Search

वीरगञ्ज सुक्खा बंदरगाहसँ ३२ अरब ३२ करोड़ राजस्व संकलन

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

वीरगञ्ज (पर्सा), १० चैतः वीरगञ्ज सुक्खा बंदरगाह भंसार कार्यालय चालू आर्थिक वर्षक आठ महिनामे कुल ३२ अरब ३२ करोड़ ८८ लाख ७८ हजार टका राजस्व संकलन कएने अइछ।

भंसार विभाग कार्यालयकेँ वर्षभैर ६० अरब चाइर करोड़ ८७ लाख ९७ हजार टका राजस्व संकलनक करबाक लक्ष्य देने छल। सुक्खा बंदरगाह भंसार कार्यालयक प्रमुख धनबहादुर बरुवालक अनुसार चालू आवक पछिला दू महिनामे मासिक लक्ष्यक ९२ प्रतिशतधैर राजस्व संकलन भेल अइछ।

कार्यालय वितल साओनमे टका तीन अरब ७५ करोड़, भादबमे चाइर अरब ६४ करोड़ राजस्व संकलन कएने छल। आसिनमे चाइर अरब ३६ करोड़ टका, कातिकमे तीन अरब ७९ करोड़ टका राजस्व संकलन भेल छल।

एहि तरहेँ, वितल अगहनमे तीन अरब २२ करोड़ टका, पुसमे तीन अरब ५६ करोड़ टका , माघमे चाइर अरब २९ करोड़ टका आ फागुनमे चाइर अरब ६८ करोड़ टका राजस्व संकलन भेल अइछ। चालू आवक आठ महिनामे सभसँ बेसी राजस्व फागुन महिनामे संकलन भेल अइछ।

Related Articles