यूपीएससी/बिपीएससी के तैयारी लेल वेब-डोमेन मे सन्दर्भित सामग्रीक बड पैघ जरूरत

कतय भेटत मैथिलीक ई सब पोथी आ सम्बन्धित सामग्री (नोट्स इत्यादि)?
 
यूपीएससी आ बिपीएससी जेहेन महत्वपूर्ण परीक्षा मे मैथिली रखनिहार छात्र केँ बहुत रास सहयोग एखन धरि मैथिलीक विभिन्न नेट (डोमेन्स) मे नहि भेटैत छैक। दिल्ली या पटना या राँची या आरो किछु महत्वपूर्ण स्थान पर यूपीएससी केर तैयारी कराबय वला कोचिंग संस्थान या ओकर वेबसाइट द्वारा महत्वपूर्ण टिप्स सब जरूर वेब-डोमेन मे भेटि रहलैक अछि, लेकिन जतेक सुलभता सँ आ जतेक सन्दर्भित सामग्री वास्तव मे यूपीएससी/बिपीएससी केर तैयारी लेल भेटबाक चाही से नहि भेटि रहलैक अछि।
 
दुःखक बात ईहो छैक जे मैथिलीक विभिन्न वेब न्यूजपोर्टल सेहो झखैते-झखैते चलि रहल अछि। जेकरा पास कोनो तरहक आर्थिक प्रबन्धन नहि रहतैक ओ निजी लगानी सँ कतेक दूर आ कतेक उपलब्धिमूलक भऽ सकैत छैक? तखन त जैह-सैह, स्वयंसेवा के हिसाबे सँ सही, लेकिन मैथिली जिन्दाबाद व किछु आरो वेबसाइट सब एहि दिशा मे समय-समय पर प्रयास करैत अछि, सैह बहुत भेल।
 
हमरा एक छात्र सुमन कुमार सर्राफ मैथिली जिन्दाबाद केर विभिन्न न्यूजलिंक पर कमेन्ट मार्फत आइ ई प्रेरणा देलथि जे एहि वेबसाइट पर बहुत किछु भेटि रहल अछि लेकिन यूपीएससी/बिपीएससी के तैयारी लेल सेहो किछु सामग्री समय-समय पर पोस्ट कयल जाय। एहि सँ पूर्वहु मे किछु अभ्यर्थी लोकनि कहने रहथि जे मैथिली जिन्दाबाद केर लेख विशेष रूप सँ भाषा, बोली, साहित्य आदिक संग कन्टेम्पोरेरी (समसामयिक) विषय-विश्लेषण सब नीक मात्रा मे भेटि जाइत अछि, जाहि सँ मैथिली पढय लेल आ व्यूज मेकिंग संग अपन विश्लेषण लेल बहुत उल्लेखणीय सहयोग सेहो भेटि जाइत अछि। मुदा जाहि तरहक स्पेसिफिक (खास सन्दर्भित) सामग्रीक खोज रहैत अछि से नहि भेटि पबैत अछि। तेँ प्रकाशनक कार्य मे एहि दिशा मे सेहो डेग बढायल जाय।
 
हालहि बिपीएससी मे सफलता पाबि बिहार सरकार केर पदाधिकारी पद पर नियुक्त भेला मैथिलीप्रेमी आ समर्पित युवा अभियन्ता भाष्कर ज्योति संग सम्पर्क करैत एहि दिशा मे उचित सहयोग लेल कहलियनि। ओ कहलथि जे सर्वप्रथम जे सब निर्धारित पाठ्यक्रम छैक आ जे-जतेक पुस्तक केर आधार पर प्रश्नपत्र बनायल जाइत अछि तेकर उपलब्धता पर काज करबाक जरूरत अछि। हमरो ई बहुत बेसी उचित आ प्रथम आवश्यक बुझायल। आब जेना यूपीएससी के पाठ्यक्रम पर गौर करूः
 
1. Place of Maithili in Indo-European language family.
भारोपीय भाषा परिवार मे मैथिलीक स्थान
 
2. Origin and development of Maithili language. (Sanskrit, Prakrit, Avhatt, Maithili)
मैथिली भाषाक उत्थान आ विकास (संस्कृत, प्राकृत, अवहठ्ठ, मैथिली)
 
3. Periodic division of Maithili Language. (Beginning, Middle era, Modern era)
मैथिलीक कालखंडीय विभाजन (आरम्भकाल, मध्यकाल आ आधुनिककाल) 
 
 
4. Maithili and its different dialects.
(मैथिली आ एकर विभिन्न बोली)
 
5. Relationship between Maithili and other Eastern languages (Bengali, Asamese, Oriya )
मैथिलीक अन्य पूर्वांचलीय भाषा (बंगाली, असमिया आ उड़िया) संग सम्बन्ध
 
6. Origin and development of Tirhuta Script.
तिरहुता लिपि केर उद्भव व विकास 
 
7. Pronouns and Verbs in Maithili Language.
मैथिली भाषा मे सर्वनाम आ क्रियापद
 
Part B
 
 
History of Maithili Literature (मैथिली साहित्यक इतिहास)
 
1. Background of Maithili Literature (Religious, economic, social, cultural).
मैथिली साहित्यक पृष्ठभूमि (धार्मिक, आर्थिक, सामाजिक, सांस्कृतिक)
 
2. Periodic division of Maithili literature.
मैथिली साहित्यक कालखंडीय विभाजन
  
3. Pre-Vidyapati Literature.
विद्यापति-पूर्व केर साहित्य
 
4. Vidyapati and his tradition.
विद्यापति व हुनक परम्परा
 
5. Medieval Maithili Drama (Kirtaniya Natak, Ankia Nat, Maithili dramas written in Nepal .
मध्यकालीन मैथिली नाटक (कीर्तिनिया नाटक, अंकिया नाट, नेपाल मे लिखल गेल मैथिली नाटक)
 
6. Maithili Folk Literature (Folk Tales, Folk Drama, Folk Stories, Folk Songs).
मैथिली लोक साहित्य (लोक कहिनी, लोक नाटक, लोक कथा, लोक गीत)
 
7. Development of different literary forms in modern era
आधुनिक काल मे विभिन्न साहित्यिक स्वरूपक विकास
 
(a) Prabandh-kavya
प्रबन्ध काव्य
 
(b) Muktak-kavya
मुक्तक काव्य
 
(c) Novel
उपन्यास
 
(d) Short Story
लघुकथा
 
(e) Drama
नाटक
 
(f) Essay
निबन्ध
 
(g) Criticism
आलोचना
 
(h) Memoirs
संस्मरण
 
(i) Translation
अनुवाद
 
8. Development of Maithili Magazines and Journals
मैथिली पत्र-पत्रिकाक विकास
  
Paper – II
 
 
Answers must be written in Maithili
 
The paper will require first-hand reading of the prescribed texts and will test the critical ability of the candidates.
 
 
Part-A
 
1. Vidyapati Geet-Shati – Publisher : Sahitya Akademi, New Delhi (Lyrics – 1 to 50)
विद्यापति गीत-शती – प्रकाशकः साहित्यक अकादमी, नई दिल्ली (गीत १ सँ ५० धरि)
 
2. Govind Das Bhajanavali – Publisher : Maithili Acadamy, Patna (Lyrics – 1 to 25)
गोविन्द दास भजनावली – प्रकाशकः मैथिली अकादमी, पटना (गीत – १ सँ २५ धरि)
 
3. Krishnajanm – Manbodh
कृष्णजन्म – मनबोध
 
4. Mithilabhasha Ramayana – Chanda Jha (only Sunder-Kand)
मिथिलाभाषा रामायण – चन्दा झा (मात्र सुन्दरकाण्ड)
 
5. Rameshwar Charit Mithila Ramayan – Lal Das (only Bal-kand)
रामेश्वर चरित मिथिला रामायण – लाल दास (सिर्फ बालकाण्ड)
 
6. Keechak-Vadh – Tantra Nath Jha.
कीचक-वद्ध – तंत्र नाथ झा
 
7. Datta-Vati – Surendra Jha ‘Suman’ {only 1st and 2nd Cantos}.
दत्तवती – सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ (मात्र पहिल आ दोसर भाग)
 
8. Chitra-Yatri
चित्रा – यात्री
 
9. Samakaleen Maithili Kavita – Publisher : Sahitaya Akademi, New Delhi .
समकालीन मैथिली कविता – प्रकाशकः साहित्य अकादमी, नई दिल्ली
 
Part-B
 
 
10. Varna Ratnakar – Jyotirishwar (only 2nd Kallol)
वर्ण रत्नाकर – ज्योतिरिश्वर (दोसर कल्लोल)
 
11. Khattar Kakak Tarang – Hari Mohan Jha
खट्टर काकाक तरङ्ग – हरि मोहन झा
 
12. Lorik–Vijaya – Manipadma
लोरिक विजय – मणिपद्म
 
13. Prithvi Putra – Lalit
पृथ्वीपुत्र – ललित
 
14. Bhaphait Chahak Jinagi – Sudhanshu ‘Shekhar’ Choudhary
भफाइत चाहक जिनगी – सुधांशु शेखर चौधरी
 
15. Kriti Rajkamlak – Publisher : Maithili Academy, Patna (First Ten Stories only)
कीर्ति राजकमलक – प्रकाशकः मैथिली अकादमी, पटना (पहिल १० कथा मात्र)
 
16. Katha–Sangrah – Publisher : Maithili Academy, Patna
कथा-संग्रह – प्रकाशकः मैथिली अकादमी, पटना
 
त एतेक रास पोथीक उपलब्धता कोनो एक ठाम कतय होयत? पटना? दरभंगा? मधुबनी? दिल्ली? साहित्य अकादमी दिल्ली सँ आ मैथिली अकादमी पटना सँ सम्पर्क करैत ओहि पोथी सब केँ संकलन करबाक विकल्प त अछिये, लेकिन आरो कोनो स्रोत हुए त कहू।
साभार संजय मिश्र – एक सफल अभ्यर्थी जे हाल बिहार सरकार केर राजश्व विभाग पदाधिकारीक रूप मे कार्यरत छथि, हुनका मार्फत बिपीएससी मे मैथिलीक पाठ्यक्रम केर जानकारी निम्न रूप सँ प्राप्त भेल अछि।
बिहार लोक सेवा आयोगक पाठ्यक्रम
मैथिली विषय
प्रथम पत्र
१. विद्यापति गीतावली (गीतिका) – विद्यापति
२. गोविन्द भजनावली – गोविन्द दास
३. कृष्णजन्म – मनबोध
४. मिथिला भाषा रामायण (सुन्दरकाण्ड मात्र) – चन्दा झा
५. सूर्यमुखी – आरसी प्रसाद सिंह
६. ललका पाग – राजकमल
७. प्रबंध संग्रह – रमानाथ झा
८. मिथिला नाटक – रघुनन्दन दास
९. चित्रा – बैद्यनाथ मिश्र यात्री
१०. कन्यादान द्विरागमन – हरि मोहन झा
दोसर पत्र
१. मैथिली साहित्यक इतिहास – दुर्गानाथ झा श्रीश
२. मैथिली साहित्यक इतिहास – मायानन्द मिश्र
३. मैथिली परिशीलन – गोविन्द झा
४. भाषा शास्त्र प्रवेशिका – गोविन्द झा
सहायक पोथी
१. मैथिली गद्य गौरव – शारदिन्दु चौधरी
२. परिचायिका – भीमनाथ झा
३. अक्षर पुरुष – किशोर केशव
४. सफलता सोपान – रमण कुमार झा
मूल्य ३१०० टका के पोथी डाक खर्च सहित २८५० टका मे उपलब्ध अछि। सम्पर्कः शेखर प्रकाशन, पटना। मोबाइल नम्बरः +919334102305
 
हरिः हरः!!