Search

आर फेर एक बहादुर-हिम्मती-ईमानदार पुलिस अधिकारी भेला शहीद – पसराहा थाना प्रभारी आशीष कुमार शहीद

समाचार साभार

पटना: बिहार केर खगड़िया जिला मे अबेर राति अपराधी और पुलिस केर मुठभेड़ मे पसराहा थानाक प्रभारी आशीष कुमार केर गोली लगलाक कारण घटनास्थल पर मृत्यु होयबाक दुखद समाचार अछि। ओत्तहि किछु आरो पुलिसकर्मी घायल सेहो भेलाह अछि। पुलिस और अपराधीक बीच मुठभेड़ केर सूचना भेटिते खगड़िया पुलिस अधीक्षक मीनू कुमारी, गोगरी एसडीपीओ प्रमोद कुमार झा समेत कतेको रास थानाक पुलिस घटनास्थल दिश रवाना भऽ गेलाह अछि। जानकारीक मुताबिक घटना गंगा नदीक सलारपुर दियारा इलाकाक थिक। ई इलाका अपराधी लोकनिक शरणस्थलीक तौर पर कुख्यात अछि। कहल जा रह अछि जे अबेर राति पसराहा थाना पुलिस केँ सूचना भेटल छलैक जे सलारपुर दियारा मे खगड़िया और नवगछिया इलाका सँ अपराधी सभक जमावड़ा भऽ रहलैक अछि।

फोटो साभारः लाइव सिटीज

एहि सूचना पर पसराहा थाना प्रभारी आशीष कुमार पुलिस बल केर संग अपराधी सभक गिरफ्तारीक लेल निकललाह। अपराधी पुलिस केँ देखिते फायरिंग शुरू कय देलक। जेकरा बाद पुलिस दिश सँ सेहो गोलीबारी शुरू भऽ गेलैक। मुठभेड़ मे पसराहा थाना प्रभारी आशीष कुमार और किछु जवान केँ गोली लगलनि। जाहि मे पसराहा थाना प्रभारी केर मौके पर मृत्यु भऽ गेलनि। दोसर दिश, अपराधी सभक सेहो मारल जेबाक समाचार अछि। बहुतो थानाक पुलिस घटनास्थल पर पहुंचि गेला अछि। कहैत चली जे आशीष कुमार 2017 मे अपराधी सभक संग  मुठभेड़ मे घायल भऽ चुकल छलाह।

(समाचारः एनडीटीवी अनलाईन)

Related Articles