Search

प्रवीण नारायण चौधरी

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आबि रहल छथि नेपाल, शुरुआत मिथिलाक प्राचीन राजधानी जनकपुर सँ

मई ९, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र दामोदर दास मोदीक नेपाल भ्रमण मई ११ तारीख सँ नेपालक दुइ दिवसीय भ्रमण आरम्भ होमय जा रहल अछि। हालहि नेपालक नवनिर्वाचित प्रधानमंत्री खड्ग प्रसाद ओलीक भारतक राजकीय भ्रमण मे भेटल औपचारिक आमंत्रण उपरान्त भारतीय प्रधानमंत्री मोदीजी अपन पूर्व नियारल मिथिलाक प्राचीन राजधानी जनकपुर केर भ्रमण एहि बेर प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आबि रहल छथि नेपाल, शुरुआत मिथिलाक प्राचीन राजधानी जनकपुर सँ

फिल्म समाज लेल आईना होएत छैक, सन्दर्भ नेपाली-मैथिली फिल्म ‘भोर’

सन्दर्भ फिल्म – भोर नेपाल मे मैथिली कथानक पर बनल फिल्म ‘भोर’ पर व्यर्थ विवाद कियैक?   एखन नेपाल मे एकटा सिनेमा रिलीज भेल अछि ‘भोर’। एहि मे कहाँ दिन दहेज लोभी सभक चरित्र सब बड़ा बेवाकी सँ देखायल गेलैक अछि। सामाजिक संजाल पर एहि सिनेमाक कथानक पर बहुत तरहक चर्चा देखि रहल छी। एखनहि फिल्म समाज लेल आईना होएत छैक, सन्दर्भ नेपाली-मैथिली फिल्म ‘भोर’

बसन्त थिक लोकदेवता ‍- सत्यकथा

बसन्त थिक लोकदेवता – प्रवीण नारायण चौधरी   मेहनतिक फल सब दिन आ सब ठाम मीठ होएत छैक। एहि कथनी केँ चरितार्थ करैत अछि बसन्तक जीवनचर्या आ ओकर कर्मठता। जातिक ओ भले मुसहर अछि, परञ्च ओकर भीतर रहल जिजीविषा ओकरा जीवन जियबाक अपन एकटा अलग कला आ शैली जे जातिगत परम्परा सँ सर्वथा भिन्न छैक बसन्त थिक लोकदेवता ‍- सत्यकथा

स्वरोजगारक सरकारी योजना आ लाभ केकरा भेटैत अछि

स्वरोजगारक सरकारी योजना आ आम जनमानस   आम जनता केँ राजकाजक विषय मे अत्यल्प रुचि आ जुड़ावक कारण स्वरोजगारक सरकारी योजनाक जानकारी नहि के बरोबरि रहैत छैक। एकर लाभ उठेबाक लेल बामोस्किल २-३% फीसदी लोक प्रत्यक्ष सर्वेक्षण मे अभरैत अछि। सेहो केहेन लोक एहि तरहक योजनाक लाभ उठा पबैत अछि? जेकर संबंध सरकारी योजना पर स्वरोजगारक सरकारी योजना आ लाभ केकरा भेटैत अछि

बेरोजगारीक सर्वोत्तम निदानः स्वरोजगार

लेख – प्रवीण नारायण चौधरी स्वरोजगार सर्वोत्तम आ सहज वर्तमान युग मे स्वरोजगारक अनेकों अवसर खुलेआम उपलब्ध अछि। बस, कनेक होशियारी, कनिके हिम्मत, कनिकबा जोखिम आ बहुते रास धैर्य, उचित मात्रा मे परिश्रम आ पूर्णरूपेण तत्परता सँ स्वरोजगार मे सफलता भेटब निश्चित होयत। आर्थिक युग मे अर्थ उपार्जनक महत्व कतेक बेसी छैक से सर्वविदिते अछि। बेरोजगारीक सर्वोत्तम निदानः स्वरोजगार

भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी पर केन्द्रित एक महत्वपूर्ण सर्वेः साभार दैनिक भास्कर

सर्वे भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी तथा हुनकर नेतृत्व मे चलि रहल भारत सरकार सँ अहाँ कतेक सन्तुष्ट-असन्तुष्ट छी ताहि सन्दर्भ मे साभार दैनिक भास्कर ई सर्वे मैथिली जिन्दाबाद पाठक लेल राखि रहल छी। कृपया अपन जबाब कमेन्ट बक्स मे निम्न प्रश्नोत्तरी केँ कोपी कय अपन जबाबक ओप्शन मात्र राखि बाकी केँ डिलिट कय केँ पोस्ट भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी पर केन्द्रित एक महत्वपूर्ण सर्वेः साभार दैनिक भास्कर

जखन भगवान् केँ मात्र एक्के परिवारक हेतु सँ ३-३ बेर अवतार लेबय पड़लन्हि

आध्यात्म भगवान् विष्णु केर ३ अवतार सिर्फ एक परिवार लेल साभारः दैनिक भास्कर   हालहि २८ अप्रैल केँ भगवनाम नृसिंह केर जन्मोत्सव भेलनि। भगवान विष्णु द्वारा हिरण्यकशिपु केर बेटा प्रहलाद केर रक्षाक लेल आधा शेर और आधा मानव केर रुप मे अवतार लेने छलाह। एहेन नहि छैक जे भगवान् विष्णु केवल प्रहलाद केर रक्षा या जखन भगवान् केँ मात्र एक्के परिवारक हेतु सँ ३-३ बेर अवतार लेबय पड़लन्हि

शर्माजीक ५० मैथिली चुटकुला

हास्य-प्रहसन लेखन साहित्य लेखनक एकटा विशिष्ट विधा मानल जाएछ। मैथिली भाषा मे एक सँ एक दिग्गज रचनाकार हास्यरस केर प्रयोग करैत अपन नाम प्रसिद्ध कय चुकल छथि। एहि मे खट्टर काकाक नाम बड़ ऊपर छन्हि। समाजक यथार्थ केँ चित्रित करैत बड़ा बेवाकी सँ ओ लेखन कार्य करथि। हुनकर जोड़ी एखन धरि नहि भेटल अछि हमरा शर्माजीक ५० मैथिली चुटकुला

मैथिल जँ तमसा जाय तँ….. प्रसंग दैनिक जागरण द्वारा मैथिली केँ हिन्दीक बोली कहबाक जुर्रत

एक आरो प्रसंग पर लिखय सँ अपना केँ नहि रोकि सकलहुँ आइ…. पहिने कहि देने छी जे लिखबाक बहुत बात अछि, बहुत रास सामग्री गाम सँ बटखर्चाक रूप मे अनने छी। ई प्रसंग अछि जे विगत १५ दिन मे बहुत रास नव-नव घटना घटल जाहि मे दैनिक जागरण द्वारा मैथिली केँ ‘हम हैं हिन्दी’ (हिन्दीक मैथिल जँ तमसा जाय तँ….. प्रसंग दैनिक जागरण द्वारा मैथिली केँ हिन्दीक बोली कहबाक जुर्रत

मनुष्य देहक महत्वः गूढ तत्त्व समीक्षा मे पंडित रुद्रधर झा – भाग २

मनुष्य देह केर महत्व   – पंडित रुद्रधर झा (अनुवाद – प्रवीण नारायण चौधरी)   क्रमशः उपरान्त – भाग २   असाधारण मानव शरीर केर दोसर असाधारण कार्य थिक – अपना द्वारा कयल गेल कर्म केर फलक कामना, कर्म मे आसक्ति तथा कर्म केँ करबाक अहंकार केँ छोड़िकय सदा समता सँ युक्त भऽ भगवान् केर मनुष्य देहक महत्वः गूढ तत्त्व समीक्षा मे पंडित रुद्रधर झा – भाग २