Search

बिपीएससी परीक्षाक तैयारी लेल किछु महत्वपूर्ण सुझाव

बिपीएससी परीक्षा मे सफलता प्राप्त अभ्यर्थीक अनुभव

– संजय मिश्र, दरभंगा

(लेखक बिपीएससी परीक्षा पास कय हाल एसिस्टैन्ट कमिशनर टैक्स पद पर कार्यरत छथि)

विगत किछ बरिखसँ बिपीएससी के सत्र नियमित भेलाक उपरान्त अभ्यर्थी लोकनि नियमित रूपेण एकर तैयारीमे जुटला व एकरा अपन करियरक आप्सन राखि रहल छथि। आर, ओहिमे मैथिली भाषा एवं साहित्य एकटा ऐच्छिक विषयक रूपें अपन महत्व ओ सार्थकता दिनानुदिन सिद्ध कऽ रहल अछि।

बिपीएससी परीक्षा तैयारीक हेतु अभ्यर्थीकेँ ७-८ मासक पूर्ण समर्पण आ अनुशासनक संग अध्ययन, मनन ओ चिन्तनक आवश्यकता होइछ जाहिमे एनसीईआरटी वर्ग ६ सँ १२ धरिक विषय वस्तु केँ सरल-सहज रूपें अध्ययन आ समझ विकसित केनाय आ संगहि किछ रेफरेन्स बुक्स यथा – समाचारपत्र, भारत का स्वतंत्रता संघर्ष – बिपिन चन्द्रा, इंडियन पोलाइटी – लक्ष्मी कान्त वा कोनो दोसरो द्वारा लिखल, अर्थशास्त्र – रमेश सिंह वा कोनो दोसरो के लिखल, भारत सरकारक पत्रिका (मासिक) – योजना, कुरुक्षेत्र, कोनो दूटा मासिक करेंट अफेयर पत्रिका, क्रनिकल, दर्पण, दृष्टि आदि। बिहार राज्यक संपूर्ण रूपेण अध्ययन कोनो पुस्तकसँ कऽ सकैत छी। भूगोल विषयक लेल एनसीईआरटी पुस्तकक संगहि विश्व, भारत आ बिहारक भौगोलिक आ राजनैतिक मानचित्रक अध्ययनक दरकार होयत।

अन्तर्राष्ट्रीय संबंध, कला-संस्कृति, विज्ञान प्रौद्योगिकी आ पर्यावरण (ईकोलोजी) विषयवस्तुक लेल नियमित पत्रिकाक संगे कोनो विशेषांक पत्रिकाक अध्ययन करबाक दरकार होयत।

मूलभूत विषयवस्तुक जानकारी भेलाक उपरान्त विषय विशेषक पूर्वप्रश्न पत्रक अभ्यास अभ्यर्थीकेँ आत्मविश्वास वृद्धि कराओत।।

अभ्यर्थी लोकनिकेँ रणनीति बनेबाक अपन-अपन कला होइछ तेँ अपन मानसिक बुद्धिक उपयोग करैत नियत समयमे एतेक वृहद पाठ्यक्रमकेँ तैयारी भऽ सकैछ। स्मरणीय अछि जे पीएससी (प्रदेश सेवा आयोग) वा कोनो आनो प्रतियोगी परीक्षामे “सर्वोत्तम व उत्कृष्ट” *Survival of Fittest* पद्धति अपनाओल जाइछ।

ऐच्छिक विषयक चुनाव अभ्यर्थीकेँ अपन निजी आकलन (self assessment) केर आधार पर चुनबाक चाही। कियैक तऽ ओहि विषयक “विषयवस्तु विज्ञता” (subject matter expertise) सन अपेक्षा रहैत अछि परीक्षा पद्धतिकेँ।

ऐच्छिक विषयक रूपमे मैथिली भाषा व साहित्यक आ ओकर तैयारी व पाठ्यसामग्री विषयक दोसर आलेख शीघ्र राखब।

समस्त अभ्यर्थी लेल शुभकामना सहित!!

Related Articles