झंझारपुर, फरबरी २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
निजी विद्यालयक अपन मनमौजी नियम-कानून रहितो कोरपोरेट सोशल रिस्पोन्सिबिलिटी (सीएसआर) अनुरूप अपन जिम्मेवारी वहन करबाक नीक उदाहरण झंझारपुर स्थित दयानन्द एंग्लो वेदिक (डीएवी) स्कूल द्वारा मातृभाषा दिवसपर समारोहपूर्वक मैथिली भाषा-साहित्य लेल योगदान कएनिहार छात्र सहित समाजक किछु गणमान्य लोकनिक सम्मान कार्यक्रम आयोजन कएल गेल अछि।
एहि दिशा मे साहित्याङ्गन झंझारपुर व एकर संस्थापक सर्वेसर्वा मलय नाथ मंडन केर प्रयासक सेहो जतेक सराहना कएल जाय ओ कम होयत, कारण विगत एक वर्ष सँ निरन्त झंझारपुर केँ केन्द्र बना मातृभाषा मैथिली लेल विभिन्न आयोजन करैत आबि रहल ई संस्था डीएवी स्कूलक प्रधानाध्यापक व व्यवस्थापक केँ सेहो एहि तरहक आयोजन वास्ते सुझाव देबाक महत्वपूर्ण कार्य कएलनि ई सूत्र सँ जनतब भेटल अछि।
मलय नाथ मंडन अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत सेहो जनतब दैत कहलनि अछि जे साहित्याड़्गन झंझारपुर केर प्रेरणा सँ मातृभाषा दिवस पर डीएवी पब्लिक स्कूल झंझारपुर मे आइ “मातृभाषा (मैथिली) दिवस सह छात्र सम्मान समारोह” आयोजित अछि। अपना स्कूल मे मैथिली के नाम पर सम्मानित हेती सपना भारती। मातृभाषाक तागैत आइ अंग्रेजी-हिन्दीक बीच अपन प्रदर्शन करत। जतय मात्र हिन्दी आ अंग्रेजी बजबाक बाध्यता अछि ओतय आइ मैथिलीक प्रदर्शन हेत। आउ आइ हमहूँ रहब आ साहित्य अकादमी सम्मान प्राप्त डा. खुशीलाल झाजी सेहो रहता।
एकटा अखबारक कटिंग सेहो मंडन शेयर कएने छथि जेकरा मुताबिक –
अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसक अवसरपर मैथिली निबंध लेल राष्ट्रीय स्तरपर चर्चित छात्रा सपना भारतीक सम्मान आइ समारोहपूर्वक कएल गेल।
मैथिली भाषा साहित्यक विद्वान् रचनाकार डा. यशोदानाथ झा और डा. खुशीलाल झा मिथिला तथा मैथिलीक बारे गंभीर विचार सब रखलैन। साहित्याङ्गन केर संस्थापक अध्यक्ष मलय नाथ मंडन संस्थाक प्राचार्य मनोज कुमार वर्मा केँ मातृभाषा मैथिली प्रति उद्गार रखबाक कारण हुनका सम्मानित सेहो केलनि। श्री मंडन मैथिली भाषाक माध्यम सँ प्रान्तीय आ राष्ट्रीय स्तर पर सफल लोकक बारे मे चर्चा केलनि। मैथिली साहित्यक ताकत ओकर शब्दकोश, व्याकरण, कथा, कविता, उपन्यास, व्यंग्य आदि विधा सब मे प्रचूर मात्रा मे उपलब्ध साहित्य सँ स्पष्ट हेबाक बात ओ रखलैन।
ओतय भारत सरकारक पेट्रोलियम मंत्रालय द्वारा मैथिली निबन्धक लेल सम्मानित छात्रा सपना भारतीक सम्मान ओहि समारोह मे सैकड़ों बच्चाक बीच ममता मैडम द्वारा कएल गेल। मातृभाषा मैथिली दिवस डीएवी स्कूल झंझारपुर और साहित्याङ्गनक संयुक्त प्रयास सँ विद्यालयक सभागार मे मंगल दिन भेल।
कवि आनन्द मोहन झाक गजलक आनन्द उपस्थित दर्शक खूब उठौलनि। कवि विद्याचन्द्र सहित सब अतिथि केँ पाग-दोशल्ला सँ सम्मानित कएल गेल। एहि सँ पूर्व छात्रा धृति, श्रेया, दीपा, श्वेता, कल्याणी, साफिया आ सुप्रिया तथा संगीत शिक्षक अरविन्द कुमार चौधरी अपन-अपन रचना सेहो सुनौलनि। संचालन विकास मोहन मिश्र आ धन्यवाद ज्ञापन संजीव झा द्वारा कएल गेल।