरुष सब करौता, बस एतबे विश्वास सँ आगू बढलहुँ आ चमत्कार सभक सोझाँ अछि जे २० नवम्बर केर बाद ३ जनबरी धरि लगभग तीन-चौथाई काज पूरा कय लेल गेल अछि – ओ कहलैन।

lorik9मुहूर्त समारोह केर दोसर सत्र मे रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन छल जाहि मे वरिष्ठ गायक सुरेश पंकज, पवन नारायण आ मोनी केर उत्कृष्ट गायन सँ हरदी आर आसपासक जनता मैथिलीक यथार्थ मीठास मे सराबोर भऽ गेलाह। मैथिली जिन्दाबादक संपादक प्रवीण नारायण चौधरी एहि आयोजन लेल निर्माता आ निर्देशक दुनू गोटाक भरपूर प्रशंसा करैत कहलनि जे ई सब काज जैड़ केँ मजबूत कय रहल अछि। किसलय कृष्ण केर अपार क्षमता सँ मिथिला जेना-जेना परिचित होयत, तेना-तेना महत्वपूर्ण काजक मात्रा बढैत जायत। लछमिनियाँ (सत्तरकटैया) केर विद्यापतिधाम तऽ विद्यापतिक प्रतिमा अनावरण कएला उपरान्त प्रसिद्धि पेलक, लेकिन लोरिक आराध्या हरदीक दुर्गा भवानी आ जनमानस महापुरुषक गाम मे रहितो जेना अन्हार मे छल से आब विश्व प्रसिद्ध भऽ जायत।

मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सम्पूर्ण कार्यदल केँ एक बेर फेर बधाई आ आगामी सफलता लेल शुभकामना!!