Search

प्रवीण नारायण चौधरी

चनमा द्वारा अड़हुल केर आयोजन महोत्तरी मिथिला नेपाल मे विजयादशमीक दिन

महोत्तरी, मिथिला, नेपाल। अक्टूबर १५, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! काठमांडूक बाद मैथिली साहित्यिक-सांस्कृतिक विमर्श महोत्तरी मिथिला नेपाल मे किछु मास पूर्व मे साहित्यिक विमर्शक संग लोकसंस्कृतिक विभिन्न विधा पर अलग-अलग सत्र मे कयल गेल विद्वत् परिचर्चा गोष्ठी ‘चनमा’ जेकर आयोजन नेपालक राजधानी काठमांडू मे कयल गेल छल, आर क्रमिक रूप सँ ‘चनमा’ नामक आयोजन समूह आब चनमा द्वारा अड़हुल केर आयोजन महोत्तरी मिथिला नेपाल मे विजयादशमीक दिन

बागेश्वर बाबू लेल श्रद्धाञ्जलि सुमन अर्पण – नहि रहलाह मैथिलीक ‘श्रीदेव’

हँसैते हँसैते चलि देलाह बागेश्वर बाबू   संलग्न प्रथम तस्वीर २ वर्ष पहिलुका दिल्लीक गोविन्दुपुरी स्थित आदरणीय कृपानन्द झा सर केर निवासस्थल पर आयोजित कार्यक्रम स्वतंत्र भारत मे मिथिलाक योगदान आ वर्तमान अवस्था पर राखल गेल परिचर्चा गोष्ठीक समापन उपरान्त सामूहिक फोटोग्राफीक थिक – साभार रोहित यादव।   संलग्न दोसर तस्वीर यैह वर्ष इन्दिरा गाँधी बागेश्वर बाबू लेल श्रद्धाञ्जलि सुमन अर्पण – नहि रहलाह मैथिलीक ‘श्रीदेव’

ट्रेन बाइक केर टक्कर, एक १५ वर्षीय युवक केर मृत्यु समस्तीपुरक सिंघियाघाट मे

समाचार साभार १२ अक्टुबर केँ समस्तीपुर जिलाक विभूतिपुर थानाक सिंघियाघाट पुरवारी रेल गुमतीक पास ट्रेन और बाइक केर टक्कर मे एक युवक केर घटनास्थलहि पर मृत्यु होयबाक दुखद समाचार अछि। मृतक केर पहिचान सिंघिया बुजर्ग दक्षिण केर भिड़ी टोला निवासी गरीब पासवानक बेटा १५ वर्षीय राजमणि पासवान केर रूप मे कयल गेलैक अछि। घटनाक सम्बंध ट्रेन बाइक केर टक्कर, एक १५ वर्षीय युवक केर मृत्यु समस्तीपुरक सिंघियाघाट मे

श्रीमद्देवीभागवतसुभाषितसुधा – ज्ञान प्राप्तिक संछिप्त आ अत्यन्त महत्वपूर्ण आधार

श्रीमद्देवीभागवतसुभाषितसुधा   येन केनाप्युपायेन कालातिवाहनं स्मृतम्। व्यसनैरिह मूर्खाणां बुधानां शास्त्रचिन्तनैः॥   जाहि कोनो प्रकार सँ समय त बीतिते रहैत छैक, मुदा मूर्खक समय व्यर्थ दुर्व्यसन मे बीतैत छैक आर विद्वान् केर समय शास्त्रचिन्तन मे जाइत छैक। (१/१/१२)   मूर्खेण सह संयोगो विषादपि सुदुर्जरः। विज्ञेन सह संयोगः सुधारससमः स्मृतः॥   मूर्खक संग स्थापित कयल गेल सम्पर्क श्रीमद्देवीभागवतसुभाषितसुधा – ज्ञान प्राप्तिक संछिप्त आ अत्यन्त महत्वपूर्ण आधार

आर फेर एक बहादुर-हिम्मती-ईमानदार पुलिस अधिकारी भेला शहीद – पसराहा थाना प्रभारी आशीष कुमार शहीद

समाचार साभार पटना: बिहार केर खगड़िया जिला मे अबेर राति अपराधी और पुलिस केर मुठभेड़ मे पसराहा थानाक प्रभारी आशीष कुमार केर गोली लगलाक कारण घटनास्थल पर मृत्यु होयबाक दुखद समाचार अछि। ओत्तहि किछु आरो पुलिसकर्मी घायल सेहो भेलाह अछि। पुलिस और अपराधीक बीच मुठभेड़ केर सूचना भेटिते खगड़िया पुलिस अधीक्षक मीनू कुमारी, गोगरी एसडीपीओ प्रमोद कुमार आर फेर एक बहादुर-हिम्मती-ईमानदार पुलिस अधिकारी भेला शहीद – पसराहा थाना प्रभारी आशीष कुमार शहीद

श्रीमद्देवीभागवतमाहात्म्य – मननीय एवं अनुकरणीय शिक्षा

श्रीमद्देवीभागवतमाहात्म्य देवीभागवतं नाम पुराणं परमोत्तमम्। त्रैलोक्यजननी साक्षाद् गीयते यत्र शाश्वती॥ श्रीमद्भागवतं यस्तु पठेद्वा श्रृणुयादपि। श्लोकार्धं श्लोकपादं वा स याति परमां गतिम्॥ पूजितं यद्गृह्ये नित्यं श्रीभागवतपुस्तकम्। तद्गृहं तीर्थभूतं हि वसतां पापनाशकम्॥ यस्तु भागवतं देव्याः पठेद् भक्त्या श्रृणोति वा। धर्ममर्थं च कामं च मोक्षं च लभते नरः॥ सुधां पिबन्नेक एव नरः स्यादजरामरः। देव्याः कथामृतं कुर्यात् कुलमेवाजरामरम्॥ अष्टादशपुराणानां श्रीमद्देवीभागवतमाहात्म्य – मननीय एवं अनुकरणीय शिक्षा

गुणक मिश्रणभाव आ देवीक बीज मन्त्र

स्वाध्यायालेख – गुणक मिश्रणभाव आ देवीक बीज मन्त्र महिमा (श्रीमद्देवीभागवत केर कथा) – प्रवीण नारायण चौधरी (संकलन एवं अनुवाद) अठारह हजार श्लोक सँ भरल देवीक महिमागान करयवला श्रीमद्देवीभागवत कथा मे सँ एकटा महत्वपूर्ण कथाक स्वाध्याय आइ पाठक लोकनिक सोझाँ रखबाक इच्छा भेल।   तृतीय अध्याय केर ९मा अध्याय मे महान ग्रंथकार व्यासजी द्वारा अत्यन्त महान गुणक मिश्रणभाव आ देवीक बीज मन्त्र

विराटनगरक प्रसिद्ध मुशायरा एहि बेर १७ नवम्बर केँ होयत

विराटनगर, अक्टूबर ११, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!   नेपालक प्रसिद्ध औद्योगिक व ऐतिहासिक नगरी विराटनगर मे दोसर बेर ‘इन्डो-नेपाल मुशायरा’ – बहुभाषिक कवि सम्मेलन केर आयोजन होयबाक जानकारी कौमी एकता मंच विराटनगर द्वारा करायल गेल अछि। मंचक अध्यक्ष ताजिम अहमद तथा कार्यक्रम संयोजक जफर अहमद जमाली एहि बेरुक आयोजन १७ नवम्बर २०१८ तदनुसार १ गते मंसिर विराटनगरक प्रसिद्ध मुशायरा एहि बेर १७ नवम्बर केँ होयत

कलियुगी राजनीति केर जहर सँ समाज केँ आजाद करबाक लेल ग्रामीण यात्रा आ लोकवार्ता जरूरी

संस्मरण आ नव कार्यक्रम देखिते-देखिते ४ वर्ष बीत गेल!   मिथिला ग्रामीण जागरण यात्रा मे एखन धरि सैकड़ों गाम घुमि चुकल छी। लोकसम्पर्क बड पैघ बात होइत छैक। सिर्फ नेतागिरी आ वोट मांगय लेल भ्रमणक जरूरत नहि, बल्कि समाजक विभिन्न जरूरी विषय पर चिन्तन लेल आइ एहेन भ्रमण बड जरूरी भऽ गेल अछि। राजनीतिक तौर कलियुगी राजनीति केर जहर सँ समाज केँ आजाद करबाक लेल ग्रामीण यात्रा आ लोकवार्ता जरूरी

तेसर मैथिल वर-वधू परिचय सम्मेलन मधुबनीक आयोजन पर आयोजकक बैसार मुम्बई मे

मुम्बई सँ राजकुमार झा – मैथिल समन्वय समिति द्वारा तेसर बेरुक वर-वधू परिचय सम्मेलन केर तैयारी पर समीक्षा बैसार सम्बन्ध मे निम्न जानकारी व्हाट्सअप मार्फत शेयर कएने छथि।  विदित हो जे आगामी १८ नवम्बर मधुबनीक वाटसन स्कूल केर प्रांगण मे मैथिल वर-वधू परिचय सम्मेलन एहि वर्ष तेसर बेरुक आयोजन होयत जाहि मे मिथिलाक लोक केँ तेसर मैथिल वर-वधू परिचय सम्मेलन मधुबनीक आयोजन पर आयोजकक बैसार मुम्बई मे