वैवाहिक वर्षगाँठक रजत जयन्तिपर मैथिली-मिथिलाः ऐतिहासिक आयोजन

काल्हि फेर स एक नव कीर्तिमान बनल जे हमरा लोकनिक श्रेष्ठ स्रष्टा श्री धीरेन्द्र प्रेमर्षि अपन सुप्रतिष्ठित कलासम्पन्न पत्नी श्रीमती रूपा झा संग विवाहक 25म वर्षगाँठ मैथिली साहित्यिक एवम् सांस्कृतिक कार्यक्रम सहित एक विलक्षण आर श्रेष्ठतर शैली में मनौलनि।

अजित आजाद समान प्रखर आ सिद्धहस्त परिकल्पक एवम् उद्घोषक केर अद्भुत आ चतुर मंच संचालन सँ दिनक 2 बजे सँ आरम्भ कार्यक्रम पूर्ण मनोरंजनात्मक आर दर्शक सभक लेल मनलोभावन प्रस्तुतिक संग राति भरि चलल। किसलय कृष्ण द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रमक सञ्चालन कयल गेल।

एक बेर फेर सँ दूल्हा दुल्हिन जेकाँ सैज धैज कय दुनू प्राणी मंच पर आबि सम्पूर्ण स्वजन्य इष्ट मित्र सहित चुमाओन आ दूर्वाक्षत सँ आशीर्वाद ग्रहण कयलनि।

शुभकामना सन्देश, कवि गोष्ठी, हेलो मिथिला केर नाटकीय प्रस्तुति कलाकार गायत्री व् घनश्याम द्वारा आ फेर एक सँ बढ़िकय गीत, नृत्य, नाटक, प्रहसन सब प्रस्तुत कयल गेल। मिथिला नाट्य कला परिषद जनकपुर आ डॉली सरकार एवम् अंजू यादव राजविराज संग मिथिला स्टूडेंट यूनियन नेपाल केर तेजू मैथिल, जावेद अली, आदि नेपाल सँ सांस्कृतिक कार्यक्रम में सहभागिता देलनि। भारत सँ पवन नारायण केर गायन समूह छल। स्वयं धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ रूपा झा सेहो अपन कतेको रास प्रस्तुति देलनि।

मुन्ना चमन, सुनील मल्लिक, संगीता देव, राम नारायण ठाकुर, ललित कापर, श्याम सुंदर शशि, श्याम सुंदर यादव पथिक, देवेन्द्र मिश्र, शुभचन्द्र झा, करुणा झा, शैलेन्द्र मोहन झा, जयराम यादव यदुवंशी, नारायण मधुशाला, सतीश साजन मेहता, दीप नारायण विद्यार्थी, मैथिल प्रशांत, आनन्द मोहन झा, परमेश्वर कापर, प्रवीण नारायण चौधरी लगायत दुनू पारक सैकड़ो सृजनकर्मी गणमान्य महिला आ पुरुष केर जुटान भेल। समूचा गाम आ इलाका केर लोक एहि विलक्षण कार्यक्रमक आनन्द लेलनि।

हरिः हरः!!