Search

प्रवीण नारायण चौधरी

अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल द्वारा अपांग परिवार केँ मदद

कैलाश यादव, रियाध। फरबरी २३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल द्वारा निरंतर गरीब-गुरबा-असहाय-अपांगक सहयोग हेतु विभिन्न योगदानक काज संपन्न होएत आबि रहल अछि। एहि क्रम मे पैछला सप्ताह सप्तरी जिलाक गम्हरिया (परवाहा, वार्ड नं. ४) केर शम्भु मण्डल जेकर घर मे ५ व्यक्ति अपांग (अपाहिज) अछि तेकरा सहयोग लेल केन्द्रीय पदाधिकारी लोकनिक अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल द्वारा अपांग परिवार केँ मदद

‘प्रभासोत्सव’ पर साहित्यिक समागम – देश भरि सँ जुटला दिग्गज साहित्यकार

दरभंगा, २३ फरबरी, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! समाचारः साभार विभूति आनन्द ‘प्रभासोत्सव’ पर साहित्यिक समागम देश भरि सँ जुटला दिग्गज साहित्यकार प्रभास समग्रक उपन्यास खंड विमोचित साहित्य अकादमीसँ पुरस्कृत मैथिलीक प्रख्यात साहित्यकार प्रभास कुमार चौधरीक 19म पुण्यतिथिपर हुनक पैतृक गाम दरभंगाक पिड़ारुछमे साहित्यिक समागमक आयोजन बुधकेँ भेल। ‘प्रभासोत्सव’ नाम सँ भेल समारोहमे हुनक समस्त रचनाक प्रकाशनक ‘प्रभासोत्सव’ पर साहित्यिक समागम – देश भरि सँ जुटला दिग्गज साहित्यकार

मैथिली उपन्यासकार प्रभास चौधरीक स्मृति समारोह

मधुबनी, २३ फरबरी, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! समाचार साभारः उदयचन्द्र झा विनोद, रहिका, मधुबनी बाइस फरवरी क पिंडारुछ मे कथाकार प्रभास कुमार चौधरी के समारोहपूर्वक स्मरण कैल गेल। हिनक पाँचो उपन्यास एक जिल्द मे प्रकाशित भेल। आदरणीय रामदेव झा, गंगेश गुंजन समेत यावन्तो रचनाकार ठाम ठाम सँ आयल छलाह।विद्यानाथ झा विदित, भीमनाथ झा, देवशंकर नवीन, महेन्द़ मैथिली उपन्यासकार प्रभास चौधरीक स्मृति समारोह

अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसपर डीएवी झंझारपुर द्वारा समारोह

झंझारपुर, फरबरी २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! निजी विद्यालयक अपन मनमौजी नियम-कानून रहितो कोरपोरेट सोशल रिस्पोन्सिबिलिटी (सीएसआर) अनुरूप अपन जिम्मेवारी वहन करबाक नीक उदाहरण झंझारपुर स्थित दयानन्द एंग्लो वेदिक (डीएवी) स्कूल द्वारा मातृभाषा दिवसपर समारोहपूर्वक मैथिली भाषा-साहित्य लेल योगदान कएनिहार छात्र सहित समाजक किछु गणमान्य लोकनिक सम्मान कार्यक्रम आयोजन कएल गेल अछि। एहि दिशा मे साहित्याङ्गन अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसपर डीएवी झंझारपुर द्वारा समारोह

अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसपर अहाँक रचना जन-जनकेँ समर्पित

मैथिली जिन्दाबाद विशेषः अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसपर अहाँक पठाओल रचना १. सुप्रसिद्ध गीतकार डा. चन्द्रमणि झा संगोर शाँत छी कमजोर नहि हठ-यतन गठजोर नहि। भावना-भव ओर नहि मित्रताके छोर नहि ।। भिन्न लक्षण रूप यौवन मन विभेदक जोर नहि अपन सुख हँसिकs बँटै छी सहन आँखिक नोर नहि। फूल नगरक हो कि गामक गंध बेशी-थोड़ नहि खेत अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसपर अहाँक रचना जन-जनकेँ समर्पित

बनगाँव मे अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसपर संकल्प सभा

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। फरबरी २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! बुद्धिजीवी विचार मंच बनगाँव केर तत्वावधान में मंगल दिन संत ख्याली खाँ सभा भवन मे बाबाजी कुटी पर मैथिली दिवस मनाओल गेल अछि जाहि में उपस्थितजन एकस्वर सँ मातृभाषा मैथिली केँ बढ़यबाक संकल्प लेलनि । सरकारी कार्यालय में आवेदन मैथिली भाषा में देबाक निर्णय लेल गेल जेकर शुरुआत बनगाँव मे अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसपर संकल्प सभा

बारीक तमशाय त भोज बनयः मैसाम द्वारा दू ठाम कार्यक्रम

विशेष सम्पादकीयः दिल्ली मे मैसाम केर दुनू यूनिट द्वारा दुइ अलग-अलग आयोजन मैथिली जिन्दाबाद!! काल्हि २१ फरबरी २०१७ केँ पूर्व योजनानुसार मैथिली साहित्य महासभाक दुनू यूनिट द्वारा अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस पर मैथिली भाषा-भाषी केँ संङ्गोरि भव्य परिचर्चा एवम् सांस्कृतिक आयोजन कएल गेल अछि। सोसल मीडिया सँ ज्ञात प्राप्त फोटोक आधारपर दुनू कार्यक्रमक भव्यता स्पष्ट अछि। विदिते बारीक तमशाय त भोज बनयः मैसाम द्वारा दू ठाम कार्यक्रम

वैवाहिक वर्षगाँठक रजत जयन्तिपर मैथिली-मिथिलाः ऐतिहासिक आयोजन

काल्हि फेर स एक नव कीर्तिमान बनल जे हमरा लोकनिक श्रेष्ठ स्रष्टा श्री धीरेन्द्र प्रेमर्षि अपन सुप्रतिष्ठित कलासम्पन्न पत्नी श्रीमती रूपा झा संग विवाहक 25म वर्षगाँठ मैथिली साहित्यिक एवम् सांस्कृतिक कार्यक्रम सहित एक विलक्षण आर श्रेष्ठतर शैली में मनौलनि। अजित आजाद समान प्रखर आ सिद्धहस्त परिकल्पक एवम् उद्घोषक केर अद्भुत आ चतुर मंच संचालन सँ वैवाहिक वर्षगाँठक रजत जयन्तिपर मैथिली-मिथिलाः ऐतिहासिक आयोजन

छूतकाक माहात्म्य

जन्माशौच और मिथिला व्यवहार – प्रवीण नारायण चौधरी प्रसंगवश मिथिला में व्यवहृत कुछ अनमोल परंपराओं में जन्माशौच पर मुझे कुछ लिखने को प्रेरित पंकज प्रसून – न्युज अफ बिहार डट कम के संचालक ने किया है। ऐसे तो मैंने किसी शास्त्रीय विषयों का अध्ययन नहीं किया है, परन्तु अपने बड़े-बुजुर्गों से तथ्यों सहित प्रमाणिक बहस छूतकाक माहात्म्य

फरवरी २०१८ तक तैयार होयत पहिल रेल इंजन मधेपुरा मे

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। फरवरी १८, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! मधेपुरा रेल विद्युत इंजन कारखानाक निर्माण मई 2018 में पुरा होयत । हालॉकि एहि वर्ष तक चारिटा इंजन तैयार कय भारतीय रेल के सौपल जायत । ई जानकारी फ्रांस स आयल जनरल बैरी हॉ, इंजीनियरिंग डायरेक्टर जीन क्रिस्टोफे गाबर्ट, चीफ सेक्सन आफिसर क्रिस्टोफे कसन व एच आर फरवरी २०१८ तक तैयार होयत पहिल रेल इंजन मधेपुरा मे