ट्रेन बाइक केर टक्कर, एक १५ वर्षीय युवक केर मृत्यु समस्तीपुरक सिंघियाघाट मे

समाचार साभार

१२ अक्टुबर केँ समस्तीपुर जिलाक विभूतिपुर थानाक सिंघियाघाट पुरवारी रेल गुमतीक पास ट्रेन और बाइक केर टक्कर मे एक युवक केर घटनास्थलहि पर मृत्यु होयबाक दुखद समाचार अछि। मृतक केर पहिचान सिंघिया बुजर्ग दक्षिण केर भिड़ी टोला निवासी गरीब पासवानक बेटा १५ वर्षीय राजमणि पासवान केर रूप मे कयल गेलैक अछि। घटनाक सम्बंध मे बतायल जाइत अछि जे ट्रेन केर एबाक बेर गुमती बन्द होयबाक बादो ओ युवक जल्दीबाजी मे बाइक सँ गुमतीक बगल सँ रेल लाइन पार करय चाहैत छल। एहि बीच जानकी एक्सप्रेस ट्रेन आबि गेलैक आर ओ बाइक सहित ओहि ट्रेन केर चपेट मे आबि गेलैक। ट्रेन केर चपेट मे एला सँ ओकर मृत्यु भऽ गेलैक आ बाइक केर परखच्चा से उड़ि गेलैक। बाइक केर पार्ट-पुर्जा एतेक दूर धरि छितरा गेलैक जे ओकर नामोनिशान धरि नहि बचलैक।

(लाइव हिन्दुस्तान)