Search

नव वर्षक स्वागत छात्र प्रतियोगिता आ पुरस्कार वितरण सँ

225 भ्यूज

मधुबनी, जनबरी ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

नववर्षक आरंभक संग बाथ गाम मे भेल प्रतियोगिता परीक्षा केर आयोजन
* युवा शक्ति द्वारा प्रतियोगिता परीक्षा आयोजन संग नववर्ष केर स्वागत
 
प्रतियोगिता परीक्षा सँ बढ़ैत छैक प्रतिस्पर्द्धाक भावना – डॉ. रामसेवक

 
* बाथ मध्य विद्यालय केर प्रांगण में भेल आयोजन
 
* आसपास केर गामक कुल ६४ छात्र सब लेलनि भाग
 
* कक्षा सात सँ दस धरिक छात्र भेल पुरस्कृत
 
mithila-pratiyogitaमधेपुर प्रखण्ड केर बाथ गामक मध्य विद्यालयक प्राङ्गण मे नववर्ष केर स्वागत छात्र सभक बीच प्रतियोगिता परीक्षा आयोजनक संग भेल ।
आयोजक बाथ गामक एक योग्य ईन्जिनियर युवा दीपक कुमार झा कएलनि । दीपक भुवनेश्वर सँ इंजीनियरिंग केर पढ़ाई पूरा कय विगत दुइ वर्ष सँ बैंगलूरु में कार्यरत छथि । नव वर्ष मनेबाक एक उत्तम परम्पराक शुरुआत करबाक श्रेय दीपक केँ भेटलनि । नव वर्ष केर उपलक्ष्य हर्षोत्सव मनेबाक लेल छोट-छोट बच्चाक संग ओकरा सभक प्रतिभाक उजागर करबाक दृष्टि सँ अत्यन्त महत्वपूर्ण आ सराहनीय पहल हेबाक चर्चा चारू तरफ चलि रहल अछि ।
निजी स्तर सँ दीपक कुमार झा द्वारा रवि दिन एकटा प्रतियोगिता परीक्षाक आयोजन कैल गेल जाहि मे बाथ गाम सहित आसपास केर कुल ६४ प्रतिभागी सम्मलित भेल छल । पुरस्कार वितरण समारोह केर अध्यक्षता करैत मुखिया सुभाष झा कहलखिन जे आधुनिकताक वर्तमान जुग मे ग्रामीण युवा दीपक कुमार झा द्वारा गामक बच्चा सब लेल एहि तरहक शैक्षणिक कार्यक्रम आयोजन कय केँ पुरस्कृत करब निश्चित रुप सँ अनुकरणीय अछि ।
शिक्षाविद् डॉ. रामसेवक झा अपन भावना रखैत कहलखिन जे प्रतियोगिता परीक्षा आयोजन सँ छात्र सब मे प्रतिस्पर्द्धाक भावना जागृत होएत छैक । डॉ. झा प्रतियोगिता परीक्षाक स्वरुप पर प्रतियोगी छात्र सब केँ जानकारी दैत खूब लगन आ परिश्रम सँ तैयारी करबाक आह्वान कएलनि ।
कार्यक्रम मे सोनू कुमार झा, दीपक झा, विभा देवी, रीता देवी, रामनरेश झा, अनिल झा, चन्द्रकान्त मिश्र सेहो छात्र-छात्रा केँ प्रतियोगिता आ एकर प्रभाव, गाम सँ लैत राष्ट्र केर सेवा मे छात्र लोकनिक दायित्व आदिक बोध करबैत सारगर्वित सम्बोधन कैल गेल । प्रतियोगिता मे सफल प्रथम, द्वितीय आ तृतीय छात्र केँ विशिष्ट पुरस्कार तथा ९ छात्र केँ सान्त्वना तथा अन्य सब केँ सेहो सहभागिता पुरस्कार सँ पुरस्कृत कैल गेल ।
ई आयोजन निरन्तर हर वर्ष आयोजन करबाक प्रतिबद्धता आयोजक युवा दीपक कुमार झा जतौलनि ।

Related Articles