वैदेही चरण सँ जे बनि गेल धाम – कर जोड़ि करू ओहि माँटि केँ प्रणाम
गीत – विमलजी मिश्र वैदेही चरण सँ जे बनि गेल धाम कर जोड़ि करु ओही माँटि केँ प्रणाम!! पावन पुनीत सिया जानकी के गाम ऋषि मुनि देवतो बसै यऽ ओहि ठाम!! जतय जनक महान, जतय गौतम के ज्ञान जतय गुरुजी के संगे-संगे अयला श्री राम जतय जन्मै लऽ देवतो केँ तरसै य प्राण…. कर … वैदेही चरण सँ जे बनि गेल धाम – कर जोड़ि करू ओहि माँटि केँ प्रणाम









