सुभाषचंद्र झा, सहरसा। फरवरी १८, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मधेपुरा रेल विद्युत इंजन कारखानाक निर्माण मई 2018 में पुरा होयत । हालॉकि एहि वर्ष तक चारिटा इंजन तैयार कय भारतीय रेल के सौपल जायत । ई जानकारी फ्रांस स आयल जनरल बैरी हॉ, इंजीनियरिंग डायरेक्टर जीन क्रिस्टोफे गाबर्ट, चीफ सेक्सन आफिसर क्रिस्टोफे कसन व एच आर निदेशक मनीष गौर डीएम मो. सोहैल केर साथ बैठक कयला उपरान्त मीडिया केँ बतौलनि । कंपनी के टीम कहलक जे टाटा प्रोजेक्ट कंपनी द्वारा रेल इंजन कारखाना भवन के निर्माण जारी अछि जे मई तक पुरा भ जायत ।