मैथिली उपन्यासकार प्रभास चौधरीक स्मृति समारोह

मधुबनी, २३ फरबरी, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

समाचार साभारः उदयचन्द्र झा विनोद, रहिका, मधुबनी

बाइस फरवरी क पिंडारुछ मे कथाकार प्रभास कुमार चौधरी के समारोहपूर्वक स्मरण कैल गेल। हिनक पाँचो उपन्यास एक जिल्द मे प्रकाशित भेल। आदरणीय रामदेव झा, गंगेश गुंजन समेत यावन्तो रचनाकार ठाम ठाम सँ आयल छलाह।विद्यानाथ झा विदित, भीमनाथ झा, देवशंकर नवीन, महेन्द़ झा, विभा रानी, ललितेश मिश्र, विद्यानन्द झा, रामभरोस कापडि भ्रमर, बुद्धिनाथ मिश्र, जगदीश मिश्र, रमानन्द झा रमण, सियाराम झा सरस आदि भाग लेलनि।

एहि अवसर पर विभिन्न सत्र मे आलेख सभक पाठ भेल, विचार भेल। अशोक आ विभूति आनन्दक आलेख नीक छल । प्रेमलता मिश्र, दिलीप कुमार झा, अजित आजाद, फूलचन्द़ मिश्र रमण, अशोक कुमार मेहता बड लोक। कवीश्वर चंदा झा आ प्रभास कुमार चौधरीक डीह पर एहि भव्य आयोजन हेतु प्रभास जीक आत्मजा रजनी चौधरी, अनुज आभास समेत समस्त गाम धन्यवादक पात्र छथि। एहि मे भाग ल धन्य भेलहुँ।

हमहू कमाल छी। पिंडारुछ समारोह पर लिखैत कतिपय महत्वपूर्ण नाम छोडि देल । समारोहक अध्यक्षता कयलनि मंत्रेश्वर झा आ कोलकाता सँ आयल रामलोचन ठाकुर, पंचानन मिश्र, विश्वेश्वरमिश्र, कल्याण जी, सतीश साजन आदि अनेक लोक शामिल छलाह।