Search

प्रवीण नारायण चौधरी

बिपीएससी टौपर भाष्कर ज्योति केर सन्देशः लोक सेवा आयोग परीक्षा मे मैथिली मे केना बेहतरीन प्रदर्शन कय सकब

बिपीएससी आ यूपीएससी परीक्षा के तैयारी करय लेल मैथिली भाषा-साहित्य केँ वैकल्पिक विषय चयन करनिहार अभ्यर्थी लेल उपयोगी सामग्री संकलन करबाक क्रम मे आइ अपने सभक समक्ष एकटा वीडियो लिंक साझा कय रहल छी। एहि वीडियो मे बिपीएससी टौपर भाष्कर ज्योति द्वारा वीडियो सन्देश मार्फत बहुत रास उपयोगी जानकारी देल गेल अछि। वैकल्पिक विषय के बिपीएससी टौपर भाष्कर ज्योति केर सन्देशः लोक सेवा आयोग परीक्षा मे मैथिली मे केना बेहतरीन प्रदर्शन कय सकब

हम सब एक परिवारक सदस्य छी

विचार – प्रवीण नारायण चौधरी १६ जून २०२१, विराटनगर। कृतज्ञ प्रवीणक अभिवादन स्वीकार करू   हृदयतल सँ धन्यवाद, अपने लोकनिक शुभकामना आ आशीर्वाद पाबि हमर सुपुत्री व हम समस्त परिवार कृतज्ञ भेल छी। वास्तव मे फेसबुक हमरा सब गोटा केँ एकठाम आनि देने अछि, दूर-दूर रहितो हम सब एकदम मानवीय ढंग सँ मानवताक सर्वोच्च रूप हम सब एक परिवारक सदस्य छी

हँसी कि कानी – आध्यात्मिक चिन्तन आ जीवन दर्शन

विचार – प्रवीण नारायण चौधरी हँसी कि कानी….! किछु दिन सँ दिमाग मे एहेन-एहेन बात आबि रहल अछि जे खने हँसबैत अछि, खने दुःखी कय दैत अछि। अपन मनोभाव इजहार कय शायद कने हल्लुक हुए। बात एहेन छैक जे हम मिथिलावासी मे डीएनए अछि ‘जनक’ केर, जिनका विदेह सेहो कहल जाइत छन्हि… विदेह एहि लेल हँसी कि कानी – आध्यात्मिक चिन्तन आ जीवन दर्शन

कि मैथिली-मिथिला के नाम पर ग्रुप बना पैसा कमेबाक धन्धा चलि रहल अछि?

१५ जून २०२१, मैथिली जिन्दाबाद!! संचारकर्मी निशान्त झा द्वारा एकटा दुर्भाग्यपूर्ण समाचार सार्वजनिक कयल गेल अछि जे मैथिली-मिथिलाक नाम पर फेसबुक समूह निर्माण कय ओतय विज्ञापन व प्रचार-प्रसार लेल बिना समुचित नियमन वा कर-प्रबन्धनक टका वसूली कारोबार चलायल जा रहल अछि। निशान्त झा ‘हम सब मैथिल छी’ फेसबुक समूह व एकर व्यवस्थापक सुनीत झा पर कि मैथिली-मिथिला के नाम पर ग्रुप बना पैसा कमेबाक धन्धा चलि रहल अछि?

बिपीएससी परीक्षाक तैयारी लेल किछु महत्वपूर्ण सुझाव

बिपीएससी परीक्षा मे सफलता प्राप्त अभ्यर्थीक अनुभव – संजय मिश्र, दरभंगा (लेखक बिपीएससी परीक्षा पास कय हाल एसिस्टैन्ट कमिशनर टैक्स पद पर कार्यरत छथि) विगत किछ बरिखसँ बिपीएससी के सत्र नियमित भेलाक उपरान्त अभ्यर्थी लोकनि नियमित रूपेण एकर तैयारीमे जुटला व एकरा अपन करियरक आप्सन राखि रहल छथि। आर, ओहिमे मैथिली भाषा एवं साहित्य एकटा बिपीएससी परीक्षाक तैयारी लेल किछु महत्वपूर्ण सुझाव

कि अहाँक गाम-ठाम मे अछि कोनो मिथिला धरोहर – पर्यटकीय महत्वक स्थल

मिथिलाक धरोहर   मिथिला के सब गाम अछि सुन्दर बचाउ एहि ठामक सब धरोहर   एहि नाराक संग ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केर परिकल्पना २०११ ई. मे कयल गेल। सिर्फ दहेज-दहेज करब त मिथिलाक चतुर-चालाक जनता अभियान केँ हवा मे उड़ा देत, लेकिन समाज, शिक्षा, संस्कार, भाषा, संस्कृति, साहित्य संग अपन इतिहास आ ऐतिहासिक धरोहर केर कि अहाँक गाम-ठाम मे अछि कोनो मिथिला धरोहर – पर्यटकीय महत्वक स्थल

भारत मे मैथिलीक एकहु टा टीवी चैनल नहि – लोकमत (सर्वेक्षण)

१३ जून २०२१ – मैथिली जिन्दाबाद!! लोकमतः भारत मे मैथिलीक टेलिविजन चैनल कियैक नहि?   फेसबुक पर मूल्यवान् विमर्श लेल सुपरिचित समूह ‘दहेज मुक्त मिथिला’ पर काल्हि १३ जून २०२१ सँ एकटा विमर्श ‘मैथिली टेलिविजन चैनल’ पर चलि रहल अछि। दहेज मुक्त मिथिला नाम के समूह पर मांगरूपी दहेज विरूद्ध स्वयं संकल्प लेबाक संग-संग दहेज भारत मे मैथिलीक एकहु टा टीवी चैनल नहि – लोकमत (सर्वेक्षण)

सीता जी संग हनुमान जी मैथिली मे संवाद कयलनिः सन्दर्भ वाल्मीकिरामायण एवं रामायणमर्मज्ञ संत मोरारी बापूजी

लेख – प्रवीण नारायण चौधरी (२०१४ फेसबुक नोट्स मार्फत प्रकाशित) मैथिलीमे मिथिलाक धिया सिया संग मिथिलाक भगिनमान हनुमान केर वार्ता: अशोक वाटिका, लंकामे! एखन भाइ संजय कुमार मिश्र चर्चा केलैन जे ओ श्री मोरारी बापु केर रामकथा सुनैत घडी ई प्रसंग सुनलैन जे हनुमानजी सियाजी संग मैथिली भाषामे वार्ता केलैन, जाहिसँ सियाजीकेँ विश्वास बढलैन जे सीता जी संग हनुमान जी मैथिली मे संवाद कयलनिः सन्दर्भ वाल्मीकिरामायण एवं रामायणमर्मज्ञ संत मोरारी बापूजी

अत्यन्त पठनीय-मननीय आलेखः ‘दान-धर्म’ (महर्षि दयानन्द सरस्वतीकृत्)

स्वाध्याय लेख अनुवादः प्रवीण नारायण चौधरी दान-धर्म (ब्रह्मलीन स्वामी श्रीदयानन्दजी सरस्वती, भारतधर्म महामण्डल)   धर्मक तीन प्रधान अंग छैक – यज्ञ, तप आ दान। श्रीगीतोपनिषद् मे कहल गेल अछि – ‘यज्ञो दानं तपश्चैव पावनानि मनीषिणाम्’। एहि तीन प्रकार प्रधान धर्मांग सब मे दान-धर्म सब प्रकारक अधिकारी लेल प्रथम व कलियुग मे परम सहायक अछि। भगवान् अत्यन्त पठनीय-मननीय आलेखः ‘दान-धर्म’ (महर्षि दयानन्द सरस्वतीकृत्)

यूपीएससी/बिपीएससी के तैयारी लेल वेब-डोमेन मे सन्दर्भित सामग्रीक बड पैघ जरूरत

कतय भेटत मैथिलीक ई सब पोथी आ सम्बन्धित सामग्री (नोट्स इत्यादि)?   यूपीएससी आ बिपीएससी जेहेन महत्वपूर्ण परीक्षा मे मैथिली रखनिहार छात्र केँ बहुत रास सहयोग एखन धरि मैथिलीक विभिन्न नेट (डोमेन्स) मे नहि भेटैत छैक। दिल्ली या पटना या राँची या आरो किछु महत्वपूर्ण स्थान पर यूपीएससी केर तैयारी कराबय वला कोचिंग संस्थान या यूपीएससी/बिपीएससी के तैयारी लेल वेब-डोमेन मे सन्दर्भित सामग्रीक बड पैघ जरूरत