Search

३० करोड़ के लागत सँ आरम्भ भेल मखान उत्पाद केर उत्पादन यूनिट अरेर मधुबनी मे

२८ अगस्त २०२३ । मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला नैचुरल्स – मिथिला मखान केर उत्पादन यूनिट के उद्घाटन

मधुबनी जिलाक अरेर गाम मे खुजल मखान केर परिकार उत्पादनक उद्योग

मनीष आनन्द – एक अनुभवी आ विज्ञ उद्योगी मिथिला मे खोललनि कारखाना

लगभग ३० करोड़ के लागत सँ मखान प्रोसेसिंग यूनिट के भेल स्थापना

काल्हि २७ अगस्त २०२३ केँ मधुबनी जिलाक अरेर गाम मे मखान केर प्रोसेस कय विभिन्न तैयारी खाद्य पदार्थ (पैकेज्ड फूड, रेडी टु इट, रेडी फर कन्जम्पशन प्रोडक्ट्स) केर मैनुफैक्चरिंग यूनिट (उत्पादन ईकाई) केर उद्घाटक कयल गेल अछि। विगत कइएको वर्ष सँ मखान उत्पाद व्यवसाय सँ जुड़िकय पूरे भारत एवं विदेश धरि व्यापार विस्तार कयनिहार व्यक्तित्व श्री मनीष आनन्द द्वारा लगभग ३० करोड़ केर लगानी मे आरम्भ कयल गेल अछि ई यूनिट। श्री आनन्द पूर्वहि सँ अपन मूल ग्राम जरैल मे मखान उत्पादक प्रोसेसिंग यूनिट संचालित करैत आबि रहल छथि। आब एकर भकरार रूप के आरम्भ कय मिथिला संग समूचा बिहार केर आर्थिक सशक्तिकरण लेल ई नव औद्योगिक निवेश प्रदान कयलनि अछि।

एकर उद्घाटन श्री आनन्द केर माताश्री संग बिहार सरकारक जल संसाधन मंत्री संजय झा एवं उद्योग मंत्री समीर कुमार महासेठ द्वारा संयुक्त रूप सँ फीता काटिकय कयल गेल अछि। एहि अवसर पर जिला प्रशासन पदाधिकारी सहित लगभग ५०० गणमान्य विशिष्ट जन केँ आमंत्रित कयल गेल छल। सभक समुपस्थिति मे उद्घाटन समारोह केँ मंत्रीगण सहित किछु अन्य विशिष्टजन शुभकामना सम्बोधन सेहो कयलनि। एहि तरहक निवेश सँ मिथिलाक्षेत्रक पलायन रुकबाक आ आर्थिक प्रगति मे क्रान्तिकारी परिवर्तन अयबाक भावना वक्ता लोकनिक छलन्हि। कार्यक्रमक पूरा लाइव भारत एफएम यूएसए के माला झा प्रस्तुत कएने रहथि।

मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ अनेकानेक शुभकामना एवं नव यूनिट के स्थापना पर हार्दिक बधाई!!

श्री आनन्द एक गम्भीर चिन्तनशील व्यवस्थापक, उद्योग संचालनक बारीक अनुभव आ मखान व मखान उत्पाद सँ जुड़ल हरेक विन्दु पर पूर्ण विज्ञता रखनिहार व्यक्तित्व लेल ई नव निवेश निश्चित दूर धरि जायत से हमरा विश्वास अछि। एहि सँ पहिनहि सँ मखानक दसों प्रकारक परिकार यथा फ्लेवर्ड स्नैक्स, इन्स्टैन्ट खीर, आदिक उत्पादन कय केँ ओकर सफलतापूर्वक ब्रान्डिंग-मार्केटिंग करैत आबि रहल छथि। मिथिला आ ताहू मे अपन गाम-ठाम मे एहि तरहक लगानी सँ हुनकर सोच ‘द स्पिरिट अफ मिथिला’ केर थीम धरातल पर उतरि चुकल अछि। आगामी समय मे ई आरो फलत-फुलत ताहि मे कनिको सन्देह नहि। पुनः शुभकामना!!

Related Articles