Search

विराटनगरक प्रसिद्ध मुशायरा एहि बेर १७ नवम्बर केँ होयत

विराटनगर, अक्टूबर ११, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
 
नेपालक प्रसिद्ध औद्योगिक व ऐतिहासिक नगरी विराटनगर मे दोसर बेर ‘इन्डो-नेपाल मुशायरा’ – बहुभाषिक कवि सम्मेलन केर आयोजन होयबाक जानकारी कौमी एकता मंच विराटनगर द्वारा करायल गेल अछि। मंचक अध्यक्ष ताजिम अहमद तथा कार्यक्रम संयोजक जफर अहमद जमाली एहि बेरुक आयोजन १७ नवम्बर २०१८ तदनुसार १ गते मंसिर २०७५ विक्रम संवत केँ विरेन्द्र सभागृह विराटनगर मे होयबाक जानकारी करौलनि अछि। एहि मुशायरा कार्यक्रम मे मैथिली, नेपाली, मारवाड़ी, हिन्दी संग-संग ऊर्दूक महान शायर लोकनि नेपाल आ भारत सँ सहभागिता देबाक पुष्टि कयलनि अछि।
 
मुशायराक संयोजक अकमल बलरामपुरीक उपस्थिति मे एहि दोसर बेरुक आयोजन मे पुनः गोष्ठी संचालक विकाश बौखल केर सहभागिता रहबाक जानकारी भेटल अछि। मैथिलीक प्रसिद्ध कवि आ शायर डा. अशोक कुमार मेहताक संग मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरीक सहभागिता रहत। तहिना नेपाली भाषाक प्रसिद्ध कवि विवश पोखरेल, सीमा आभास, शिव नारायण पन्डित सिंगल, मारवाड़ी भाषाक लक्ष्मण कुमार नेवटियाक उपस्थिति केर पुष्टि भेल अछि। तहिना माया मितु सेहो नेपाली कवियित्रीक रूप मे भात लेती। असद बस्तवी, चाँदनी शबनम, गुल-ए-शबा फत्तेहपुरी, सुहैल आजाद, असद माहताब तथा सुप्रिया शबनम भारत सँ सहभागिता देबय लेल विशेष रूप सँ उपस्थित हेती।
 
हर कौम केर बीच मे धार्मिक स्वतंत्रता, सौहार्द्रता, भाईचारा आ शान्तिक संग साहित्य-संस्कृति प्रति जागरुकता वास्ते विगत कतेको साल सँ एहि तरहक आयोजन कौमी एकता मंच द्वारा विराटनगर आ आसपासक क्षेत्र मे कयल जाइत रहल अछि। पिछला वर्ष बाढिक समय मे राहत बँटवारा मे सेहो ई संस्था बहुत महत्वपूर्ण भूमिकाक निर्वहन कएने छल। गोटेक स्वार्थलोलुप तथा चरमपंथी तत्त्वक कारण समग्र मुस्लिम समाज प्रति नकारात्मकता सँ भरल सोच बढि रहबाक वातावरण मे एहि तरहक आयोजन सँ मुस्लिम समाजक आत्मीयता, सहिष्णुता आ आपसी सौहार्द्रता तथा भाईचारा लेल प्रयासक सन्देश देबाक लेल ई आयोजन बड पैघ भूमिका निर्वाह करबाक बात एकर उपाध्यक्ष ओसिम आलम बतेलनि।

Related Articles