जबरदस्ती मैथिलीकरण सँ नीक सृजनकार्य सँ मैथिलीक सब बोलीक मानवर्धन आवश्यक अछि
हमरा हिसाबे…. (सन्दर्भः मैथिलीक बोली बज्जिका, अंगिका आदि केँ भाषा मानबाक मादे) भाषा मैथिली आ संस्कृति मिथिला – से हमर थिक। हमरा पड़ोस मे रहनिहार कतेको लोक केँ दाँत खिसोरिकय मंच आदि पर खुलेआम बजैत देखैत छी जे मैथिली बाजय मे दिक्कत होएत अछि, बाजय नहि अबैत अछि, ओकर भाषा मैथिलेतर थिक…. कियो ठेंठी, … जबरदस्ती मैथिलीकरण सँ नीक सृजनकार्य सँ मैथिलीक सब बोलीक मानवर्धन आवश्यक अछि









