कैलाश यादव, रियाध। फरबरी २३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल द्वारा निरंतर गरीब-गुरबा-असहाय-अपांगक सहयोग हेतु विभिन्न योगदानक काज संपन्न होएत आबि रहल अछि। एहि क्रम मे पैछला सप्ताह सप्तरी जिलाक गम्हरिया (परवाहा, वार्ड नं. ४) केर शम्भु मण्डल जेकर घर मे ५ व्यक्ति अपांग (अपाहिज) अछि तेकरा सहयोग लेल केन्द्रीय पदाधिकारी लोकनिक निर्णयानुरूप जनकपुर सँ कार्यकर्ता लोकनिक समूह द्वारा आवश्यक राहत सामग्री सहित किछु नगद राशि प्रदान कएल गेल अछि।
अध्यक्ष कैलाश यादव जनतब देलनि अछि जे पैछला शुक्र दिन अपन मिथिला सेवा समाज – नेपाल केर केन्द्रीय पदाधिकारी लोकनिक आपसी बैसार मे शम्भु मण्डलक स्थिति पर विचार करैत कुल सहयोग रकम २८,००० रुपैया पठेबाक निर्णय लेल गेल छल जाहि मे १ क्विन्टल चाउर ५० किलो दाइल ५० किलो आँटा सहित २५ किलो आलु सेहो प्रदान कैल गेल। एकरा साथे बाँकी बचल रकम सेहो देल गेल अछि। ई सब सहयोग कैल गेल समान सब लय केँ जनकपुर स अपन मिथिला सेवा समाजक कार्यकर्ता कृष्णा शर्मा, सुनिल महरा, मुकेश दास तथा शंकर महतो सप्तरीक ओहि गाम जाकय उपरोक्त समान हस्तान्तरण कएलनि।
तहिना संस्था कार्यकर्ता सब केँ सहयोग हेतु अपन मिथिला सेवा समाज केर सल्लाकार उमेश मण्डल केर छोट भाइ रमेश मण्डल जे हाल नेपालहि मे छथि ओ राजविराज मे अपन कार्यकार्ता सब सँ भेंट कय परवाहा पट्टी टोल जा कय ओ सब समान पिड़ित मण्डल परिवार केँ घर पहुँचिकय सहयोग कएलक। गत शुक्र दिनक मिटिंग समाप्त होएते सोम दिन धरि पिड़ित परिवार केर घर धरि राहत पहुँचाकय अपन मिथिला सेवा समाज केर कार्यकर्ता सब मंगल दिन जनकपुर वापस पहुँचि गेलाह अछि।
अपन मिथिला सेवा समाजक अध्यक्ष तथा समस्त उच्चाधिकारीक तरफ सँ सम्पूर्ण सहयोगी कार्यकर्ता तथा रमेश मण्डल केँ ई राहत पिड़ित परिवार धरि पहुँचेबाक सुकाज करबाक लेल धन्यवाद ज्ञापन सेहो केलक अछि।
विदिते अछि जे विदेश मे रोजगारी करैत अपन स्वदेश आ मिथिला समाजक सेवा करबाक लेल संकल्पित अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल द्वारा सब पुनीत काज लेल एकर सदस्य सब जे विभिन्न स्थान पर रहि रहला अछि वैह सब अपन कने-कने योगदान सँ पूरा करैत छथि। जीवन मे अपना लेल त सब कमाएत अछि, लेकिन समाज लेल कमेबाक संकल्प हिनका सब सँ सीखबाक आवश्यकता सब जन लेल जरुरी अछि। एहि संस्थाक सदस्य लोकनि सउदी, मलेसिया, दुबई, कुबैत, कतार आदि देश मे विभिन्न रोजगारी/मजदूरी कमा अपन आ परिवारक संग-संग समाजक सहयोग लेल सतति तत्पर रहैत छथि जाहि सँ मिथिलाक समग्र विकास स्वयंसेवा सँ होएत रहबाक परंपरा एखनहु जीबिते देखल जा सकैत अछि। राज्य द्वारा कि सहयोग भेटत ताहि सँ पहिने लोक लोकक काज आबय, यैह सिद्धान्त सँ ई संस्था काज कय रहल अछि।