जनबरी ३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलाक इतिहास – १६म शताब्दी केँ पर्दापर उतारबाक अति-महत्वपूर्ण कार्य आइ सँ शुभारंभ होमय जा रहल अछि। मैथिली मे लघु-फिल्म ४५ मिनट केर अबधिक कुल १२ लाख टका बजट मे बनत जेकर नाम होयत “इतिहास”। ई मिथिलाक बहुसंख्यक यदुवंशीय समुदाय केर लोकदेवता लोरिक केर जीवन पर आधारित अछि। निर्माता मुन्ना पाठक मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी देलनि। पटकथा, संवाद आ गीत किसलय कृष्ण केर रहत, जखन कि सह-लेखनक कार्य सुभाष चन्द्रा करता।
मैथिली मे अफवाह, कनियां पुतरा, आदि सफल लघु फिल्म केर बाद लोरिक केर जीवन पर आधारित “इतिहास” सँ बहुत आशा अछि। १६म शताब्दी केँ पर्दा पर उतारबाक काज चुनौतीपूर्ण अछि, लेकिन मेहनत सँ कि नहि पूरा होएत छैक, योजना त एहेन अछि जे मैथिली फिल्म केर जगत मे ‘न भूतो न भविष्यति’ वला कहबी सिद्ध करत ई लघु फिल्म। निर्देशक किसलय कृष्ण जनतब दैत कहलनि।
आइ सुपौल जिलाक जिलाधीश बैद्यनाथ यादव सहित स्थानीय विधायक, विद्वान् आ समाजसेवी लोकनिक उपस्थिति मे लोरकदेव केर पूज्य आराध्या हरदी (सुपौल) अवस्थित दुर्गा मन्दिर प्रांगण मे एकर मुहुरत होयत। एहि कार्यक्रम मे मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी सेहो आमंत्रित छथि। एहि फिल्म मे अनिल मिश्रा, जानबी झा, आस्था मिश्रा केर अभिनय होयत, ओत्तहि पनव नारायण केर संगीत मे पार्श्व गायन उदित नारायण, साधना सरगम केर रहतनि।
आइ पहिल फिल्मांकन हरदी स्थित दुर्गा मन्दिर सँ होयत – एहि ठाम लोरिक केर विशाल सम्राज्य रहबाक श्रुति आ लिखित इतिहास भेटैत अछि। अनुसंधान मे डा. ब्रजकिशोर वर्मा मणिपद्म केर लेखनी केँ आधार मानबाक संग मायानन्द मिश्र केर आलेख आ कुणाल केर नाटक लोरिकायन आदिक सन्दर्भ सँ एकर पटकथा तैयार करबाक जानकारी किसलय कृष्ण करौलनि अछि। सुपौल जिला स्थित चौघारा केर विद्वान् डा. लक्ष्मी प्रसाद श्रीवास्तव सेहो खूब लिखने छथि लोरिक ओ लोरिकायनक मादे, कि हुनकर आलेख सेहो सन्दर्भ मे लेल जायत, एहि प्रश्नक उत्तर मे किसलय कृष्ण आश्वासन देलनि जे ई आरो महत्वपूर्ण जनतभ भेटल आर एकर उपयोग कैल जायत।
आजुक मुहुरत मे जिलाधीश केर अलावे वरिष्ठ लेखक डा. सुभाषचन्द्र यादव, आरक्षी अधीक्षक एकले साहेब, जिला आयुक्त अखिलेश झा, मैथिलीक वरिष्ठ गायक सुरेश पंकज, पवन नारायण, कंचन पाण्डे आदि सहभागी हेताह।