सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। फरबरी २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
बुद्धिजीवी विचार मंच बनगाँव केर तत्वावधान में मंगल दिन संत ख्याली खाँ सभा भवन मे बाबाजी कुटी पर मैथिली दिवस मनाओल गेल अछि जाहि में उपस्थितजन एकस्वर सँ मातृभाषा मैथिली केँ बढ़यबाक संकल्प लेलनि । सरकारी कार्यालय में आवेदन मैथिली भाषा में देबाक निर्णय लेल गेल जेकर शुरुआत गाँव में बढ़ैत चोरीक घटना सँ क्षुब्ध ग्रामीण द्वारा थाना प्रभारी, एसपी व जिलाधिकारी केँ मैथिली भाषा मे आवेदन लिखकय देल जेबाक ऐतिहासिक कार्य सँ कैल गेल अछि ।
कार्यक्रमक अध्यक्षता श्री विरेन्द्र नारायण खाँ – पूर्व प्राध्यापक द्वारा कएल गेल जखन कि एकर संचालन श्री शशिधर ठाकुर कएलनि । अपन अध्यक्षीय संबोधन में श्री खाँ कहलनि जे मैथिली केँ प्राथमिक शिक्षा में शामिल कयल जाय, एेच्छिक विषय केर अंक मूल प्राप्तांक में जोड़ल जाय, मैथिली केँ रोजगारोन्मुख बनाओल जाय, अप्पन घर अंगना में धियापुता सँ मैथिली में बेसी बातचीत कएल जाय ।
वक्ता सब में विक्रमादित्या खाँ, जयराम झा, सुमन समाज, सुभाषचन्द्र झा, पारस कुमार झा, राहुल कुमार, विश्वनाथ खाँ, सुरेश झा, गोपाल मिश्र, चन्दनजी सब कहलनि जे मातृभाषा प्रति श्रद्धा, समर्पण, अभिमान सँ आत्मगौरवक भाव भेटैत अछि आर एहि लेल आगाँ सशक्त प्रचार-प्रसार करैत मैथिली भाषाक संग मिथिला राज्य अभियान में जुड़बाक लेल जागरूकता आनब से सब कियो संकल्पित होइ । वर्तमान मिथिला समाज जाहि में सब जाति आर धर्मक लोक अछि तिनका सभक बीच जनजागरण चलाओल जायत ई संकल्प सेहो लेल गेल ।
संगहि बनगाँव में मिथिलाक्षर व मिथिला पेन्टिंग सिखयबाक केन्द्र खोलल जेबाक निर्णय लेल गेल अछि । एहि अवसर पर भारी संख्या में ग्रामीण सब उपस्थित छलाह ।